Thursday, April 29, 2010

सरकार संविधान आ मधेशवादी दल

मनोज झा मुक्ति
संविधान सभासँ नवका संविधान बनबाक लक्षणसभ देखवाक काज शुरु भऽगेल अछि । सभ समितिसब अपन अपन मस्यौदा संविधान सभामे बुझादेलक जे देरियोसँ सही साकारात्मक कदम अछि । मुदा सबसँ पैघ प्रश्न अछि जे संविधान त बनत, मुदा केहन बनत ? ताईपर सबहक नजरि टिकल अछि । किछु गोटे त संविधान कोन तरहक होएत ताइपर ठोकुआ करऽमे सेहो पाछा नई छथि ।
संविधान सभा चुनावमे सब दलसब जनताक भोंट अपना दिस आकर्षित करबाकलेल कोनो कसर बाँकि नई छोड़लक । जनताके जतेकधरि अपना दिस आकर्षित कएलक ताहि अनुरुप सीटो भेटलैक । संविधानमे जनताक हक अधिकार सुरक्षित करबाक नामपर भोंट लऽ कऽ आएल पार्टीक नेतासब नेपाली जनताके फेरसँ ठगवामे सफल रहल से अखन ओसभ प्रमाणित कऽरहल छथि ।
विषेश कऽ मधेशीक नामपर, मिथिला, भोजपुरा आ अवधक नामपर जनतासँ मत पाविकऽ संविधान सभामे पहुँचल नेता सब पैघ ठगक रुपमे राजनीतिक रंगमंचपर नृत्य करैत नजरि अवैत अछि । सबसँ पैघ मधेशवादी दलके रुपमे निर्वाचित भऽकऽ आएल मधेशी जनाधिकार फोरम नेपाल कुर्सीक चक्करमें अविते लागि गेल आ कुर्सीएकलेल पार्टी फुटि सेहोगेल । जहिया फोरम सरकारमे छल तहिया सरकारेमे रहिकऽ संघर्ष करबाक बात कहैत छल । सरकारमें रहियो कऽ एक्कौहु टा मधेश आ मधेशीकलेल काज नई कराबऽ सकल । जे मन्त्रालय अपनो भेटल रहैक ताहुमे सरकारक प्रमुख रहल एनेकपा माओवादी अपने पार्टीक भर्ती केन्द्रक रुपमे प्रयोग फोरमके केलक । ओना एक या दू टा राजनैतिक नियुक्ति अपना अपनैतके कराबऽमे फोरम सफले रहल, मुदा मधेश मुद्दा कुर्सीक तरमे जँतागेल । ताहि सरकारमे सदभावना पार्टी सेहो सहभागी रहल जे अपनाके मधेशक सबसँ पुरान पार्टी कहबामे सबसँ आगु रहैत अछि । सदभावना सेहो फोरमक छोट भ्राताक भूमिका नीक जकाँ निर्वाह कएलक । जखन फोरम आ सदभावना सरकारमें छल, तमलोपा लगायतक दल मधेशीक अधिकारलेल आन्दोलनक धौंस दैत आविरहल छल । ओना आन्दोलनक प्रयास सेहो कयलक ।
एकिकृत नेकपा माओवादीक सरकार हटलाकबाद एमालेक अगुआईमे बनल सरकारमे ‘नयाँ शीशीमे पुरना शराब’ जकाँ फोरमक सदैव मन्त्री बननिहारक समूह अपन पार्टी फोरिकऽ, तमलोपा आ सदैव सत्ताक प्रेमीक रुपमे जानल जाइत सदभावना सरकारमे शामील भेल ई कहैत जे मधेशीक अधिकार सुरक्षित करब । मुदा, अईबेरक सरकारमे त मधेशी जनताके पहिलुको बेरस पैघ झटका लागि रहल अछि । मधेशीक नामपर मधेशीके लुटबाक काजमे दिनानुदिन बढोत्तरीए भऽ रहल अछि । अई सरकारमे सहभागि मधेशवादी दलसब एमाले आ काँग्रेसक आगा दयनिय अवस्थामे नजरि आबि रहल अछि ।
एमाले या काँग्रेस अपना मन्त्रालय सबहक नियुक्ति सबमेंसँ एक्कौटा मधेशवादी दलके छुअ नई दऽ रहल अछि त मधेशवादी दल सबके भेटल मन्त्रालयमे एमाले आ काँग्रेस जबरदस्ती दादागिरी कऽ कऽ सीट लैत अछि । जौं ई कही जे ‘मधेशवादी दलके एहि सरकारमे नोकरक स्थान अछि’ त अन्यथा नई होयत । अखन सरकारमें सहभागि मधेशवादी दलसब सत्ता आ कुर्सीक खेलसँ बाहर नहि आबि सकल अछि त संविधानके बात सबहकलेल बन्द किताबक पन्ना जकाँ भऽगेल अछि । सरकारमे सहभागि मधेशवादी दल भितरमे सरकारी पाइ खएबामे मस्त अछि त सरकारसँ बाहर रहल मधेशी जनाधिकार फोरम नेपाल फेरसँ मधेशीक हक आ अधिकारकलेल कहैत आन्दोलन के घोषण कएलक अछि ।
तहिना सरकारसँ बाहर रहल नेपाल सदभावना पार्टीक सरिता गिरीके नजरिमें ‘मधेश आन्दोलन’ भेले नई छैक । ताएँ त ओ ‘मधेश आन्दोलन’ शब्द संविधानमे रहबाक चाही तकर विपक्षमें गेलीह आ हुनका सँग देलकनि नेपाली जनता दलक गायत्री साह ।
संविधान निर्माणके अन्तिम चरणमे सेहो मधेशवादी दलसब सत्ताकलेल ककरो सहयोग आ ककरो असयोगक खेलमे व्यस्त छथि । केओ ककरो पछुआ बनल अछि त केओ ककरो । एहन स्थितिमे कि आब फेरसँ मधेशी जनता हिनका सबके सोझा होयतनि.....?

