Thursday, April 29, 2010

मधेशमे विशेषरुपसँ पत्रकारिताक प्रशिक्षणक व्यवस्था होएबाक चाही


सुनिल रञ्जन सिंह, वरिष्ट उपाध्यक्ष(मधेशी पत्रकार समाज नेपाल)
आसिन २३,२४ आ २५ गतेक काठमाण्डूमे सम्पन्न मधेशी पत्रकार समाजक पहिल महाधिवेशन मोहन कुमार सिंहक अध्यक्षतामें नयाँ कार्यसमितिक चुनाव सर्व सम्मतिसँ कएलक अछि । नव कार्य समितिक वरिष्ट उपाध्यक्ष रहल सुनिल रञ्जन सिंह सँग काएलगेल बातचीतक किछु अंश प्रस्तुत अछि ।
प्र. सबसँ पहिने फेर दोसरवेर वरिष्ट उपाध्यक्षमें चुनल गेलहुँ ताइकेलेल बधाई अछि ।
उ. धन्यवाद । ई सब सम्पूर्ण साथीके हमरा उपर विश्वासक फल छियै । एहिसँ आओर हमरा उपर जिम्मेवारी बढ़ल महशुश भऽ रहल अछि ।
प्र. समग्रमें सम्मेलन केहन रहलैक ?
उ. ठीके ठाक रहलैक, किछु विवादक अलावा ।
प्र. कोन तरहक विवाद ?
उ. ओहन पैघ विवाद त नहिंए, हँ आर्थिक कारोवार आ नव कार्य समितिमें एक÷दूगोट पुराने चेहराके ल कऽ जिल्लाक साथीसबके अध्यक्षजीसँ मतभिन्नता रहलनि । जिल्ला आ केन्द्रक बहुत साथीसब अखुनका महा सचिव अनन्त मेहताके राखऽ नईं चाहैत रहथिन मुदा अध्यक्षजीक हठसँ पुनः हुनका राखल गलनि सैह दुःखद पक्ष एहि महाधिवशनके बनल, आर सब नीके रहलैक ।
प्र. आँहा सब कोन तरहक पत्रकारक विकास चाहैत छियैक ?
उ. सबसँ पहिने त मधेशी पत्रकार सब अपनेमें नीक चरित्रक होएबाक चाही । पत्रकारक नामपर कमिशन खोर आ घुसियाहा सबपर अंकुश लगवाक चाही । नेपालक हरेक सञ्चार गृहमें मधेशी पत्रकार सबहक स्थान सेहो सुनिश्चित होएबाक चाही । मधेशी पत्रकार सबहक समस्याके राज्यद्वारा सम्बोधन होएबाक चाही । मधेशीए भेलाक कारण कोनो पत्रकार अवसर या सुविधासँ वञ्चित नईं होएबाक चाही । मधेशमे विशेषरुपसँ पत्रकारिताक प्रशिक्षणक व्यवस्था राज्य आ सम्बन्धित निकायद्वारा कएल जेवाक चाही । एहि सबपर हमर सबहक ध्यान केन्द्रित रहल अछि ।
प्र. कि बुझाइय, राज्य आ सम्बन्धित निकाय आँहा सबहक माँगके सम्बोधन करत ?
उ. हमरा सबहक माँगके सम्बोधन करहिटा पड़तैक । कि मधेशी पत्रकार नेपाली नागरिक नईं छियैक ? जखन वएह सुविधा एकटा पहाड़ी पत्रकारके भेटि सकैय तहन मधेशी पत्रकारके किएक नहिं ? जौं हमरा सबहक माँगके वेवास्ता कएलगेल त ओसब संघर्षक सामनालेल तैयार रहओ।
मनोज झा मुक्ति

No comments:

Post a Comment