Friday, June 10, 2022

चर्चामा रहेका उपका पुरुष उम्मेदवार



स्थानिय निर्वाचनको पूर्व संध्यामा आइपुग्दा जिल्लाका हरेक पालिकामा केही उम्मेदवार कुनै न कुनै विशेषताले चर्चामा छन् । महोत्तरीमा चर्चाको विषय बन्ने उम्मेदवारहरु मध्ये एक उम्मेदवार हुन, एकडारा गाउँपालिकाका उपप्रमुख पदका पुरुष उम्मेदवार–महेश कुमार यादव ।

महेश कुमार यादवले आम मतदाताका बीच ल्याएको अनुरोध पत्र मतदातामाझ चर्चामा छ । प्रायः सबैजसो नागरिकको बुझाईमा उपमेयर÷उपाध्यक्षको पद महिलाकोलागि छुट्टयाइएको हुन्छ भन्ने छ । हो, महिलाको सहभागिता सुनिश्चित गर्न दलहरुद्वारा दिइने उम्मेदवारीमा प्रमुख र उपप्रमुख मध्ये एकजना महिलाको व्यवस्था अनिवार्य गरिएको छ । देशैभरि,विशेषगरी मधेश प्रदेशमा उपप्रमुख÷उपाध्यक्षको पदमा पार्टीको टिकट पाउन नसकेका नेता विद्रोह नगरोस भनेर ती नेताको श्रीमति,छोरी,बुहारीलाई महिला उम्मेदवारकोरुपमा उपाध्यक्षपदमा टिकट दिने चलन चल्दै आएको हो । उपाध्यक्षमा प्रायः महिलाहरुलाई नै उम्मेदवार बनाइने परम्परा रहेकोले पनि पुरुष भएर एकडारा गाउँपालिकाको उपाध्यक्षमा उम्मेदवार भएकाले पनि महेश कुमार यादव चर्चामा छन् ।

एकडारा गाउँपालिकाका उपाध्यक्षपदमा स्वतन्त्र उम्मेदवारकोरुपमा उम्मेदवारी दिएका महेश कुमार यादव भन्नुहुन्छ,‘‘उपमा आफ्नो श्रीमतिलाई उम्मेदवार बनाउने चलनले म साह्रै दुखित छु । यो अफर मलाई पनि नआएको होइन । तर, कहिले पनि राजनीतिमा नगएकी, घरबाट बाहिर ननिस्केकी, सामाजिक सुव्यवस्थापनको ज्ञान नै नभएकी श्रीमतिलाई उपाध्यक्ष जस्तो सामरिक महत्व बोकेको पदमा उम्मेदवार बनाउनु भनेको पालिकासँग अन्याय हो भन्ने मेरो बुझाई छ । राजनीतिमा होमिने श्रीमान र उनले टिकट नपाएपछि आफ्नो घरको अराजनीतिक, घरेलु महिलालाई उपाध्यक्षमा उम्मेदवार बनाइने परम्पराको विरोधमा मैले आफ्नो उम्मेदवारी उपाध्यक्षमा दिएको हूँ ।’’


.......................................................................................................

को हुन महेश कुमार यादव ?

माओवादीको जनयुद्धताका नै माओवादीसँग नजिकिएका उनी शान्तिवार्ता पछि माओवादीको पार्टी प्रतिनिधिकोरुपमा तात्कालिक भटौलिया गा वि स मा कामगर्दा राम्रो विचार र अडानका कारण चर्चा बटुलेका थिए । उनी दोस्त्रो संविधान सभामा तमलोपाबाट माओवादी भएका राम कुमार शर्माको प्रमुख कार्यकर्ताकोरुपमा काम गरे । डा.बाबुराम भट्टराईले निर्माण गरेको नयाँ शक्ति रोजेका यादवले शु्रुवाती दौरमा पार्टीको सचिव एवम् संगठन विभागको जिम्मेवार िपाएका थिए । कुशल संगठन संचालकको परिचय बनाएका महेश कुमार यादव २०७४ को स्थानीय निर्वाचनमा माओवादी केन्द्रको तर्फबाट एकडारा गाउँपालिकाको अध्यक्षको उम्मेदवार बनाइए । विगतको निर्वाचनमा गाउँपालिका अध्यक्षको पदमा १२ सय भन्दा बढी मत ल्याएर उनी चौथो स्थानमा रहे । चुनाव पछि तात्कालिक समाजवादी पार्टीमा अवद्ध भएका यादवलाई पार्टीको जिल्ला सचिव सहित संगठन विभागको जिम्मेवारी दिइयो । लोसपा र समाजवादी पार्टी मिलेर बनेको जसपा अर्थात जनता समाजवादी पार्टीमा पनि महेशलाई नै जिल्ला सचिवको जिम्मेवारी सुम्पियो । जसपाको दोस्त्रो समायोजन पश्चात पनि जिल्ला सचिव र संगठन विभागको जिम्मेवारीमा रहेका यादव पालिकाको अध्यक्ष पदका पार्टी भित्र प्रवल दावेदार थिए । पार्टीले अध्यक्षपदमा अर्कैलाई सारेपछि उनलाई विभिन्न पार्टीबाट श्रीमतिलाई उपाध्यक्षमा उम्मेदवार बनाउन आग्रह गरिए पनि उनी अन्ततः एकडारा गाउँपालिकाको उपाध्यक्ष पदमा ‘भूईं कटहर’ चुनाव चिन्हका साथ स्वतन्त्र उम्मेदवारकोरुपमा देखा परेका छन् ।

चौविस घन्टे राजनीतिमा सक्रिय महेश इमान्दार र राजनैतिक सुझबुझ भएका महोत्तरीका जिल्ला नेताहरु मध्ये गनिन्छ । विकास निर्माणको कुनै पनि उपभोक्ता समितिमा बस्न नचाहेका उनी दूई कार्यकाल पर्सा प्राविको संचालक समितिको अध्यक्षको जिम्मेवारी सफलता पूर्वक निर्वाह गरिसकेका छन् । सुन्दर अभियानका प्रमुख अभियानी मध्येका एक महेश जनकपुर–भिट्ठामोड सडक आन्दोल, मधेश आन्दोलन ताका गाउँगाउँमा संचालनल गरिएको जागरण सभा,एकडारा, कटैया लगायतको ठाउँमा संचालन गरिएका अभियानमा सक्रिय भूमिका निर्वाह गरीसकेका उनी महोत्तरीका कर्मठ, बुद्धिजिवी नेताकारुपमा परिचय बनाएका छन् ।

.......................................................................................................

उनी भन्छन्,‘‘पालिकाको उपाध्यक्ष भनेको सफ्टवेयर हो, यसले पालिकाको विकासमा, समाजिक न्यायको दिशामा महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह गर्नसक्छ । राजनैतिक भागवण्डामा उपाध्यक्ष जस्तो गरिमा र ओजपूर्ण पदलाई नेता÷व्यापारी÷कर्मचारीका अशिक्षित,अराजनैतिक, घरबाट बाहिर ननिस्केकी श्रीमति,छोरी,बुहारीलाई उम्मेदवार बनाइनुले अधिकांश पालिकामा न्यायीक इजलास समेत गठन हुन सकेको छैन । योजना तजुर्मा तथा अनुगमन र मूल्यांकन जस्ता गहन कार्यहरु हचुवाका भरमा सम्पन्न भए ।’’ उपाध्यक्षको पदमा राजनैतिक र सचेत व्यक्ति आएभने पालिकालाई हरेक क्षेत्रमा सबल बनाउन सकिने बताउँदै महेशले भने,‘उपाध्यक्षको गरिमा,जिम्मेवारी र अधिकारलाई अध्ययन गर्दा र विभिन्न पालिकामा विगत र यसपालिको चुनावमा देखा परेका उम्मेदवारहरुसँग असन्तुष्ट हुँदै, उपाध्यक्षको पदको काम,कर्तव्य र विशेषता स्थापित गर्न मैले जसपा जस्ता पार्टीको जिल्ला सचिवको पदलाई पर्वाह नगरी उपाध्यक्षमा उम्मेदवारी दिएको हूँ ।’

