Thursday, April 29, 2010

मिथिला महोत्सव आ एकर उपलब्धि


–मनोज झा मुक्ति
जगत जननी माता जानकी अर्थात माँ मैथिलीक जन्मस्थल, प्राचीन विदेह राज्यक राजधानी अखुनक परिवेशमे प्रस्तावित मिथिला राज्यक प्रमुख नगरी जनकपुरमें अखनमिथिला महोत्सव तैयारी धुमधामसँ भऽ रहल अछि जनकपुरके यथासंभव चिक्कनचुनमुन देखयवाकलेल युद्ध स्तरपर काज कयल जाऽरहल अछि ओना एहि तरहें जनकपुरकेँ सजएवाक काज पहिलके खेप नहिं भऽरहल अछि, एहिसँ पहिनहुँ बहुतोवेर जनकपुरके सजाओल गेल छल कहियो मिथिला महोत्सवक नामपर कहियो कोनो राजनीतिक पार्टीक महाधिवेशन, सम्मेलन कहियो विवाहपञ्चमी कहियो आनआन प्रयोजनक नामपर
मिथिलाक संस्कृति केहन अछि, एतुक्का वातावरण केहन अछि, बाहरसँ आओल पाहुन सबके सैह देखएवाक लेल नाना प्रकारक तामझाम कएल जाइत अछि जनकपुर संसारक सबठामक हिन्दूक लेल आस्थाक केन्द्रके रुपमे रहल अछि जे कियो रामायण पढने या सुनने छथि, हुनका जीवनमें जनकपुर जाएव सम्भवतः एकटा प्रवल मनोभावना बढि जाइत छन्हि ताँए बहुत दुरदुरसँ लोक जनकपुर देखवाकलेल अवैत छथि ईच्छा होइतो जे देशी÷विदेशी कहियो जनकपुर नहि आएल रहैत छथि, हुनका सबके एहि तरहक सम्मेलन÷महोत्सव अएवाकलेल नीक अवसर जुरवैत अछि
सम्मेलन÷महोत्सवक दिनक अलावा आनदिन सेहो जनकपुरमे प्रायः भिडभाड रहिते अछि, तथापि विषेश अवसरमें अनदिनासँ तेब्बरचौबर लोकक भिडभाड़ लागि जाइत अछि एहि तरहक विषेश प्रयोजनकलेल जखन जनकपुरके सजाओल जाइए, तहन सोंचवाकलेल विवश होमय पड़ैए जे विषेश प्रयोजन बाहेक जनकपुरक कोनहुँ महत्व नहिं ? जौं आनदिन सेहो जनकपुरक महत्व हमसब बुझितहुँ जनकपुरके दुर्दशा किया रहैत ? सामान्य दिनमे दूर्गन्धित अव्यवस्थित शहरक नमूना लगैत जनकपुरमें विषेश दिन या महोत्सवमें मात्र डेन्टपेन्ट कऽ कऽ हमसब कि देखबऽ चाहैत छी ?
कोनहुँ पार्टीक महाधिवेशन या सम्मेलन जनकपुरमें होइत अछि ओहि पार्टीक नेता कार्यकर्ता जनकपुरके जीजानसँ लागिकऽ सजवैत अछि विवाहपञ्चमी या परिक्रमा सन धार्मिक प्रयोजनकलेल गुठी संस्थानक माध्यमसँ निजी स्तरसँ मठमन्दिरसब खर्च कऽ जनकपुरके सजाओल करैत अछि तहिना मिथिला महोत्सव सन सन काजकलेल वृहत्तर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषद अपन साधनश्रोतसब परिचालन कऽकऽ जनकपुरके सजएवामे कोनो कसर बाँकि नहि रखैत अछि अवस्था अर्थात जनकपुरके सजएवाक काज प्रत्येक मास÷एक वर्षपर होइते रहैत अछि, जाहिमें लगभग सऽभ मिलाकऽ करोड़ो रुपैया खर्च भऽ जाइत अछि फेरफेर हमसब एहि खर्चके निरन्तरता देवामे अपनाके गर्वान्वित महशुश करैत छी मात्र मात्र क्षणिक प्रशंसाकलेल जनकपुरके सजएबाक काज हमसब कहिया धरि करैत रहब ? सम्मेलन÷महोत्सवक बाद जनकपुरके किया सम्मेलन÷महोत्सवक आयोजक सबके जनकपुर बिसरा जाइत छन्हि ?