पम्पलेट

जलेश्वर चलें । जलेश्वर चलें ।। जलेश्वर चलें ।।।
‘छुट गए तो लुट गए’
कबतक गुलाम रहोगे ?
आप और आपके बेटों भतीजो ने मिलकर मधेश आन्दोलन किया, कई मधेशके बेटा अपना शहादत दिया । मधेशके लोग आशावादी थें कि शायद अब अधिकार मिलेगी । हमे भी अपने देशमे बराबरीका दर्जा मिलेगी, देशके सभी अंगमे हमारी भी समानरुपसे प्रतिनिधित्व होगी । क्या हमें सबकुछ मिला ? या कितना मिला ?
दोस्तों, मधेश आन्दोलन और वीर मधेशी शहीदोके बलीदानके बदले कुछ उपलब्धियां जरुर हुई जो अपनेके मधेशीका हमदर्द बतानेवाले मधेशवादी दलके कुछ नेता और बडे–बडे पार्टीके मधेशी नेता ने झपट लिया । हमने जिसे अपना हमदर्द समझा वही हमारा व्यापार करने लगा । मधेशके नामपर मधेशी नेता तो हमें लुटही रहा है, अब पहाडी नेता भी हमदर्दका खोल ओढ़े हमे बर्बाद करने पर तुला है । और यह सरकार ऐसे–ऐसे अपराधी, लुटेरोंको साथ देनेके लिए मधेशमें विषेश सुरक्षा नीति नामसे मधेशकेलिए जनविरोधी कार्यक्रम लाया है ।
विषेश सुरक्षा नीति कोई बुरा कार्यक्रम नहीं है, लेकिन सदियोंसे मधेश को अपना जमिन्दारी और मधेशी जनताको अपना गुलाम समझते आरहे उच्च पहाडिया अहंकारवाद वाले शासक मनस्थितिके लोगों ने अपना सोचे समझे चालके रुपमें मधेशमे इसे लागु किया है । और उनके मनसुबेको साकार बनानेमे हमारे हिं कुछ मधेशी भाई उनलोगोंका चमचा बने हुए हैं ।
दोस्तो, ईन प्रश्नपर जरा गौर किजिए.....
ड्ड क्या सुरक्षा नीतिमे जवरदस्ती किसीके घरमे घुसकर पीटना लिखा गया है ?
ड्ड क्या अन्यायका विरोध करने वालोंको जेलमे रखने के लिए यह नीति है ?
ड्ड क्या सुरक्षा नीतिके तहत अपने लिए बोलनेवाले अपराधी होते है ?
ड्ड क्या सिर्फ मधेशमे हिं स्थिति असमान्य हैं, जन जीवन त्रसित है पहाड़मे नही है जो मधेशको संवेदनशील कहते हुए सुरक्षा नीतिके तहत मधेशको फिरसे दबाया जा रहा है ?
नही तो क्यूँ हम चुपचाप हैं ? आपको यदि लगता है यह ठीक है तो कोइबात नही । यदि आपमे थोड़ा भी मानवता और समझ है, आप अपने आपको मनुष्य समझते है तो कदापी यह सुरक्षा नीति आपको अच्छा नहि लगेगा ।
आदरणिय मित्रों, अब वारी आगई है आपको अपने और अपने भावी सन्ततीके वारेमे सोचनेका । आइए हमारे उपर वक्रदृष्टि रखकर मधेशमे सुरक्षा नीति लागु करने वालो और उसको समर्थन करने वालोकों सबमिलकर चेतावनी दें ।
भाइयों एवं बहनों अगहन १२ गते जलेश्वर चले और मधेशको बचाएँ ।

छठि महान लोकतान्त्रिक पावनि

सँसारक प्रत्येक ठाम मनाओ जाएबला हरेक पावनि तिहारक अपन अपन महत्व रहैत अछि । मूदा सब तरहें छठि पावनि विशिष्ट रहल अछि । जहिया लोकतन्त्र,प्रजातन्त्र या गणतन्त्र शब्द सँ केओ परिचित नई रहल हेताह, ताही समयसँ लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र या गणतन्त्रक प्रयोगात्मक रुप सँसारके देखवैत आएल अछि छठि पावनि । किया त मानव सभ्यताक विकाश जहिया सँ शुरु भेल तहिये सँ छठि पावनिके शुभारम्भ भेल बात प्रमाणित भऽ गेल अछि ।
छठि पावनिमे कायल जायबला हरेक विधानके देखल जाय त ताहिमे लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र या गणतन्त्रक सफल प्रयोग भेटत ।जकरा समाज या समाजक लोक एक प्रकारे छोडि दैत अछि या कहु कोनो काजक नई मानैत अछि, तकरा सेहो एहि छठि पूजामे उच्च सम्मान देल जाइत अछि ।
कोन तरहें छठिक हरेक विधि विधान, सँस्कार सँस्कृतिमे लोकतन्त्रक प्रयोग, कोनाकऽ ?
©सूर्यक आराधना....
सूर्य प्रत्यक्ष फल देवऽबला देवताक रुपमें सगरो पूजित छथि । एहि सँसारमे रहल प्रत्येक सजिवके सूर्य भगवान जीवन दैत छथिन्ह । ताहि कारण सँ सँसारमे सबठाम सूर्यके पूजा कायल जाइत अछि ।
एकटा प्रसिद्ध कहबि छइ– “उगैत सुरुजके सब प्रणम करैत छैक” या “सब हेओ उगिते सुरुजके प्रणम करैत अछि ।” मूदा छठिमे डुबैत या अस्त होइत सुरुजके सेहो ओतबे निष्ठासँ पूजल जाइत अछि । एहिसँ ई स्पष्ट होइत अछि जे प्रजातन्त्र, लोकतन्त्र या गणतन्त्रमे सबहक सँग समान व्यवहार होयबाक चाही से बात छठि पावनि उगैत आ डुबैत सूर्यके पूजाक माध्यम सँ प्रमाणित करैत अछि ।
©छठि पावनिक प्रसादमे लोकतान्त्रिक मmलक....
छठि पावनिमें दिनकर दिनानाथ या छठि मैयाके अर्पण कायल जाएबला प्रसादमें सेहो लोकतान्त्रिक प्रयोग भेटत ।
गम्हरी धानक प्रयोग एक प्रकारे समाजसँ उठिगेल अछि । समान्य दिनमे जिविकोपार्जनक क्रममें गम्हरी धानक प्रयोग केओ नई करैत अछि, मूदा छठि पावनिमे सबसँ जौं पैघ सम्मान भेटल अछि त गम्हरीके । तहिना प्रायः उपलब्ध रहल सब फलफूलके सम्मानके सँग भगवानके अर्पण कायल जाइत अछि ।
गाम समाजमे अछोप मानल जायबला “डोम” जातिके बुनल बियनि, सुपती, सुप आ छिट्टीके बिनु छठि पावनि समभव नई भऽ सकैया । लोकतन्त्रक सफल प्रयोगक उदाहरण एहि सँ पैघ कतऽ भेटत ?
©जलाशय किनार( छठिक घाट) में लोकतान्त्रिक करण....
छठि पावनि, बिनु जलाशयके सम्भव नई होइत अछि । गामक सब जाति एवं वर्णक लोक एकैठाम जम्मा भऽ क ई पावनि सम्पन्न करैत छथि ।(जतऽ इनारमें एकटा सवर्ण पानि भरैत कालमे एकटा अछोप ठाढ भ गेल त पानि अशुद्ध भेल मानल जाइत अछि) ओतऽ समाजक सब जाति एक्कहिठाम रहैत छथि, एक्कहिटा जलाशयमे ठाढ भऽ सब कियो छठि मइयाके पूजा करैत छठि । जाहि तरहें लोकतन्त्रक परिभाषामें जाति–पातिक भेदभाव नई होएबाक चाही से कहल अछि तकर सफल प्रयोग छठि पावनिमे देखल जाइत अछि ।
©नटुआ नाच...
समाजक लोकसब विभिन्न मनोकामना पूर्ण होयबाक लेल आँचरपर नटुआ नचयबाक कबुला कयने रहैत छथि । जाहि अनुसार मनोकामना पूर्ण भेलाकबाद छठिक घाटपर कबुला अनुसार अपना–अपना आँचरपर नटुआ नचबैत छथि ।नटुआ बनल व्यकित समाजमें अछोप मानल जाएबला जातिक होइतो अपनाके सवर्ण कहयनिहार महिलासब उत्साहित भऽ अपना आँचरपर नटुआके नचबैत छथि । एत जाति–पातिक भेदभावक कनिको स्थान नई देल जाइत अछि ।
©अर्घपर दूधक ढार...
छठि पावनिमे कायलगेल कबुला अनुरुप जलाशयके किनारमे बनाओलगेल घाटपर राखलगेल अर्घपर गायक दूधके ढार देल जाइत अछि । इनार या कलपरसँ माटिक बासनमे लऽ जाइत पानि जौं कोनो अछोप स्पर्श कऽ दैत अछि त ओहि बासनके सेहो फेकि देल जाइत अछि अपना समाजमें । मूदा छठिक घाटपर राखलगेल अर्घपर एकटा चमार, डोम या कोनहुँ अछोप मानल जायबला जाति जौं दूधक ढार दैत अछि तऽ ककरो कोनहँु आपत्ति नई होइत छैक आ ताई प्रसादके श्रद्धापूर्वक सबकेओ ग्रहण करैत छथि । कि लोकतन्त्रक सफल प्रयोग नई अछि ई ?
समाजक सब व्यक्ति एक्कहिठाम जम्मा होएब, सबहक मत अनुसारे एक्कहिटा काज होयब, जत केओ उँच–नीच नई, केओ छोट–पैघ नई से प्रत्येक वर्षमें हमरा सबके याद करबैत अछि छठि पावनि । स्वस्थ्य जीवन यापन करबाकलेल अपन शरीरक, अपन घर–दुवारिक आ प्रयोग कायल जाएबला हरेक वस्तु शुद्ध आ सफा रहबाकचाही से स्मरण करबैत अछि छठि पावनि हमरा सबके । मूदा दुखद पक्ष ई अछि जे एतेक सफल लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र या गणतन्त्रक प्रयोग हमसब प्रत्येक वर्ष त मनबैत छी, सबठाम लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र आ गणतन्त्रक भाषण दैत छी, मूदा जीवनक यात्रामे व्यवहारमें लागु नई करैत छी ।
जौं वास्तविक रुपमें हमसब लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र या गणतन्त्रक अनुयायी छी त प्रत्येक वर्षक एकदिन ( छठिक दिन) मात्रे नई कि जीवनक हरेक क्षणमे एकरा लागू करी । सबदिन छठिए दिनके व्यवहार अनुसरण करी त लोकतन्त्र, प्रजातन्त्र या गणतन्त्रक पाठ मधेशवासी सम्पूर्ण सँसारके सिखाओत ।