एकडारा गाउँपालिकाका शिक्षित र सजग मतदाताहरु महेश कुमार यादवले पालिकाको उपाध्यक्ष पदमा दिएको उम्मेदवारीले उत्साहित बनेका छन् । राष्ट्रिय पार्टीका एकजना एकडाराका जिल्ला स्तरीय नेता आफ्नो नाम नछाप्ने आग्रह गर्दै भन्छन्,‘‘राजनीति गर्ने हामी पुरुष तर भागवण्डामा जुनरुपमा राजनीतिमा कहिले नलागेकी हाम्रा घरका महिलालाई उपाध्यक्षको उम्मेदवार दिने चलनले प्रश्रय पाउँदैछ, स्थानीय सरकार, पालिकाका जनता र समग्र देशकै लागि दुखद हो । भागवण्डामा आफ्नो घरको महिलालाई उप बनाउने वा पार्टीको पदजाने भयले चुपलाग्नु बाहेक कुनैपनि राजनैतिक पार्टीको नेता÷कार्यकर्ताले प्रायःआँट गर्दैनन् । मधेश प्रदेशमा एक त राजनीतिमा सक्रिय महिला नै थोरै छ र अर्को राजनैतिककर्मी पुरुष उपाध्यक्षमा उम्मेदवारी दिन संकोच मानिरहेको अवस्था छ । यस्तो अवस्थामा पनि उपाध्यक्षमा महेश कुमार यादव जस्ता राजनैतिक व्यक्तिले उम्मेदवारी दिनुले हाम्रो पालिकामा चर्चाको विषय बनेको छ । विगतमा पालिका अध्यक्षमा सम्मानजनक मत पाएका महेशले जसपाको जिल्ला सचिव र संगठन विभागको पदको पर्वाह नगरी उपाध्यक्षमा उम्मेदवार बन्नु एकडारा गाउँपालिकाकोलागि सौभाग्यको कुरा हो । उपाध्यक्ष पदको काम,कर्तव्य बुझेकाहरु पुरुष भएरपनि उपाध्यक्षका उम्मेदवार रहेका महेश कुमार यादवको ‘भुईं कटहर छाप’ले सबैलाई आकर्षित गरिरहेको छ । पालिकाले महेश जस्तो उपाध्यक्ष पाएमा चौतर्फीरुपमा फड्को मार्ने कुरामा म लगायतका व्यक्तिहरु विश्वस्त छौं ।’’ अध्यक्ष÷प्रमुख पदमा सबैको अ–आफ्नै उम्मेदवार रहेपनि हरेक दलबाट उपाध्यक्षमा महेश कुमार यादवको भुईं कटहर छापमा मत जाने ठोकुवा उनी गर्छन् ।  

  


प्रदेश नं.२ क नामाकरण : ‘मधेश’ सँ भऽ रहल घात !!


                                             –मनोज झा मुक्ति

देश संघीयतामे चलिगेलाकवाद सात प्रदेशके निर्माण भेल आ सभ प्रदेशमे निर्वाचित सरकार चलिरहल अछि । निर्वाचीत सरकारद्वारा नामाकरण करवाक उद्देश्यसँ तात्कालिकरुपमे प्रदेश चिन्हवाकलेल अंकमे नामाकरण कयलगेल । नीति अनुरुप अधिकांश प्रदेशके नामाकरण भऽगेल त किछु प्रदेशक नामाकरण संस्कार बाँकि अछि । विषेश कऽ प्रदेश नं.२ क नामाकरणमे जाहि तरहें राजनैतिक दलसब अपन विचार प्रस्तुत कऽरहल अछि, ओ अपने आपमे नमूना अछि ।

प्रदेश नं.२ क सभामे राजनैतिक दलद्वारा विभिन्न नाम प्रस्तावित कयलगेल अछि । जसपा,लोसपा आ माओवादी संयुक्तरुपमे ‘मधेश प्रदेश’ नाम प्रस्तावित कयने अछि त नेपाली कांग्रेस ‘मिथिला–भोजपुरा’ आ एकिकृत समाजवादी पार्टी एवम् नेकपा एमाले ‘जानकी’ प्रदेशक नामाकरण करयवाक पक्षमे रहल अछि ।

‘एक मधेश, एक प्रदेश’,‘समग्र मधेश, एक प्रदेश’,‘‘मेचीसँ महाकालीधरि मधेश’क नारा देनिहार आ नारा लगौनिहार जहन १९\


२२ जिल्लाक बदलामे ८ टा जिल्ला मात्रके ‘मधेश प्रदेश’ नामाकरण करवाकलेल चिचिया रहल अछि त आनके कि कहवैक ? 

आठ जिल्लाक भूभागके ‘‘मधेश’’ नामाकरणपर उपजैत प्रश्न ?

ई प्रश्न कठीन अछि, आम लोककलेल । सबल आ विश्वसीय सेहो ।

कि मधेश आन्दोलन मात्र एखुनका प्रदेश नं.२ क आठे जिल्लामे भेल रहै ? जय मधेशक नारा नेपालगञ्ज आ कैलालीमे नई लागल रहै ? त, आब ओ मधेशी रहलै कि नई ? आब ओ जय–मधेश कहतै कि नई ? कहतै त कोन नैतिकतासँ ? ककरा आशमे आ कहियातक कहैत रहतै जय मधेश ?

कि एहि आठटा जिल्लाक मधेशलेल ‘एक मधेश, एक प्रदेश’,‘समग्र मधेश, एक प्रदेश’,‘‘मेचीसँ महाकालीधरि मधेश’क लगायतक नारा देलगेल रहै ? आठ जिल्ला बाहेक मधेशक भूमि जे विभिन्न प्रदेशक नामाकरण वरण कऽलेने अछि, तकरा कोना आहाँ समाहित करवै ? अपनाके मधेशी कहऽमे गर्व कयनिहार विराटनगर, नवलपरासी आ महेन्द्रनगर सहित आठो जिल्लामे रहल मधेशीके विश्वास करऽ योग्य संभावनायुक्त, भिजन आहाँलग की ?

मात्र आठे जिल्लामे ‘‘मधेश’’के सिमीत कऽ मधेश नामसँ घृणा कयनिहारके मनसुवा पुरा करऽमे हीट आइटम डानसर त हमसब नई बनऽजारहल छी ? 

‘‘मधेश’’ नामाकरण किया ?

प्रदेश नं.२ क नाम ‘‘मधेश’’ प्रस्ताव कयनिहारसबक कि मनोदशा ? किछुके कहव छन्हि जे आन्दोलन मधेशके नामपर, जय मधेश के नारापर भेलई, मधेशी शहिद भेलै, कमसँकम मधेश नामाकरण होयतई त मधेशीके एकटा ईज्जत रहि जयतै,मधेश आन्दोलनपर एकटा ठोस पहिचानके मोहर लागि जयतै...लगायतक तर्कसब छन्हि ।

‘‘जानकी’’ नामक पक्षधर होइथ  या मध्य मधेश,मिथिला,मिथिला–भोजपुरा या जनकपुर नामाकरणक पक्षधर होइथ सबके अपने–अपने तर्क छन्हि ।

विचारणीय बात छैक जे मिथिला,भोजपुरा, कोच, अवध,थरुहट सब मिलिकऽ ‘‘मधेश’’ भेल छैक कि मात्र मिथिला आ भोजपुराक किछु भाग मधेश छै ? मधेशके भितर मिथिला,भोजपुरा, कोच, अवध,आ थरुहट लगायतक भूभागक स्तित्व छै कि नईं ?

विनु ऐतिहासिक, भौगोलिक, धार्मिक, सांस्कृतिक, भाषिक आदिके व्यवहारिक एवम् वैज्ञानिक विश्लेषण केनहि, अपने सहभागि आन्दोलनके नामो निशान बचवऽलेल ‘‘मधेश’’ नामाकरण करव कतेक उचीत ? अपना पार्टीक नाम आ विधानसँ अक्षरसः ‘‘मधेश’’  शब्दके भौतिक आ वैचारिकरुपमे हटालेने राजनैतिक दलसब ‘‘मधेश’’ नामाकरण मार्फत अपन कोन ईज्जत जोगावि रहल अछि ?