जनकपुरक विकासकलेल दीर्घ योजना नहि बनऽमें कोन कारण अछि ? बेरबेर जनकपुरेक सजाबऽमे जे खर्च कएल जाइत अछि से ठोसरुपसँ एकैबेर किया नहि करबाक सोंच किनकोमे अवैत अछि ? कोनो विषेश प्रयोजमे नीक सामान्य दिनमें अशान्त, अव्यवस्थित दूर्गन्धित रहऽवला जनकपुरके, सऽभ दिनलेल किया नहिं नीक आकर्षक÷मनमोहक बनाओल जाऽ सकैया ?
सम्मेलन÷महोत्सवक वाहेक जनकपुरक विकासके ध्यान नहिं देवाक कारण बहुतो भऽ सकैय राजनीतिक पार्टीक नेता सबहक गैर जिम्मेवारीपन, स्थानियवासीक जनकपुरक विकासमे अभिरुचि नहिं लेब, राज्यद्वारा जनकपुरके उपेक्षाक सिकार बनाएब, सार्वजनिक सम्पतिके व्यक्तिगत प्रयोजनमे नेता, मठाधिश सबद्वारा प्रयोग करबाक प्रवृति एहिके अतिरिक्त जनकपुरक विकास नहिं होएबामे एकटा प्रमुख कारण अछिएक्कहिटा काजक नामपर फेरफेर खएबाक मनोवृति किछुलोक एहनो छथि जिनकर सोंच रहैत छन्हि जे काज जौं एक्कहि वेरमे नीक भऽगेल फेरसँ ओही नामपर पाई नहि निकालल जा सकैय, ताँए काज एहन कमजोर हुए जे फेरफेर करबाक मौका अवैत रहय किछु काज जनकपुरमे एहनो देखलगेल जे दोसर प्रमुख जौं कऽदेने अछि ओकरा फेरसँ तोरबाओलगेल पुनःनिर्माणक नामपर बजेटके उड़यबाक काज सेहो भेल सबसँ प्रमुख बात अछि जे हमसब जनकपुरक विकासके नामपर कमाए चाहैत छी, कि वास्तविकरुपमे जनकपुरके विकास करऽ चाहैत छी ? ताइमे प्रष्ट होमय पड़त
मिथिला महोत्सव मनाएब बहुत नीक बात अछि, मुदा निर्भर करैत अछि एकरा आयोजन करबाक मनसाय पर जौं वास्तविक रुपमे मिथिलाक संस्कृति, मैथिली भाषाक विकासक लेल एहि तरहक आयोजन होइत अछि स्वागत योग्य प्रशंसनिय काज अछि जौं अपना पार्टीक नेताके चाकड़ी करबाकलेल, एकर नामपर बजेट खएवाकलेल मात्र सुरखुरु बनवाक मनसायसँ महोत्सवक आयोजन कएल जाइत अछि मिथिला एवं जनकपुरकलेल ओहिसँ पैघ दुर्भाग्य किछु नहि होएत चार दिनकी चान्दनी फिर अँधेरी रातजे हिन्दीक कहवी अछि सैह जनकपुरके नियति बनल अछि जनकपुरके एहिसँ उठएवाक दायित्व कि एहि तरहक सम्मेलन÷महोत्सवक आयोजककेँ नहिं ? जनकपुर, मिथिला मधेशक राजनीतिकके प्रमुख केन्द्रक रुपमे रहल अछि जनकपुर मिथिला, मधेश, नेपाल सम्पूर्ण हिन्दू सबहक परिचायक अछि जौं जनकपुरके सबदिनलेल स्वच्छ व्यवस्थित हमसब राखऽसकहुँ जनकपुरके परिचय करेबाकलेल सम्मेलन महोत्सव अएनाइ या मनेनाई जरुरी नहि रहि जायत मात्र सम्मेलन महोत्सवमे जनकपुरके सजाएव अखन कौआके बकुला बनाएब जकाँ हाँस्यास्पद काज मात्र प्रतीत होइत अछि किया अनदिना अर्थात सम्मेलन महोत्सवक बाहेकदिनक जनकपुरक हमरा सबके वास्तविक परिचय दैत अछि
कहियाधरि जनकपुर नीक बनवाकलेल सम्मेलन महोत्सवेके बाट जोहैत रहत ? हमसब सोंचव की ?

No comments:

Post a Comment