२. छठिक गीत


काँचही बाँसके मन्दिरबा
कञ्चन लागल केबाड
ताही पैसी सुतलनि सुरुज देव
माय बेनिया डोलाय

उठबय गेलखिन्ह चन्द्रमा बहिनो
उठू भैया भएगेल भोर
हमे कोना उठियौ हे चन्द्रमा बहिनो
आजु जाँचुक बेर

सत्तीके सत्त हम जाँचब
आजु धिरे धिरे आएब
पापीके सत्र भँगठायब
आजु जाँचक बेर
काँचही बाँसके मन्दिरबा
कञ्चन लागल केबाड
ताही पैसी सुतलनि सुरुज देव
माय बेनिया डोलाय

उठबय गेलखिन्ह चन्द्रमा बहिनो
उठू भैया भएगेल भोर
हमे कोना उठियौ हे चन्द्रमा बहिनो
आजु जाँचुक बेर

सत्तीके सत्त हम जाँचब
आजु धिरे धिरे आएब
पापीके सत्र भँगठायब
आजु जाँचक बेर
३. छठि व्रतक कथा
एक समयमे नैमिषारण्यमे सर्वशास्त्रज्ञ शौनक मुनि सूतजी सँ जिज्ञासा कयलनि¬ एहि पृथ्वीपर जे लोक सब तरहक रोग सँ ग्रस्त अछि, ककरो सन्ताने नहि होइत छैक, त ककरो पुत्र अल्पायुमे मरि जाइत छैक तकरा लोकनिक दुःखक नाश कोना हेतैक ? सूतजी ताहि पर कहब प्रारम्भ कयलनि । ठीक इएह बात सत्यव्रती भीष्म पुलस्त्य मुनि सँ पूछने छलखिन से हमरा बुमmल अछि । ई कथा कहनाहर आ सुननाहर दुनूक पापक विनाश होइत छैक । प्राचीन कालमे एकटा बलवान आ इष्र्यालु दुष्ठ क्षत्रिय राजा छलाह । हुनका पूर्व जन्मक पापे कुष्ठ भऽ गेलनि । हुनका यक्ष्मा रोग सेहो धऽ लेलकनि । ओ एहन जिन्दगी सँ मरण नीक बुमिm गेलाह । ठीक ओही समयमे एकटा शास्त्रज्ञ, धर्मात्मा, तेजस्वी ब्राम्ह्ण ओहिठाम पहुँचलाह । राजा हुनका देखि अत्यन्त प्रसन्न भेलाह । हुनक पूर्ण स्वागत सत्कार कएलनि आ विनम्रसँ प्रश्न कयलनि जे हम कुष्ठ आ यक्ष्मा रोग सँ पीडीत छी । कियो पुत्र विहीन छथि । कोनो व्क्तिक सन्तान नहि जीवैत छनि । एहि स्त्रीके पति त्यागि देने छैक । एहि सभ दुःखक कि निदान ? तखन ओ ब्राम्ह्ण विचारलनि जे सुर्यदेव लोकक सब तरहक पापके नाश कऽ ओरोग्य प्रदान करैत छथि । तैं ओ राजा के कहलदिन जे आहाँलोकनि सुर्यक व्रत करैत जाउ अवश्य कल्याण होएत । तखन ओ ब्राम्ह्ण हुनकालोकनिके पञ्चमीक खरनासँ लऽ सप्तमीक प्रात कालक अर्घ( छठि व्रतक पूर्ण विधान ) बुमmौलनि । ओ सब ओही तरहे केलनि तँ सभक क्लेश दूर भऽ गेलनि । तकर बाद एकटा जे एकटा नीक वंशक ब्राम्ह्ण दरिद्र, मूर्ख अविवाहित छलाह ओ एके वर्ष ई व्रत कएलनि तँ ओ अत्यन्त यशस्व ीओ सुखी भऽ गेलाह । ओ राजा सेहो जखन पाँच वर्ष व्रत कएलनि तखन हुनको मन्त्री सब अपनामे विचारि राजा लग आबि हुनका अपन सभक अगुआ बना कऽ सेना लऽ विद्रोहीके मारि भगौलनि आ राजा पूर्वे जकाँ निष्कंटक राज्य करए लगलाह ।
अतः जे केओ ई ब्रत कएलनि सब मनवांछित फल प्राप्त कएलनि । जे केओ ई व्रत कऽ कथा सुनि शक्ति अनुसारे कथावाचककेँ दक्षिणा देती तिनका सब तरहक क्लेश दूर भऽ जेतनि ।
कथा सुनलाक बाद पूजित देवताके प्रणम कऽ विसर्जन कऽ ब्राम्ह्णकेँ दक्षिणा आ प्रसाद दऽ व्रती पारण करथि ।