संघीयताक मर्म होइत अछि जे नागरिकके अपन पहिचान सहितक अधिकार भेटओ । ई नई छैक ने, जे जनतासँ चुनायल प्रतिनिधि अपना पार्टीक विवेकहीन, अदुरदर्शी निर्णयके विनु छलफलके, बिनु संवाद केनही आज्ञा पालनक चक्करमे परिकऽ ‘‘मधेश’’ नामक पक्ष पडल किछुलोकके बुझाई छन्हि ।

अधिकांश प्रतिनिधि रहल नेता,कार्यकर्ता अपन विचार बिनु रखने, अपनेसँ बिनु सोचने पार्टीक फरमानपर हुस्से–हुस्से करऽमे लागल अछि त किछुलोकके अपन विचार करवाक क्षमता होइतो एहि झन्झटमे नर्ई परऽ चाहिरहल छथि । नगण्य लोकलग अपन बात रखवाक हैसियते नई छन्हि । आम जनताके विचारक प्रतिनिधित्वसँ बेसी अपन दंभ आ झूठामूठक शानक लेल ‘‘मधेश’’ नामाकरण करयवाक पक्षसब लागल किछुके विश्लेषण छन्हि । किछु त एकरा मधेशवादी कहयनिहार जसपा आ लोसपाके आत्माके तुष्टिकरण आ माओवादी केन्द्रक मधेशके संकुचित करवाक षड्यन्त्रक संज्ञा देवऽसँ सेहो पाछा नहिं छथि । 

पूवसँ पश्चिमधरिक मधेशमे साँस्कृतिक विविधता व्याप्त अछि, जकरा माओवादी स्वीकारैत अपन तात्कालिन संरचनामे व्यावहारिक एवम् लिखितमरुपसँ लिपीवद्ध कयने छल । मधेश आन्दोलन कोनो एकटा व्यक्ति आ एकटा संस्थाक दमपर नई भेल छल । सयकडों वर्ष पहिनेसँ सुनगैत चिनगारी जहन विभिन्न भाषा अभियानी सबहक बल पौलक तहन मात्र धधराक रुप लऽसकल । मधेशक भूभागमे रहल मैथिली,भोजपुरी, अवधी, थारु लगायतक भाषा अभियानी ‘मधेश’ आन्दोलनमे अपन भविष्य देखि आन्दोलनके मजबुत बनवैत गेल । मधेशवादी नेता सबहकसँग भाषा अभियानी सबकेँ पहिने मधेश आ तहन कोचिला, मिथिला,भोजपुरा, अवध आ थरुहटक स्तित्वक स्थापना सन बातचीत बहुतो बेर होइत आएल । फलस्वरुप मधेश आन्दोलनमे सब अभियानी अपन उर्जा समाहित करैत आन्दोलनके सफल बनवऽमे अपन दिनराति लगादेलक । विभिन्न दाओ–पेँचक खेलमे देशमे आएल संघीयतामे जाहि तरहें प्रदेश सबहक निर्माण कयलगेल ओ अपनेमे प्रश्नक कटघेरामे ठाढ अछिए । जहन पहिचानके लिपीबद्ध करवाक बात अबै त कोचिला, मिथिला,भोजपुरा, अवध आ थरुहटक वेइमानी किया ? 

संघीयताक मूल तत्वमे ‘पहिचान’  सबसँ प्रमुख मानल जाइत अछि । देशक आन–आन प्रदेशक जे नामाकरण भेल अछि, सबकेसब अपन इतिहास, संस्कृति आ पहिचानेके नामाकरण मादे स्थापित कयने अछि । मुदा, प्रदेश नं.२ क अधिकांश नेता,कार्यकर्ताक अल्पज्ञान, मूढ बुद्धीक प्रदर्शन जोरशोरसँ भऽरहल अछि । विनु तर्कक तर्क, कुतर्क प्रस्तुत करैत प्रदेश २ के कुसीयार जकाँ छिलल जारहल अछि, अल्हुआ जकाँ सोहल जारहल अछि । प्रदेश नामाकरण करवाकलेल सबपक्षपर विचार करवाक चाही कि नहिं ? प्रदेशमे रहल राजनैतिक दलक नेता÷प्रतिनिधिके आओर प्रदेशमे अपनाओलगेल विधि,प्रक्रिया,आधार सनसन विषयपर त खुलिकऽ विमर्श करवाक चाही कि नहिं ?

नागरिकके हवा मिठाई बाँटऽमे सफल भऽरहल नेता, कार्यकर्ता ‘‘मधेश’’ नामाकरण करवाक तर्क याह सेहो प्रस्तुत करैत छथि जे मिथिला राखु त भोजपुराबला विरोध करत, मिथिला–भोजपुरा राखु त बज्जिका आ मगही बला विरोेध करत त किया नईं ‘‘मधेश’’ नामाकरण कऽदेल जाय ।

कियो नई मानै छै, नईं मानतै ताहिलेल अपना हातमे आयल शक्तिके दुरुपयोग करव, जएह मोन होयत, जाहिमे अपन व्यक्तिगत स्वार्थ पुरा होयत सएह करव कि बुद्धिमताके परिचय होयतै ?

जँ एहन–एहन संवेदनशील विषयपर अपने विचार शून्यताके अवस्थामे चल आबि त जन विमर्श होयवाक संस्कार कहियासँ बैसत ?

हमर कहव कथमपि ई नई अछि जे प्रदेश नं.२ क नाम ‘‘मिथिला’’,‘‘भोजपुरा’’,‘‘मिथिला–भोजपुरा’’,‘‘जनकपुर’’,‘‘जानकी’’ या ‘‘मधेश’’ चाहे ‘‘मध्य–मधेश’’ होयवाक चाही से नहिं अछि । कोनो एकटा नाम अएतै त किछुके विरोध रहवे करतै, किया त एतऽ अपने सोंचव आ विचार करवसँ बेसी हमसब अपन लगानीकर्ता, भाग्यविधाताके आदेश मात्रके पालन कयनिहार बनिगेल छी । जरुरी अछि एहिपर विचार,विमर्श आ पुनर्विमर्श हुए । एतुक्का माटि कि कहैत छैक ? एतुका जनताक भावना कि छैक ? एतुक्का इतिहास आ संस्कृतिक रंग कि छैक ? तकरा व्यावहारिक, राजनैतिक आ वैज्ञानिक विर्मश कइएकऽ कोनो विन्दुपर पहुँचल जाय । जँ, अपन विवेक काज नईं करय त निष्ठापूर्वक जनआकांक्षा लेवाक चाही ।

मात्र ८ टा जिल्लामे रहल प्रदेश नं.२ क नामाकरण ‘‘मधेश’’ ककऽ विशाल मधेशसँ घात त नईं होवऽजारहल छैक ?? भगवती समय अछैते हमरासबके सदबुद्धि देथु ।


लोकतान्त्रिक महापर्वमे बड़बड़ लीला !