४. छठि व्रत करबाक विधान
छठि व्रत सप्तमी युक्त षष्ठीमे कायल जाइत आछि । सुर्यक पहिल अर्घ ओहि दिन देल जाइत अछि जाहि दिन उदयकालमे कनिओ काल षष्ठी पडैत छैक । तहिना उदय कालमे कनिओ काल सप्तमी रहला पर दोसर अर्घ देल जाइत अछि । छठि पावनिमे सुर्य भगवानक पूजा कायल जएबाक कारणे साँमmमे षष्ठीमे पहिल अर्घ आ प्रत काल सप्तमीमे दोसर अर्घ देल जाइत अछि । जे वस्तु साँमmमें अर्पित काएल जाइत अछि सएह भिनसरमे सेहो । आरोग्य लाभ एहि व्रतक मुख्य उद्देश्य अछि ।
छठि व्रत कयनिहर सब चौठके नहा कऽ अर्वा¬अर्वाइन खाइत छथि , पंचमी दिन दिनभरि उपवास राखि सायंकाल नव चूूल्हि पर नव कोहामे अरबा चाउरमे गूड दऽ पायस बनबैत छथि तकरा डालीक अनुसार अथवा एके ठाम उत्सर्ग कऽ अपनो खाइत छथि आ प्रसादो बँटैत छथि । षष्ठी दिन व्रत कएनिहार सब साँमmुक पहर नित्यक्रिया सँ निवृत्त अर्घ देबाक रहैत ततेक डाली, सूप वा ढाकनमे अर्घ सामग्री जेना¬ ठकुआ, भुसवा,केरा, फ, फूल, पान, सुपारी, धूप, दीप, अँकुरी जुटालैत छथि ।
पवनैतिन सब एहि मन्त्र सँ संकल्प लैत छथि¬ “नमेऽद्य कार्तिक मासीय शुक्ल पक्ष्ीय पाष्ठम्यां तिथौ ( अपन गोत्रक नाम लऽ क) जनम¬जन्मान्तरार्जित ज्ञाताज्ञात कायिक वाचिक मानसिक सकल पाप कामावाप्ति¬काम अद्य प्रातश्च सूूर्यायार्घमहं दास्ये ।” तखन अक्षत लऽ¬“ नमो भगवन सूर्य इहागच्छ इहतिष्ठतः ,कहि सराइमे अक्षत राखि जल लऽ¬ “एतानि पाद्यार्घाचमनीय स्नानीय पूूनराचमनीय नमो भगवते श्री सूर्यनारायणय नमः कहि जल चढा फूलमे लाल चानन लगा, लाल फूल, दूबि, अक्षत पकवान सहित जल लऽ सूर्य के देखैत नमोस्तु सुर्याय नमः ।” कहि सब डाली उत्सर्ग कऽ घर चल अवैत छथि आ पुनः सब सामान उत्सर्ग कऽ कथा सुनैत छथि ।




६. सूर्यदेवता के अनेक नाम
सूर्य, दिनमान, अंजिष्ट, अंघकारी, अंबर मणि, अंबरस्ष, दिनमाली, दिनेश, दिवाकर दिवा, अंशुघर, अंशुमाली, अकूरवार, अग, अदिती, देवमणि, धुपति, युमणि, घाम, नग, नभोमणि, सुत, अन्नपति, अरणि, अरविंद बंधु, अरुण, पद्मकारी, पद्मपाणि, पद्मबंधु, पद्रमिनी, कांत, अरुण, सारथि, अर्यमा, अहमणि, आकाश, पावक, पुष्कर, पूषा, प्रकाशात्मा, प्रजापति, पथिक आदितय, उष्णरश्मि, ओषधि, गर्भ, प्रधोत, प्रभाकर ,भानु, भास्कर मणि, कपिंजल ,कमलबंधु, कमलिनि कांत, कमलिनी कुल वल्लभ, करमाली कर्मसाक्षी, कवि, कालचक्र, किरण पणि, खग ,खतिलक, खधोत, खेचर , गगण विहारी, गगन मणि, गोपति, ग्रहपति, चंडरश्मिी, चित्रभानु, जनचक्षु, जिवितेश, ज्योतिक्ष्मान, ज्वालमाली, तपनांशु, तरणि, तीक्ष्णंशु, त्रिलोकेश्वर, दिनकर, दिनकांत, दिनपति, दिनमणि, मरीचिमाली, मरीची, मार्तड, मित्र, मिहिर, मेह, मैत्रेय, यज्ञेश, यमुना जनक, रवि, रित, लोक, बंधु, वरुण, विभाकर, विभावसु ,वेदोय, सप्ताश्व, सविता, सवितृ, सहस्त्रांशु, सांवत्सर रथ, सुर, सुरोत्तम, सुरज, सूरि, सूर्यनारायण, सोमबंधु, स्वणरिता, हंस, हरिवाहन, हिरण्यरेतिा, हेलिर ।

मनोज झा मुक्ति

मधेशमे विशेषरुपसँ पत्रकारिताक प्रशिक्षणक व्यवस्था होएबाक चाही


सुनिल रञ्जन सिंह, वरिष्ट उपाध्यक्ष(मधेशी पत्रकार समाज नेपाल)
आसिन २३,२४ आ २५ गतेक काठमाण्डूमे सम्पन्न मधेशी पत्रकार समाजक पहिल महाधिवेशन मोहन कुमार सिंहक अध्यक्षतामें नयाँ कार्यसमितिक चुनाव सर्व सम्मतिसँ कएलक अछि । नव कार्य समितिक वरिष्ट उपाध्यक्ष रहल सुनिल रञ्जन सिंह सँग काएलगेल बातचीतक किछु अंश प्रस्तुत अछि ।
प्र. सबसँ पहिने फेर दोसरवेर वरिष्ट उपाध्यक्षमें चुनल गेलहुँ ताइकेलेल बधाई अछि ।
उ. धन्यवाद । ई सब सम्पूर्ण साथीके हमरा उपर विश्वासक फल छियै । एहिसँ आओर हमरा उपर जिम्मेवारी बढ़ल महशुश भऽ रहल अछि ।
प्र. समग्रमें सम्मेलन केहन रहलैक ?
उ. ठीके ठाक रहलैक, किछु विवादक अलावा ।
प्र. कोन तरहक विवाद ?
उ. ओहन पैघ विवाद त नहिंए, हँ आर्थिक कारोवार आ नव कार्य समितिमें एक÷दूगोट पुराने चेहराके ल कऽ जिल्लाक साथीसबके अध्यक्षजीसँ मतभिन्नता रहलनि । जिल्ला आ केन्द्रक बहुत साथीसब अखुनका महा सचिव अनन्त मेहताके राखऽ नईं चाहैत रहथिन मुदा अध्यक्षजीक हठसँ पुनः हुनका राखल गलनि सैह दुःखद पक्ष एहि महाधिवशनके बनल, आर सब नीके रहलैक ।
प्र. आँहा सब कोन तरहक पत्रकारक विकास चाहैत छियैक ?
उ. सबसँ पहिने त मधेशी पत्रकार सब अपनेमें नीक चरित्रक होएबाक चाही । पत्रकारक नामपर कमिशन खोर आ घुसियाहा सबपर अंकुश लगवाक चाही । नेपालक हरेक सञ्चार गृहमें मधेशी पत्रकार सबहक स्थान सेहो सुनिश्चित होएबाक चाही । मधेशी पत्रकार सबहक समस्याके राज्यद्वारा सम्बोधन होएबाक चाही । मधेशीए भेलाक कारण कोनो पत्रकार अवसर या सुविधासँ वञ्चित नईं होएबाक चाही । मधेशमे विशेषरुपसँ पत्रकारिताक प्रशिक्षणक व्यवस्था राज्य आ सम्बन्धित निकायद्वारा कएल जेवाक चाही । एहि सबपर हमर सबहक ध्यान केन्द्रित रहल अछि ।
प्र. कि बुझाइय, राज्य आ सम्बन्धित निकाय आँहा सबहक माँगके सम्बोधन करत ?
उ. हमरा सबहक माँगके सम्बोधन करहिटा पड़तैक । कि मधेशी पत्रकार नेपाली नागरिक नईं छियैक ? जखन वएह सुविधा एकटा पहाड़ी पत्रकारके भेटि सकैय तहन मधेशी पत्रकारके किएक नहिं ? जौं हमरा सबहक माँगके वेवास्ता कएलगेल त ओसब संघर्षक सामनालेल तैयार रहओ।
मनोज झा मुक्ति

Saturday, November 14, 2009

मालपोतमे कर्मचारी मालामाल, के करत कारवाही ?



मनोज झा मुक्ति
देश पूर्णतया भ्रष्‍टाचारक दलदलमे जकड़ागेल अछि । नेपालकलेल भ्रष्‍टाचार कोनो नयाँ बात नहिं अछि, मुदा जन आन्‍दोलन दूक बाद देशमे भ्रष्‍टाचारक बाढ़िए जकाँ आबिगेल अछि । भ्रष्‍टाचारक एहि बाढ़िमे कर्मचारीसब मालामाल भऽ रहल अछि । ओना व्‍यापारी, पत्रकार, नेता आ देशक प्रायः निकाय एहि सँ अछुत नहिं रहल अछि, जेकरा जतऽ भेटैत अछि ओतहि लुटऽमे लागल अछि । भ्रष्‍टाचारक एहि बाढ़िमे बहुत मुश्‍किलसँ एकाध गोटे इमान्‍दार मनुख्‍ख भेटत, जकरा आजुक भ्रष्‍टाचारक माहौलमे बुड़िबकके संज्ञा भेटैत अछि

मधेश आन्‍दोलनकबाद मधेशमे जौं सभसँ बेसी फाइदा भेटल अछि त मधेशी कर्मचारीके । मधेशीक नामपर ओसब ब्रम्‍हलुट मचौने अछि । मधेश आन्‍दोलन आ तकराबादसँ दिनदुगुन्‍ना आ राति चौगुन्‍नाक हिंसावसँ खुजल शसस्‍त्र समूहक डरसँ मधेशक कार्यालयमे रहल अधिकांश पहाड़ी मूलक कर्मचारी अपन अपन सरुवा कराबिलेलक आ मधेशक कार्यालय सबमे स्‍थानिय मधेशी मूलक कर्मचारीके भ्रष्‍टाचारक नदि समुद्रमे परिणत भऽगेल । मधेशक कार्यालय सबहक हालति एतेक नाजुक भऽगेल अछि कि कर्मचारी खुलेआम घुस माँगिरहल अछि आ केओ किछु कहऽ नहि सकैया । कोनो जनता जौं किछु कहओ त कोनो ने कोनो दलक नेता आ ओहि कर्मचारीक अपन जातिपातिक लोक लाठी उठालैत अछि, जे भ्रष्‍टाचारक खेतीमे मलजलक काज कऽ रहल अछि । किछु जनता त घुस द कऽ आओर एकरा बढावा दऽ रहल अछि जल्‍दी जल्‍दी काज करेबाकलेल/अनैतिक काज करेबाकलेल, त अधिकांश जनता घुस देबाकलेल बाध्‍य भऽगेल अछि ।

भ्रष्‍टाचार कतेक चरम सीमापर पहुँच गेल अछि आ कोना खुलेआम भऽ रहल अछि तकर एकगोट उदाहरण महोत्तरी जिल्‍लाक जलेश्‍वर स्‍थित मालपोत कार्यालयक रवैयासँ देखल जाऽसकैय ।