–मनोज झा मुक्ति 

लोकतान्त्रिक महापर्व मानल जायबला ‘निर्वाचन’  वैशाख ३० गते सम्पन्न भेल । लोकतन्त्रमे सबसँ पैघ शक्ति मतपत्रमादे व्यक्त होबऽबला जनमतके मानल जाइत अछि । स्वाभाविको अछि, कियाकी पाँचसालमे एकवेर होबऽवला चुनावमे जनता अपन मतपत्रक मादे पाँचसाललेल अपन प्रतिनिधि चुनैत अछि आ वएह प्रतिनिधिद्वारा गाम,टोल,नगरक विकासके नक्सा खिचल जाइत अछि । 

निर्वाचन आयोग निर्वाचन सम्पन्न करवाकलेल अनेक प्रकारक नीति नियम बनाविकऽ चुनावक प्रक्रिया पुरा कऽ जनताद्वारा अपन प्रतिनिधि चुनवाक काज करवैत अछि । मुदा दूर्भाग्य जे जाहि देशमे निर्वाचन आयोगे अपनेआपमे स्पष्ट नईं अछि, ताहि देशमे निर्वाचन कोना निष्पक्ष आ आचारसंहिताक परिधिमे भऽसकैत अछि ? उम्मेदवारसबहक चुनावी खर्चक सीमा निर्धारण कयलाकवादो अँखिदेखार रुपमे जे पाइयक नदी बहाओल जाइत अछि तकर अनुगमन कोना कयल जाऽरहल अछि से ककरोसँ नुकायल नईं अछि ।

विशेष कऽ एहि स्थानीय चुनावमे सहभागी सब अवयवसबहक खेल देखिकऽ लोकतन्त्रमे होइत चुनावी प्रक्रियापर दुःख लागव स्वाभाविक अछि । निर्वाचन आयोग, राजनैतिक दल, उम्मेदवार, मतदाता, कर्मचारी, प्रशासन लगायत कोनो पक्षक कर्तुत एहन नई देखलगेल जाहिसँ मोनमे सन्तुष्टी भऽसकय । सबपक्षक लीलाके कोनोरुपसँ लोकतान्त्रिक पद्धतिके मजबुत करऽवला नईं देखलगेल ।

निर्वाचन आयोगक टालमटोल मानसिकता

लोकतन्त्रमे निर्वाचन आयोगके स्वतन्त्र आ निष्पक्ष होएवाक चाही । आयोगक नीति स्पष्ट होएवाक चाही आ दूरदर्शी होएवाक चाही । मुदा, आयोग राजनैतिक प्रभावसँ मुक्त रहल ?

देशमे बहुदलीय प्रजातन्त्र होइतो स्वतन्त्र उम्मेदवारकलेल सेहो स्थान देलगेल अछि, मुदा जाहि रुपसँ मतपत्रमे राजनैतिक दलजकाँ स्वतन्त्र उम्मेदवारके सेहो प्यानलबला चुनाव चिन्ह छपाओल गेल से कतेक उचित ? जँ स्वतन्त्र उम्मेदवारके सेहो राजनैतिके दलजकाँ प्यानल चुनाव चिन्ह देलगेल त दलक उम्मेदवार आ स्वतन्त्रमे कि अन्तर रहिगेल ? एहन पैघ त्रुटिपर सेहो सभ निकायके चुप्पीसँ की बुझल जाय ?

निर्वाचन सम्पन्न करयवाकलेल गठित समितिक आँखिक आगा निर्वाचन आचारसंहिताके धज्जी उडैत रहल आ निर्वाचन आयोग मौन भऽ देखैत रहल । खर्चक सीमा निर्धारण होइतो दिनराति भोजेभोज मचल रहल, एकटा उम्मेदवार बीसोसँ बेसी गाडी दौडबैत रहल आ निर्वाचन आयोग चुपचाप देखैत रहल । की लोकतन्त्रमे एहन चुनावसँ नीक प्रतिनिधि चुना सकैय ? मतगणना स्थलमे देशक चारिम अंग मानल जायवला संचारकर्मीके बहुतोठाम प्रवेश नईं देलगेल ओतऽ कोनरुपसँ निर्वाचनके पारदर्शी कहल जाऽसकैय ?

राजनैतिक दलक आचरण

लोकतन्त्रमे राजनैतिक दल जतेक निष्ठापूर्णरुपसँ अपन गतिविधि करैत अछि, लोकतन्त्र ओतवे समृद्ध होइत जाइत अछि । मुदा दूर्भाग्य जे नेपालक कोनो दलक आचरण नीक नई देखलगेल । अपन आ अपना लोकके जितयवाकलेल कोनो कुकर्म करऽ परय ताइमे पाछु नई रहैत अछि । जातिपातिक राजनीति नई होयवाक चाही कहनिहार पार्टीक नेता जहन टिकट बँटवारामे उम्मेदवारक जातिक संख्या आ खर्च करवाक सामथ्र्यके देखिकऽ टिकट बँटैत अछि त हमसब सहजहिं अनुमान लगावि सकैतछी जे राजनैतिक दल आ ओकर नेता कतेक नैतिकवान अछि । कोनो राजनैतिक दलसँ कोन तरहक समाजवाद या लोकतन्त्रके समृद्धिके अनुमान लगाओल जाऽसकैत अछि । अपन पार्टीक उम्मेदवारके जितयवाकलेल केहनो घटिया आचरण कोनो पार्टीक नेता कऽसकैत अछि से एहि स्थानीय चुनावमे देखलगेल । अपना पार्टीक कार्यकर्ताके कोनो दुष्कर्म करवाक छुट देने राजनैतिक दल विरोधीके छोटोछिन गल्तिके भाषण आ प्रेस विज्ञप्ति मार्फत विरोध करवाक जे संस्कार देखाओल जारहल अछि तकरा कोन लीलाके संज्ञा देल जाय ?

उम्मेदवारक लीला

कोनो हिंसावे पार्टीक टिकट भेटल आ उम्मेदवारी देने सबहक पर्चा,पम्पलेटमे जाहि प्रकारक विशेषण जोडल जाऽरहल अछि ओ लोकतान्त्रिक निर्वाचनके व्याख्या करवाकलेल पर्याप्त अछि ।

चुनावी पर्चा,पम्पलेटमे इमान्दार, नैतिकवान, सुयोग्य, युवा, कर्मठ, लगनशील, राजनैतिक,जुझारु लगायतक विषेशणसबजे उम्मेदवार अपनालेल प्रयोग कयने रहैत अछि, ओ देखिकऽ हँसी लागव सामान्य अछि । जे सबदिन बेइमानीए करैत आएल अछि, भ्रष्टाचारमे लिप्त अछि, अनैतिक काजमे संलग्न रहैत अछि, ओहो अपनाआपके जे मोन होइत अछि विशेषण जोडवैत अछि । एकरा कोन लोकतान्त्रिक आचरणक रुपमे ग्रहण कयल जाय ?

लोकतन्त्रमे उम्मेदवार बनवाकलेल सबके स्वतन्त्रता देलगेल अछि । उम्मेदवारके अपन आचरण,विचार,व्यवहारक आधारपर मत मँगवाक विधिविधान होइतो, जातिपातिक नामपर किरिया खुएवाक परम्परा रहल समाजमे एकटा वाक्य नीकजकाँ बाजऽ नईं ऐनिहारसब जतऽ निर्वाचीत होइत हो, ओतुक्का लोकतन्त्रके की कहवैक ? दारु आ मासुके बले जनताक मतके अपनादिस आकर्षित करवाक काज कतऽ नईं कयलगेल ?

कतौ कतौ त उम्मेदवारक लीला एहनो देखलगेल जे एकटा उम्मेदवार घरेघरे रहु माछ बँटलक त दोसर बोआरी माछ घरेघर पठौलक आ तेसर चारिम केओ मुर्गाके मासु त कियो खसीक मासु बाँटऽमे पाछा नईं रहल । पाई आ दारु बिनु चुनाव नई होइत अछि से सबहक अनुभवसँ हमर अनुभव फराक नहिं अछि । कमसँकम नास्तामे चुरा–घुघनी, मुरही–तरकारी आ भोजनमे भात,दालि,तरकारी त सबसँ कमजोरहो उम्मेदवार टेन्ट गारिकऽ खुऐवे कैलक । आन आन कोनकोन कर्म उम्मेदवारसब भोट लेवाकलेल कयलक से हमरासँ बेसिए अपनेसबके बुझले अछि ।

गुरु घण्टाल लोकतान्त्रिक मतदाताक लीला

लोकतन्त्रमे सबसँ उपर मानल जायबला मतपत्र जकरा हाथमे अछि, जकरा सार्वभौम सत्ता सम्पन्न जनता÷नागरिक कहल जाइत अछि, ताहि मतपत्रधारी जनताके लीला त अपरम्पारे देखलगेल ।

कोनो उम्मेदवारके आशिर्वाद देवऽसँ नईं पाछा रहल मतदाता मालिक जहन ककरो चाकडी, लोभ, व्यक्तिगत स्वार्थ सिद्धिके हथियारकेरुपमे अपन मताधिकारके प्रयोग करैत हो, ओतुक्का लोकतान्त्रिक आचरणके कोन नाम देलजाय ? सामूहिक स्वार्थक कोनो बात सुनवाक तैयार नईं रहल मतदाता अपन जाति,कुटुम्ब,सम्बन्धितके देखि मतदान करवाक आचरणसँ ओतप्रोत देखलगेल । 

अपने कोनो पार्टीक जिम्मेवार पदमे रहितो कोनो ने कोनो प्रभावमे पडिकऽ अन्तरघात कयनिहार कार्यकर्ताके कोन प्रकारक आस्थावान कही ?

जतऽ अपन व्यक्तिगत स्वार्थ आ सहानुभूतिक नामपर जे सर्वशक्तिमान मतदाता मतदान करैत होय, ओतऽ केहन प्रतिनिधि चुनयतै ? ककरो कफन देवाक नामपर, ककरो राजनीतिमे बिल्टौआ भऽगेलै ताहि नामपर, कतौ लडैत लडैत थाकिगेलै अईवेर अन्तिमे छै ताहि नामपर,कतौ नई जिततै त फाँसी लागि जयतै ताहिनामपर भावनामे बहिकऽ मतदान करयनिहार मतदाता होई, ओतऽ केहनो विचारवान, चरित्रवान,लडाकु, दूरदृष्टि रखनिहार उम्मेदवारके जमानत जप्त नईं होयतै त की होयतै ? नटवरलाल मतदाताक बीचसँ नीक नेता कोना निर्वाचीत भऽसकैय ?

समग्रतामे ई कहवामे कनिको हिचकिचाहट नई होयवाक चाही जे जाहि प्रकारसँ लोकतान्त्रि देशमे निर्वाचन करयवाक जिम्मा लेनिहार, निर्वाचनमे अपना दलक उम्मेदवार चुननिहार, विभिन्न दलसँ या स्वतन्त्रे भऽ चुनाव लडनिहार आ केहनो उम्मेदवारके कोनो बहन्ने मतदेनिहार मतदाता नैतिकवान नईं होयत ताधरि समृद्ध आ सुसंस्कृत लोकतन्त्रके कल्पना करव मूर्खता अछि ।

लोकतन्त्रकँे मजबुत करवाकलेल होवऽबला निर्वाचनमे सहभागि होवऽबला हरेक निकाय आ व्यक्ति अपन दायित्वके निर्वाह केनाई प्रारम्भ नईं करत, देश आ समाजमे परिवर्तन होयव असम्भव अछि । जानकी हमरासबके सदबुद्धि देथु ।


Wednesday, September 8, 2021

भ्रष्ट प्रतिनिधि आ लुटेरा रखवार


मनोज झा मुक्ति

चाह दोकान, पान दोकान, चौक, चौबटियासँ लऽकऽ प्रायः सऽभठाम जँ सबसँ बेसी चर्चाक विषय रहैत अछि त भ्रष्टाचारकेँ । एहि चर्चमे सर्व साधारण सोझ लोकसँ नामूद भ्रष्ट सेहो सहभागि रहैत छथि । कखनो काल त ई बुझाइत अछि जे सबठाम एहि तरहें भ्रष्टाचार भऽरहल अछि, तथापि देश कोना चलि रहल अछि ? जकरालेल देश अछि, जकरा देश चलयवाक जिम्मेवारी देल जाइत अछि आ जकरा लुटसँ बँचयवाक जिम्मेवार बनाविक राखलगेल अछि ओसब जहन भ्रष्ट भऽजाई त देशमे बिनु भ्रष्टाचारके कि होयत ? सबके सब नीक जकाँ बुझिरहल अछि जे भ्रष्टाचार चरम सीमापर भऽरहल अछि, पूर्णरुपेण संस्थागत भऽगेल अछि तैयो भ्रष्टाचारमे शून्य सहनशीलताक बात जोरसोरसँ चलैत अछि । देखलगेल अछि जतऽ भ्रष्टाचारके विरोधमे जतेक बेसी अमृतवाणी लिखल भेटैत अछि, ओतऽ ओतवे बेसी भ्रष्टलोककेँ हाली मोहाली रहैत अछि ।

सबहक मोनमे ‘‘सबसँ भ्रष्ट के ? कोन कार्यालय या विभागमे सबसँ बेसी भ्रष्टाचार होइत अछि ?’’ अएनाई स्वभाविक अछि । 

के अछि सबसँ बेसी भ्रष्ट ? केना बढिरहल अछि भ्रष्टाचार दिन दून्ना आ राति चौगुन्ना ?

जतऽके आमलोकके मोनमे बिनु लेनदेनके कोनो काज नई होएत या जतुक्का परिस्थिति सेहो बिनु लेनदेनके कोनो काज नई होबऽवला होई ओतऽ भ्रष्टाचारक खेत लहलहेवे करत ।

कोनहुँ व्यक्तिके निर्माण कोनो परिवारसँ होइत अछि । जकरा जेहन संस्कार देलजाइत अछि, ओकर निर्माण ओहने होइत अछि । कखनो काल एहि देशके जनताके व्यवहार आ सोंच देखलाकवाद ई लागव अस्वभाविक नहि जे ‘‘ बहुसंख्यक जनताक एहन सोंच भेलाकवादो एतेक कम भ्रष्टाचार केना भऽरहल अछि ?’’

जतुक्का जनता पडोसीक आरि छाँटऽमे बहादुरी बुझैत होई, सरकारी या सार्वजनिक सम्पतिके लुटके माल बुझैत होई, मिटर रहलाक बादो बन्सी फँसाकऽ बिजुली वारैत होई, अपन या धीयापुताक नोकरीलेल घुस देवाकलेल तैयार रहब अपन संस्कार बुझैत होई, जातिपातिक, टोल–गाम, पाई आ दारुपर अपन प्रतिनिधि चयन करैत होई, मानवताके ताखपर राखिकऽ नितान्त व्यक्तिगत स्वार्थकलेल ककरो गरदनि कटवाकलेल सदति उद्धत रहैत होई, ओतऽ केहन समाजिक वातावरण रहतै ? ओहि समाजमे भ्रष्टाचारी नै जनमतै आ भ्रष्ट वातावरण नई रहतै त प्रकृतिके त उपहासे होएतै कि ?

जतुक्का व्यापारी ग्राहकके जानके बिनु कोनो परवाह कयने खाद्य वस्तुमे मिलावट कएनाई अपन धर्म बुझैत होई, एक्कहिटा सामानक भाओ ग्राहकके मुँहकान देखिकऽ अलग–अलग लगाओल जाइत होइक, तौलमे कमी करब अपन बुधियारी बुझैत होई, देशक राजश्वके चोरी करवाकलेल अनेक जालझेल करब अपन कर्तव्य बुझैत होई आ व्यापारीके रोकनिहार–टोकनिहार कियो नई होई, तहन कालाबाजारी आ कोनो हालतिमे पाई कमयवाक या कहु जनताके लुटवाक सोंच रखनिहार व्यापारी भ्रष्टाचारमे लिप्त कोना नई भेटत ?

देशक निर्माणक जिम्मालेने ठीकदारे जहन १०० रुपैयाक समान ५०से रुपैयामे उपलब्ध करायब कहिकऽ कोनो तरहें ठीक्का हथियवैत होई, सिमेन्टक बदलामे राखे धऽकऽ ढलान कएनिहानके बोलबाला होई ओतुक्का कोनो निर्माण टिकाउ होएवाक चाही से कहब त बुडिबकइय छैक ने ?

अपना सनसन लोकतान्त्रिक देशक जनप्रतिनिधिए जहन चोर–बनोर भऽ जाई त समग्र विकासके बात त हवेमिठाई होएतै ने ? जतुक्का जनप्रतिनिधिए अपन–परायाक भाव राखिकऽ काज करैत होई, जे कोनहु परिस्थितिमे पाई–पाई आ मात्र पाई देखैत होई, ओतुक्का विकास केहन होएतै ? अपना कार्यकर्ताद्वारा कयलगेल केहनो कुकर्मके झाँपतोप करवाक काज कएनिहार जनप्रतिनिधिके भ्रष्ट नई कहवै त कोन नाम देल जाऽसकैय ?