मधेशमे रहल महोत्तरी जिल्‍लाक मालपोत कार्यालय सेहो मधेश आन्‍दोलनकवाद मधेशी कर्मचारीद्वारा खुलेआम लुटारहल अछि । मधेश आन्‍दोलन पश्‍चात महोत्तरीक मालपोत कार्यालय कामचलाउ रुपमे एकटा सुव्‍बाके सहारे चलि रहल अछि, ओहिना जेना राम भरोसे हिन्‍दू होटल । अखन महोत्तरी मालपोतक हाकिम बनल छथि मधेशीक नामपर मधेशीके लुटनिहार, कानूनी ज्ञानसँ अनभिज्ञ, कहुनाक सुव्‍बा बनल लाल देव राय । जे जनता पाइ नहि दैत अछि तकरा एतेक ने नियम कानून देखवऽ लगैत छथिन्‍ह जे जनता परेशान भऽजाइत अछि । कहबी जे छैक बन्‍दूक पकड़ा देलापर हवल्‍दार बनि जाइत छै सैह बातक प्रत्‍यक्ष उदाहरण बनल छथि लाल देव राय । मधेशीक नामपर हाकिम बनल कानूनक अक्षर नईं जनने आ पैघ कानुञ्‍चीके दावा कएनिहार लाल देव रायके कानूनी सल्‍लाहकार बनल अछि महोत्तरी मालपोतक खरिदार.......।

महोत्तरी जिल्‍ला मालपोतमे घुसक वर्णन करैत गा.वि.स. हाथीलेटके युवा पिताम्‍वर महतो कहलनि,‘हम काज कराबऽ मालपोतमे गेलहु त काज एकदिनमे नहिं भेल । दोसर दिन जहन ११/१२ बजे गेलहुँ त काज भेलाकवाद कार्यालयक खरिदार पदमे कार्यरत कर्मचारी सुशील ठाकुर भोरे भेलाक नाते नीकेसँ बोहनी करेबाक लेल कहलथि । एक्‍कहिटा सुशिल ठाकुर नहिं प्राय ः सब कर्मचारिक इहे रबैया ओतऽ देखवामे आओत ।

पंक्‍तिकार स्‍वयं एकटा काज लऽ कऽ एभिन्‍यूज महोत्तरी सम्‍वाददाता कमलेश मण्‍डलक संग महोत्तरीक मालपोतमे पहुँचल छल, एकटा कागज लेवाक छल हमरा सबके । जहन कागज भेटिगेल त ओतहिके कर्मचारी तेजनारायण झा अखनधरि बोहनी नहि भेल बात कहैत पाई मांगि बैसलाह । एतवे नहिं प्रायः सब टेबुलपर बिना बोहनी आ दक्षिणा देने कोनहुँ काज नहिं भऽ सकैय । कर्मचारीसब एनाकऽ पाइ मंगैत अछि जेना हूनक बाबु/बाबा पूँजी फँसाबिकऽ कोनो व्‍यापार/व्‍यवसाय कऽदेने होय । किछु कर्मचारी त हे एतवा कममे घाटा लागि जेतैक सन बात कहऽमे सेहो पाछा नई हटैत अछि । ई सऽब किछु जनितो सरकारी संयन्‍त्र मौन अछि, किया त ओहो भ्रष्‍टाचारमे लिप्‍त अछि ।

जखन एहि घुसक सन्‍दर्भमे कार्यालयक प्रमुख बनल सुव्‍वा लाल देव राय सँ पुछलगेल त ओ कहलथि ई घुसक बात सर्वथा मिथ्‍या अछि, अखनधरि केओ सिकायत नहिं केलक अछि । हम अपने सँ भरिदिनमे २ बेर निचा सँ उपर अनुगमन करैत छी । जौं घुस लैत देखि लेलियैक त हम अवश्‍य कारवाही करबैक । हूनका जहन हमसब अपनासबसँ माँगल बात कहलियैन त कहलथि,‘आहाँके तखने ने कहबाक चाही, अखन किया कहैत छी ।

जलेश्‍वर स्‍थित महोत्तरी मालपोतक प्राँगणमे एकगोट पागलसन भेषमे टहलैत मनुख्‍खके देखवैत एकगोट लेखनदास नामनई लिखवाक शर्तपर कहलथि जे काल्‍हि सातबजे रातिमे एहि पागलके जमिन हाकिमके पाइ खुवाबिकऽ दोसरगोटे अपना नामपर लिखबा लेलकैक । ओ ई कहलथि जे लाल देव जी ठीके कहलथि जे हम २ बेर अपने नीचा उपर जाकऽ निरीक्षण करैत छी । ओ दूइए बेर नहि ५/७ वेर नीचा सँ उपर सभ रुममे चक्‍कर लगवैत रहैत छथि जे साँझमे कोनो कर्मचारी ई नहि कहए जे हमरा आई कमे पाई भेल । ओ ई देखवालेल जाइत रहैत छथि जे ककरा टेवुलपर कतेक पाई झरि रहल अछि । कतौ हमरासँ बेइमानी त नहि भऽ रहल अछि ?

मधेशक कार्यालयसबमे मधेशी कर्मचारीके खुलेआम भ्रष्‍टाचार रोकबाकलेल केओ तैयार नहि अछि । जे एक/दू गोटा एकर विरोध करैत अछि तकर काज नहिं भऽ सकैय । कानून निरीह बनल अछि, जौं आक्रोशित किछु युवा अधैर्य भऽकऽ ओहन कर्मचारीके पिटैत अछि त सम्‍पूर्ण कार्यालयक कर्मचारी लगायत देशव्‍यापी रुपमे कर्मचारी सबहक आन्‍दोलन शुरु भऽ जाइत अछि । कर्मचारी जाहि जातिक अछि ओ जातिक व्‍यक्‍ति/सँघ संस्‍था/नेता ओकरा पक्ष लऽ कऽ बाजब/नारा जुलुश करबाक शुरु कऽ दैत अछि ।

घुसक खेती कतेक बढ़ल अछि एकर अन्‍दाजा एकटा खरिदार/मुखिया/सुव्‍वा सनसन कर्मचारीके आलिशान महल देखिकऽ लगाओल जाऽसकैय । जहन कि मात्र नोकरीक भरोसे इमान्‍दारिताक पाईसँ अपना सम्‍पूर्ण जीवनक कमाईसँ एकटा अधिकृत या फस्‍टक्‍लाश अफिसर नीक दूतल्‍ला घर अपना तलवसँ नहि बनावऽ सकैय । मुदा बाजत के ? आब देखबाक ई अछि जे के नेपाल मायक कोन बेटा आगा बढैत अछि भ्रष्‍टाचार आ भ्रष्‍टाचारीके समाप्‍तीक रास्‍तापर....।


Monday, September 7, 2009

देशक अवस्‍था आ जनताक प्रवृति

— मनोज झा मुक्‍ति

एखनुक परिवेशमे ककरोसँ पुछियौक देशक अवस्‍था केहन अछि ? त, कहता किकहू सभ ठाम भ्रष्‍टाचारे भ्रष्‍टाचार व्‍याप्‍त अछि । देशक नेता भ्रष्‍ट, कर्मचारी तन्‍त्रभ्रष्‍ट, पत्रकारिता जगत भ्रष्‍ट, व्‍यापारी भ्रष्‍ट...आर किदन किदन...सभचीज भ्रष्‍टेभ्रष्‍ट, तहन देशक स्‍थितिके कि कहबैक...। देशक स्‍थिति निश्‍चितरुपेण नीक त नहिंए अछि, मुदा एकर दोषी के ? सभजौं भ्रष्‍टाचारिए अछि त नीक व्‍यक्‍ति केओ नहिं ? आ देशक जनता कि दूधकधोएल अछि ? सबकेँ एकवेर अपना छातीपर हाथ राखिकऽ सोंचहिटा पड़त । आखिरकिया देशक हालति एहि तरहें दिनानुदिन खसकैत जाऽरहल अछि ? देशमें सब तरहक लोक हाएव कोनो आश्‍चर्यक गप्‍प नहिं ।

सबहक कहब ईछन्‍हि जे सभक्षेत्रमे भ्रष्‍टाचारीए लोकक चलाचल्‍ती छैक । अईसँ असहमत बहुतकम्‍मेगोटे हएता । मुदा यहो सत्‍ये छैक जे सत्‍यक बाटपर धिरे—धिरे आगा ससरैतलोक सेहो अई देशमे अछि । हँ, सत्‍यवादी धारमे लागल खाँटी राष्‍ट्रवादी सभकसँख्‍या बहुत कम अछि आ दिनानुदिन ओहि सँख्‍यामे ह्रास होइत जाऽरहल अछि ।तकर कारण कि ? जौं स्‍पष्‍टरुपसँ कहल जाए त दशक एहि परिस्‍थितिक जिम्‍मेवार आन केओनहिं, हमहि आँहाँ छी । हमही आँहाँ देशक नेताके, व्‍यापारी आ कर्मचारीकेँभ्रष्‍टाचारी बनावि रहल छियैक । हम आँहाँ एकटा नेताके भ्रष्‍टाचार करबालेल विवश कऽ दैत छियैक । जौंगाममे एकटा कोनो नेता साइकलपर चढिकऽ अवैत अछि या पैदल अवैत अछि तओकरा देखबाकले कोना जनता नहिं जाइत छियैक ।

एतवे नहिं ओई नेताकेअपना दरबज्‍जापर बैसऽदेवमें सेहो हमसब अपनाआपके हीन महशुस करैत छी । आ हमरे आँहाँक गाममे जौं एकटा नेता महँग गाड़ीमे चढिकऽ अवैत अछि त ओकरापाछा या कहु स्‍वागत करबाकलेल माइए पुते दौड़ैत छियैक, ओकरा अपनादरबज्‍जापर बैसबऽमे हमसब अपनाके गर्वान्‍वित भेल अनुभूति करैत छी । चुनावकसमयमे कतबो सकारात्‍मक सोंंचवला नेता किएक नहिं हुअए ओकरा भोंट देवाकबदलामें हमसब मतपत्रमे अपन जातिक उम्‍मेदवारके चिन्‍हमे मोहर लगवैत छी ।ओतवे नहिं अपन मतक महत्‍वके बुझितो हमसब अपना मतके पाई लऽ कऽ बेचि दैतछियैक जकर कारणसँ जकरालग अपन जातिक जनसँख्‍या वेसी अछि आ वेसी पाई अछिवएह नेता चुनाव जितैत छथि । कि हमर आँहाँक एहि तरहक व्‍यवहार एकटा नेताकेँभ्रष्‍ट बनवाकलेल विवश नहिं करैत छैक ।

जौं जातिक नामपर केओ जितैत अछि तओ अपना जातिक वाहेक आन जनताके वारेमे किया सोंचत ? आ अपना जातिकलेलसेहो किछु नहिं कऽसकैया, कियाक त ओ ई नीक जकाँ बुझने रर्हैत अछि जेअपना जातिकलेल हम काज नहिंयो करब तखनो हमर जाति हमरा भोंट देबेटा करत। आ ओ जे पजेरोबला नेता आ पाईबला नेताक तुलनामें अपनाके निरीहबुझैत अछि, ओहो हमरा आँहाँक सामिप्‍यता पएवाकलेल आ चुनाव जीतवाकलेलपाईएके अपना जीवनक सभसँ पैघ लक्ष्‍य बुझि ‘एनि हाउ, पाई कमाऊ’ के नीतिअवलम्‍वन कऽलैत अछि । आ जखन ओ पाइएक बलपर हमरआँहाँक भोट लेत त कियाहमरा आँहाँक विकासकलेल ओ सोंचताह ?

तहिना देशक कर्मचारिके हमही आँहाँसब अपन काज जल्‍दीसँ जल्‍दी करेबाकलेलया कानूनन नहिंयो होबऽवला काज गैरकानूनन रुपसँ करेबाकलेल घुस देल करैतछियैक आ एहिं तरहें एकटा कर्मचारीकेँ जवरदस्‍ती हमसब भ्रष्‍टारी बना दैत छियैक। ओनो कर्मचारीयो खासकऽ एकटा पुलिसमे जेबाकलेल हाकिम एकलाख टका लेलकरैत छैक, हाकिमके डाइरेक्‍टर बनेवाकलेल मन्‍त्रीद्वारा लाखो रुपैया घूस लेल जाइतछैक । जहन ओ कर्ज पैंच लऽ कऽ बहाल भेल रहैत छैक त कोनो बहन्‍ने कमेबेटाकरतैक । एकटा व्‍यापारीकेँ काला बाज़ारी करबामे सेहो हमसब अपने बहुत बेसीदोषी छी । हमसब बुझितो रहैत छि तइयो ओकर विरोधमे बजबाक हिम्‍मत नईकरैत छियैक ? हमरा आँहाँलेल के बाजि देत ? ककरो लग ओतेक फुरसति नहिंछैक ।