लोकतन्त्रमे खवरदारी कयनिहार विपक्षीएसब जहन निर्वाचित जनप्रतिनिधिके कुकर्ममे सहभागि भऽजाई तहन बजनिहार के बँचि जयतै ? जतुक्का विपक्षी पार्टीक नेता÷कार्यकर्ता जनप्रतिनिधिके योजना सबहक ठीकदार भऽ कमीसन दैत होई ताहि स्थानके वातावरण भ्रष्टाचारमय नई रहतै त केहन रहतै ?

देशमे जनप्रतिनिधि अपन मनमानी नई करय ताहिके रखवारी करैत अनियमितता रोकवाकलेल जनताके राजश्वसँ राज्यद्वारा राखल राष्ट्रसेवक कर्मचारीए भ्रष्टाचार करवाक बाट देखवऽबला भऽ जाई, ओतऽ बजेटक सदुपयोग कोना होयतै ? जतऽ कर्मचारिय भरिसालके बजेट खर्चकरवाकलेल जनप्रतिनिधिसँ ठिक्का लऽलै, ओतऽ भ्रष्टाचारक गाछ दिन दुन्ना आ राति चौगुन्ना चतरतै कि नहिं ?

जाहि देशमे सबपर नजर रखनिहार पत्रकारक कलम लेनदेनमे ओझरागेल होई, जतऽ भ्रष्टाचारक समाचार नई लिखवालेल आ अपन झूठमूठक प्रचार करवाकलेल संचारकर्मी प्रयोग कयल जाइत होई, ओतऽ भ्रष्टाचारक बात बाहर कोना अओतैक ? यदाकदा बाहर चलियो अबै आ अख्तियार सन निकायधरि कहुना चलि जाई एवम् अख्तियारे जतऽ सबके क्लिन चीट थम्हादैत होई, तहन भ्रष्टाचारक विकास चौतर्फी किया नई होएतै ?

जाहि धर्तीपर सुरक्षेकर्मीक प्रत्यक्ष संलग्नतामे तस्करी कराओल जाइत होई, केहनो जघन्य अपराध कएलाक बादो पाईयक बलपर प्रहरी÷प्रशासन अपराधीके जमायक सम्मान दैत होई, ओतऽ अत्याचारके रुपमे भ्रष्टाचार कि समाप्त होयतै ?

आखिर भ्रष्टक श्रेणीमे के अव्वल आ के दूर्वल कहनाई कठीन अछि । समग्रतामे ई कहल जाऽसकैय जे आम जनता आ समाजे सबसँ पैघ भ्रष्टाचारी अछि जे कोनो ने कोनोरुपें अपनो भ्रष्टाचारमे शामिल अछि या भ्रष्टाचारके सहयोगी बनल अछि । नई त कमसँकम अपना चारुदिस भ्रष्टाचारके देखैत चुपचाप गुवदी लदने अछि ।

आखिर कहिया तक होइत रहत भ्रष्टाचार ?

जँ कोनो शिक्षित या बुझनुक लोकलग ई प्रश्न करवै त उत्तर सामान्यरुपसँ भेटत– समय अओतै त अपने आपसब समाप्त भऽजयतै । प्रश्न ई अछि जे– ओ समय कहिया अओतैक ? कि अपने आप ओ समय चलि अओतै कि ककरो ने ककरो प्रयास करऽ पडतैक ?

जाधरि सबकियो देशक उन्नतिक सोंच अपनाआपमे नई लाओत आ अपनाके कोनो तरहक भ्रष्टाचार करऽसँ नई रोकत, तहियाधरि भ्रष्टाचारक गाडी दौडते रहत । अपन–पराया, जाति–पातिक फेरिमे नई परिकऽ जहियासँ भ्रष्टाचारक विरोध खुलिकऽ नई भेनाई शुरु होयत ताधरि भ्रष्टाचार हटवाक काज प्रारम्भ नहिं भऽसकैय । आ जहन कोनो काजके प्रारम्भे नईं होएत त काज आगा कोना बढत ? भगवति हमरासबके भ्रष्टाचारी बनऽसँ रोकथि आ भ्रष्टाचारके विरोध करवाक मतिक संग शक्ति प्रदान करथि । 

 


Monday, May 17, 2021

मारिपीटके राजनीतिकहियाधरि ?


–मनोज झामुक्ति

एकदिस संसारक देशसब चानपर वस्ती वैसावऽके जोगारमे लागल अछि । आमजनताके मानवअधिकारप्रति देशसब संवेदनशील अछि । आमलोकके समर्थन हासिल करैत विपक्षके परास्त करवाकलेल नव–नव कार्यक्रम राजनीतिकदलसब लएवामे दिनरातिलगौने अछि । त दोसर दिस नेपालमे अपन सत्ता टिकावऽलेल, वर्चश्व बढावऽलेल आ अपनविरोधीक आवाजके चुप्प कराबऽलेल नंगई, दवंगई देखायवसन निकृष्टकाज एखनोधरि समाप्तनई भेल अछि । मारिपीट या दवंगईयक सहारे कहियाधरि राजनीतिक गाडी खिचाइत रहत ? प्रजातन्त्र या गणतन्त्रकलेल बहुत पैघ समस्या आ अपनाके प्रजातान्त्रिक कहनिहार सबहक चरित्रपर प्रश्नचिन्ह ठाढ करैत अछि ।

किछुए दिनपहिने पर्सा जिल्लामे भेल मुकेश चौरसियाक हत्या आ महोत्तरीक मटिहानीमे नेकपाक नेता विजयकुमार चौधरी एवम् मेयर हरी प्रसाद मण्डल पक्षक बीचमे एक देसरपरभेल आक्रमण हमरासबहक समाजक राजनीतिके सहजहिं वर्णन करैत अछि । ई दुनू घटना अपना देशक राजनीतिक चरित्रक प्रतिनिधि घटना मात्र अछि, देशक हरेक जिल्ला, पालिका, वार्ड आ गाम–टोलमे रहल राजनीतिकर्मीमे एहनमानसिकता घर बनौने बैसल अछि ।

पार्टी एकिकरण भेलाकवाद दूटा गुटक वर्चस्वताक लडाईमे जान गुमौने मुकेश चौरसियासन हाल आन बहुतोठाम नईं होएत से कहव कठीन अछि । 

  मारिपीटक कारण की ?

ओना त राजनीतिक दल सबहक अपन अपन सिद्धान्त आ विचार भेल करैत अछि । मुदा, नेपालसन देश जतऽ आम जनता मात्र आ मात्र अपन व्यक्तिगत स्वार्थपूर्तिकलेल कोनो ने कोनो पार्टीक समर्थक या कोनो नेताके अनुयायी भेल देखवैत अछि एवम् केहनो अपराधिक काज कएलाक बावजुद अपना समर्थककेँ सहयोग करवाक काजके राजनीतिक धर्म निर्वाह करवाक मान्यता घर बनौने अछि, ओतऽ कोन राजनीतिक सिद्धान्तके राजनीति भऽ रहल अछि से आमलोकसँ लऽकऽ राजनीति कएनिहार सबके नीकजकाँ बुझल अछि ।

अपन गुटक नेताके वर्चश्व बढएवाकलेल, अपन पक्षक नेताके विरोधीके शान्त करवाकलेल, अपना पक्षके अपराध नुकएवाकलेल, विरोधीके नीचा देखएवाकलेल मारिपीट भेल करैत अछि आ ओकरा राजनीतिक चादर ओढादेल जाइत अछि ।

जनताक मतसँ जितल प्रतिनिधि अपन कार्यकालधरि अपनाके सेवकके बदलामे राजा बुझवाक, अपन कमजोरीके विरोध कएनिहारकेँ गुन्डा लगाकऽ पीटपाटिकऽ शान्त करवाक जे मानसिकता देशक राजनीतिकर्मीमे बढल अछि, मारिपीटके संस्कृतिके आओर बढावा भेटिरहल अछि ।

जनताके भयत्रासमे रखवाक आ अपन मनमानी करैत रहवाक मारिपीटके प्रमुख कारण देखलगेल अछि ।

  मारिपीटके राजनीतिके प्रश्रय केना भेटिरहल अछि ?