हमसब सबके भ्रष्‍टाचारी त कहैत छियैक, मुदा अपन टेटर नहिं देखैत छी ।सरकार अपन गाम अपने बनाबु कहिकऽ प्रत्‍येक गाममे १५ सँ ३० लाखधरि रुपैयाप्रतिवर्ष देल करैत अछि । गामक विकास कतेक भेल छैक, विशेषकऽ मधेशमे सेककरोसँ छुपल नहिं अछि । सभ पार्टीक प्रतिनिधिसब अपन बपौटी(पैत्रृक) सम्‍पतिबुझि खुलेआम लुटैत अछि आ हम आँहाँ मौन भऽ सबकिछु देखैत रहैछी । जौंकियो व्‍यक्‍ति ओइ काजक विरोध करैत छैक त हमहि आँहा केओ पार्टीक नामपर,केओ जातिक नामपर ओहन भ्रष्‍टाचारीकेा दूधक धोएल बनाऽदैत छियैक ।

ओहनभ्रष्‍टाचारीकलेल पार्टीयोसब अपन प्रतिष्‍ठाधरि दाओपर लगा दैत अछि ओकराबँचवऽमें । एकरा अरिक्‍त जे किछु कोनो गामठाममे जौं छोटछीन विकासक काजहोइत अछि त ओकरा विनाश करबामें हमसब बहादुरी बुझैत छी । अपना घरकअगााक सडकपर राखलगेल ग्राभेलक पाथर अपना घरमे घुसियाबऽमे त हमरा सबकेजोरा सम्‍भवतः कतौ नहिं भेटत । एतेक धरि कि सरकार विद्यालयसबके व्‍यवस्‍थित करबाकलेल अपनेगामक स्‍थानियव्‍यक्‍तिक अनुसारे चलेवाकलेल विद्यालय व्‍यवस्‍थापन समीतिके निर्माण योजना लाबिप्रायः सभ विद्यालयके समुदायमे हस्‍तान्‍तरण केलक, मुदा विद्यालय व्‍यवस्‍थापन समीतिअखन मात्र पाई कमेबाक एकटा स्‍थलक रुपमें परिणत भऽगेल अछि । चाहे विद्यालयमेशिक्षकक रखबामे होय या शिक्षककेँ सरुवामें हुए, विशेष कऽ मधेशक प्रत्‍येकविद्यालय व्‍यवस्‍थापन समीतिसभ एहि तरहक व्‍यापारमें लागिगेल अछि ।

विद्यालयक पढाईकेहन छैक, शिक्षक विद्यालयमें अवैत अछि कि नहिं, विधार्थी अवैत अछि कि नहिंताहिसँ व्‍यवस्‍थापन समीतिके कोनो मतलव नई रहल देखल जाऽरहल अछि । एहि तरहें देशक विकास कोना हायत ? जाधरि हमसब अपने नहिं सुधरब तआन के सुधारत ? जौं हमसभ एकटा सत्‍य बाटपर चलनिहार, देशभकत आ जनताकसमस्‍याके अपन बुझऽबला नेताक बदलामे तामझामबला पँजेरो एनिहार नेताकेनिरुत्‍साही नहिं करब त दिनानुदिन भ्रष्‍टाचारक दलदलमें हमसब धँसैत जाएब । सत्‍यकपक्षधरके मनोबल बढेनाई जरुरी आ सभक कर्तव्‍य भऽगेल अछि । आन कियो कियाहमरा आँहाँक सम्‍बन्‍धमे सोंचि देत ? ताएँ आनके दोष देबासँ पहिने एकवेरहमसभ अपने टेटर देखब कि ?

टेष्‍ट परीक्षा आबऽलागल, मैथिलीक विद्यार्थी पुस्‍तक बिहीन

मनोज झा मुक्ति
शैक्षिक वर्षक अन्‍त होमऽ लागल अछि, किछु दिनकवाद दशम कक्षाक टेष्‍ट परीक्षा सेहो हएत । आन आन विषयक विद्यार्थीक कोर्स अन्‍तो होमऽलागल अछि, मुदा हिलसि कऽ अथवा ककरो दबावसँ मैथिली विषय लेनिहार विद्यार्थी अखनो धरि पुस्‍तक केन्‍द्रक दुवारिपर हाजरी दैत बरोबरि भेटत । कारण जे दशम कक्षाक विधार्थी अखनो धरि नहि देखने अछि— दश किलासक मैथिली पोथी ।

धनुषा जिल्‍लाक लगभग एक दर्जन आ महोत्तरी जिल्‍लाक पर्सा पतैली लगायतक स्‍कूलमे मैथिली विषयक पढाई होइत अछि, मुदा विधार्थी आ शिक्षक दुनुगोटे मैथिलीक पुस्‍तक अखनधरि नई भेटलाकवाद फिरसान अछि । साझा प्रकाशनद्वारा प्रकाशित पुस्‍तक, जनक शिक्षा सामग्री केन्‍द्रद्वारा विधार्थीकलेल उपलब्‍ध कराओल जाइत अछि । जनकपुरधाम स्‍थित विद्यापति चौकपर रहल ‘विद्या पुस्‍तक केन्‍द्र’क विक्रेता कलानन्‍द झा कहलनि, ‘साझा प्रकाशनकेँ वेरवेर तगेदा कएलाकवादो मैथिलीक पुस्‍तक उपलब्‍ध नहि कराओल गेल’ ।

दुखक गप्‍प त ई अछि जे ताहिकालमे मैथिली विषयक पाठ्य पुस्‍तकक आभाव देखल गेल अछि, जाहिकालमे साझा प्रकाशनक अध्‍यक्ष छथि— मैथिलीक पैघ साहित्‍यकार/पत्रकार/कवि/फोरमक नेता/बहुतरास मैथिली संघ—संस्‍थाक अगुवा व्‍यक्‍तित्‍व श्री राम भरोस कापड़ि ‘भ्रमर’ । अपनाके मैथिलीक योद्धा आ साझा प्रकाशनक पहिल मैथिल/मधेशी चेयरमैन कहबामे गर्व कएनिहार कापड़िके पदपर पहुँचलाक वादो मैथिली पोथी नहि भेटव सर्वत्र आलोचनाक विषय बनल अछि ।
मैथिली विषयक पुस्‍तकक अभाव हएव, मैथिली भाषा आन्‍दोलनक व्‍यापकतामें सऽभसँ पैघ रोकावटकरुपमें देखाऽरहल अछि । मैथिलीक पाठ्य पुस्‍तकक सहज उपलब्‍धता जाधरि नई हएत ताधरि विद्यालयक शिक्षामें मैथिलीक पढाई मात्र भाषण धरि सीमित रहत । गणतन्‍त्र प्राप्‍तिकबाद मैथिलीकेा भजा कऽ भलेहिं कतेको मैथिल वरिष्‍ठ पदपर चलिगेल होथि, मुदा धरातलिय यथार्थ इएह अछि जे मैथिली काल्‍हियो पाछा छल आ एखनो सिसैकते अछि ।