गणतन्त्रमे जतऽ विचारके राजनीति होएवाक चाही, एकटा विचारसँ सहमत लोक एकठाम या कहु एकटा पार्टीमे रहव सामान्य मान्यता अछि । मुदा, नेपाल आ ताहुमे मधेशमे विचारसँ बेसी एक्कही जाति, वडका जाति–छोटका जाति, अपन टोल–दोसर टोल, धन्नीक–गरीबक नारापर राजनीति भऽरहल सत्यके केओ अस्वीकार नई कऽसकैत छी ।

अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासके कोनो जाति या कोनो पार्टी नई होइत छैक । लेकिन जाइ देशमे÷जाइ प्रदेशमे अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासमे अपन पार्टीक सदस्य नजर अवैत होइ, ओतऽ विचारके राजनीति हुकुर–हुकुर करवे करतै । अपना पार्टीक सदस्यता लेने अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमास जँ पकरा जाइत छैक त पार्टी आ पार्टीक भातृ संगठनद्वारा प्रेस विज्ञप्ति निकालिकऽ सरकार या विपक्षीके गरियाविकऽ संरक्षण प्रदान करब सन–सन काज मारिपीटक राजनीतिके समाप्त करऽसँबेसी प्रश्रय दऽरहल अछि ।

अपन पार्टीक सदस्य या समर्थकके बचाउमे धर्ना÷प्रदर्शनसन काज आओर राजनीतिके शर्मसार कऽरहल अछि । जतऽ अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासके पक्षमे प्रेस विज्ञप्ति, धर्ना, प्रदर्शन आ दवाव रैली निकालल जाइत होई, ओतऽ अपराधक राजनीतिके प्रश्रय भेटतैक कि नहिं ? 

राजनीतिक दलमे आवद्ध नेतासब मारिपीटके राजनीतिके प्रश्रय दऽरहल अछि, ताइमे कोनो दू मत नहिं । जाधरि अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासमे राजनैतिक दलक नेतासब समाजक कलंककेरुपमे देखवाक शुरु नई करतैक, ताधरि मारिपीटक राजनीतिके अन्त्येष्ठी होएव कठीन छै । 

देशक कानूनके जाधरि स्वतन्त्र नई छोडल जएतै, अनावश्यक राजनैतिक दवावके राजनीति बन्द नई होएतै अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासके मनोवल बढिते जएतै आ मारिपीटक राजनीति दिनानुदिन बढिते जएतै ।

प्रशासनके ढुलमुल रवैया, ककरो प्रतिके सहानुभूति आ आक्रोशक कारण सेहो देशमे मारिपीटक राजनीतिके मलजल दैत आएल अछि । अपन पद बँचयवाक, बढुआ आ पारितोषिक पएवाक आश या लोभक कारणे जे प्रशासन आ सुरक्षा निकाय ढुलमुल नीति बनौने अछि, तकरा कारण सेहो वास्तविक अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासके मनोवल बढिरहल अछि आ मारिपीटक राजनीति समाप्त होयवाक बदलामे दिनानुदिन फुलाएल जाऽरहल अछि ।

  कोना हटत ई मारिपीटक राजनीति ?

गणतान्त्रिक देशमे मतपत्रके सबसँ पैघ महत्व रहैत अछि । गणतन्त्रके जनताके शासन सेहो कहल जाइत अछि, जतऽ जनतासँ चुनल प्रतिनिधि शासन करैत अछि । मुदा, जतऽ मतपत्र जातिपाति, पाई, दारु, अपन गउँआ–दोसर गउँआमे ओझराएल रहत, ताधरि समाजमे परिवर्तन नई भऽसकैय । मत पएवाकलेल राजनीतिकर्मी कतवो नीच काज करवाक चलन देशमे विद्यमान अछि । जाऽधरि अपराधी, चोर, भ्रष्ट, दमनकारी, बदमासके खराब नै मानल जएतै, ताधरि मारिपीटक राजनीति चलैत रहतै । जतऽके अधिकांश जनता व्यक्तिगत स्वार्थमे लीन रहतै, ओतुक्का नेता अपन स्वार्थक पूर्ति अपराधी गतिविधिसँ करिते रहतै । जाधरि राजनीतिक दलक सिद्धान्त अनुरुप राजनीतिक दलक सदस्यसबहक आचरण नई होएतै, मारिपीटक राजनीतिके गाडी फूल स्पीडमे दौडिते रहतै ।

अतः अपनाके सजग आ वास्तविकरुपमे अहिंसाके समर्थक कहनिहार लोक, आम जनतामे जनजागरण नई करौतै, अपन व्यवहारके आत्मसात नई करतै ताधरि सबकियो अहिंसा–अहिंसा जपैत रहतै आ समाज सब तरहें दूर्गतीसँ भरैत जएतै । जानकी सबके समयमे सदबुद्धी देथुन । नीकके नीक आ खराबके खराब कहवाक सामथ्र्य सबमे आवैक ।


भौतिक पूर्वाधार विकासक क्रममें लोप होइत स्थानीय संस्कृति

 मनोज झा मुक्ति

देश संघीयतामे गेलाकवाद सबठाम भौतिक पूर्वाधारक काजमे आमूल परिवर्तन भऽ रहल अछि । गाम गामक सडक गल्लीसब ढलान भेल अछि त कार्यालय भवन आ प्रवेशद्वारक संगहि धार्मिक स्थलसब एवम् पोखरिक सौन्दर्यीकरणक काज जोरसोरसँ होइत देखल जाऽरहल अछि । भऽरहल भौतिक निर्माण कतेक टिकाउ अछि से अलग बात । बिनु नालाके सडक ढलान या ठामठाममे निर्माण भेल या निर्माणक क्रममे रहल प्रवेशद्वारक आवश्यकता आ अपरिहार्यताक विषय अपने ठाम अछि । समग्रमे ई कहल जाऽसकैय जे भौतिक पूर्वाधारक विकास देशमे यत्र तत्र सर्वत्र भऽरहल अछि । गामघर आ छोटमोट शहर सुन्दर लागऽलागल अछि । मुदा, पहिचानकलेल आएल संघीय देशमे पहिचानक प्रमुख अवयव रहल संस्कार आ संस्कृति मरनासन्न अवस्थामे पहुँचैत स्पष्टरुपसँ देखल जाऽरहल अछि ।

स्थानीय संस्कृतिक विकास होई, अप्पन संस्कृतिक संरक्षण आ संवद्र्धन होई ताहिलेल स्थानीय तहमे यथेष्ट बजेटके व्यवस्था कयलगेलाक वादो निर्वाचित पदाधिकारक आ संस्कृतिकर्मीक निष्कृयतासँ पहिचानक पर्याय रहल संस्कृति लोप होएवाक क्रममे अछि । 

जाहि प्रकारक स्थानीय, प्रादेशिक आ संघीय सरकारक दृष्टिकोण संस्कृतिक विकासमे देखल जाऽरहल अछि, बहुत चिन्तनीय अछि । जनप्रतिनिधिसबके संस्कृति जेना विसराइएगेल होय तेना प्रतित होइत अछि, त संस्कृति अभियन्तासब मंच, सभा\सेमिनार आ गोष्ठीमे जहिना संस्कृति बचयवाक बात करैत छथि, कार्यपत्रसब प्रस्तुत करैत छथि ओ गामगाम आ टोलधरि नहिं पहुँचि ओतहि ठमकल रहि जाइत अछि । संस्कृति संरक्षण आ प्रवद्र्धनक नामपर जे बजेट जाहि निकायमे अवैत अछि ओ सबटा खर्च भेल अधिकांशठाम देखल गेल अछि ।

मिथिला संस्कृतिक पर्याय बनल फगुआ होय या जुडशीतल, सामा होय या झिझिया, जटजटिन होय या डोमकच्छ सबके सब आब नामेकलेल जिवीत रहिगेल अछि । कोनो सांस्कतिक कार्यक्रमक स्टेजपर गीतमे एकर प्रदर्शन धरि मात्र सीमित भऽ कऽ रहिगेल बातसँ कियो असहमत नहिं होएवाक अवस्था अछि ।

अपन संस्कृतिप्रतिक उदासिनता देखाविरहल विभिन्न तहक सरकार अपना ठाम दोषी त अछिए, संस्कृति बँचयवाक नामपर खोलल संघ\संस्थासब आ अपनाके अभियानी होएवाक दावा कएनिहान सभ सेहो एहिमे दोष मुक्त नहिं देखल जाऽरहल अछि । जनप्रतिनिधिपर दवाव देवाक काज हुए या संस्कृतिके जिवन्त करवाक काज हुए, एहिपर सभके संवेदनशील भऽकऽ लगनाई अत्यावश्यक अछि । आब सबके एकमत होबहि परत जे पहिचानक पर्याय आ मिथिलाक परिचायक रहल संस्कृति आब मञ्चधरि मात्र सीमित रखवाक अछि दोसरके देखयवाकलेल कि वास्तविकरुपसँ सांस्कृतिक जागरणक अभियान गामगाम आ टोलटोलधरि लऽ जएवाक चाही ?

शहरमे रहनिहार धियापुतासब त अपना संस्कृतिसँ अनभिज्ञ अछिए, संस्कृतिक डीह मानल जाइत गामघर आ टोलटोलक बच्चासब सेहो अपन संस्कृतिक वास्तविक रुपसँ दूर जाऽरहल अवस्था आविगेल अछि । संसारक सबसँ वैज्ञानिक आ सामाजिक एकताक बन्हनक रुपमे रहल संस्कृति शिक्षण आ प्रशिक्षणक आभावमे या त शुन्य प्रायः अछि, या विकृतरुप धारण करैत जाऽरहल अछि । संस्कृति धरापमे पडलाक कारणे सामाजिक व्यवस्था डगमगा रहल सत्यके सबके स्वीकार करहिटा पडत ।

स्थानीय सरकारसबपर विशेष कऽ दवाव बनाविकऽ गामगाममे अनिवार्य आ विधिवतरुपसँ प्रशिक्षणक काज जँ आरम्भ नई कयलगेल त मिथिलाक संस्कृतिके संरक्षण करव अत्यधिक कठीन भऽजाएत । जे जतवा संस्कृतिक जानकार गामघरमे जीवित रहिगेल अछि जे एहिमे उत्साह पूर्वक सहयोग कऽसकैत छथि, हुनकर सबहक सहयोगसँ जतेक सरलसँ संस्कृतिके संरक्षण आ प्रवद्र्धन कयल जा सकैय से मौका हातसँ निकलि जाएत ।

ओना संस्कृतिक संरक्षण प्रवद्र्धनक नामपर सरकारी बजेट निकालि रहल संघ\संस्था सबके कमी नई रहितो सतहीरुपमे काज नई भऽरहल अछि । संस्कृतिक संरक्षण आ प्रवद्र्धनक नामपर निकालल बजेटसँ अपन विलासिता पुरा करवाक काजके बन्द करहिटा पडत । जाधरि हमसब मात्र आ मात्र देखावालेल संस्कृतिक संरक्षण आ प्रवद्र्धनक काज करैत रहव त एकर नाश होएव प्रायः निश्चित अछि ।

भौतिक विकास होइत समयमे नष्ट होइत जाऽरहल सामाजिक व्यवस्था आ सांस्कृतिक विकासप्रति स्थानीय जनप्रतिनिधि जँ सचेत नई होएता त गाम,शहर त पक्की भऽजाएत, पोखरि सौन्दर्यीकरण, ठामठाममे प्रवेशद्वारक निर्माण आ मठमन्दिरक निर्माण भऽजाएत, मुदा सामाजिक आ सांस्कृतिक विचलनसँ गाम शहर आदमी अछैतमे श्मसान तुल्य बनवाक संभावना बेसिए अछि ।

ताँए, अपन अपन दायित्व आ कर्तव्यप्रति इमान्दार भऽ सब तहक सरकारमे रहल कर्मचारी, जनप्रतिनिधि आ सामाजिक\सांस्कृतिक अभियानीसबके अपन पहिचानक प्रमुख तत्व रहल संस्कृतिके वास्तविकरुपसँ संरक्षण आ संवद्र्धनक काजमे जँ नई लागव त अपन अन्तरआत्मा आ अपन सन्ततिक आगा मुँह देखयवाक योग रहिसकव ताईमे शंका अछि । जानकी सबके समयमे सदबुद्धि देथु ।


अस्तित्वक कटघेरामे मिथिला : मैथिलीक संघ संस्थासब

 मनोज झा मुक्ति

संसारक समृद्ध संस्कृति, मिठ्ठ भाषा आ दुराग्रही संस्कारसँ भरल मिथिला धिरेधिरे अपन सबचीज गुमवैत जाऽरहल अछि । सऽभ तरहें मिथिलाक पहिचान संकटमे पडैत जाऽरहल बातके स्वीकार करवामे किनको आपत्ति नई होएवाक चाही । आखिर, ई अवस्था कोना अएलै ? एकर दोषी के ? के एकर खोज करत ?

विद्वानक बात करव त एकसँ एक विद्वताक व्यक्ति सर्टिफिकेट सहित सहजे उपलब्ध भऽजएता । अभियानक बात करबै त उत्कृष्ट अभियान संचालन कएने प्रमाण सहित प्रस्तुत होवऽबलाके कमी नै भेटत । मिथिला आ मैथिली प्रति अपन जीवन समर्पण कऽदेने कहनिहार व्यक्ति आ संस्थाक गन्ती सेहो संख्यामे कम नई । मुदा, ई सब बात पेपर–पत्रिका, सभा–सेमिनार, गोष्ठी या मंचपरक गप्प अछि । ई आ एहन बात कहऽ\सुनऽमे जेतवे बड सुहनगर लगैत छैक, निर्वाह करऽमे ओतवे कठीन छै । किया त कहऽ÷सुनऽमे पाई आ परिश्रम नई लगैछै । ‘मंगनीके पाई त नौ मन तौलाई’ से सबठामकलेल बनल कहावत होइतो अपनासबहक माटिपानिकलेल एकदम सटीक बैसैत अछि ।

मिथिला÷मैथिलीकलेल मात्र नेपाल÷भारतमे बहुतो रास संघ\संस्था खुजल । बहुत, किछु दिन अस्तित्वमे रहल आ शिथिल होइत बिलागेल । किछु समय–समयपर खुजैत अछि, पुनः बन्द भऽजाइत अछि । आ किछु नामेमात्रलेल बोर्ड टांगिकऽ बैसल अछि । विगतमे मैथिली÷मिथिलाकलेल जमिनीरुपमे काज कएने संस्थासब एखन नाफा–घाटाके दोकानमे परिणत भऽ साइन बोर्ड झमकौने अछि । कहियो अभियान मुख्य उद्देश्य रहल संस्था अपनाके पूर्ण व्यावसायीक बनालेने कहैत अछि आ केहनो काजमे जीविकोपार्जनक प्रश्नके ठाढ कऽदैत अछि । 

मैथिली\मिथिलाकलेल काज कएनिहार व्यक्ति या संस्थाके जहन पुरस्कार या सम्मानक बात होइत छैक तहन मैथिली\मिथिलाक नाम भँजौनिहार व्यक्ति आ संस्थासब बुलबुलाकऽ निकलव कोनो नव बात नहि ।

हमर शिर्षक अछि जे मिथिला\मैथिलीसँ जुडल संघसँस्था सबहक अस्तित्व संकटमे अछि ।  ओना अस्तित्व बिहीन लोकसब रहल संस्थाक अस्तित्व कोना लहलहाओत ? कहवाक तात्पर्य ई जे नैतिक धरातलके बिसरिगेल लोक जहने कोनो संस्थामे रहत त धिरेधिरे अपन चरित्रके प्रभाव ओहि संस्थापर छोडवे करत । 

मिथिला\मैथिलीक संरक्षण आ संवद्र्धनलेल कोनो काज नईं होइत अछि या संस्थासब नई करैत अछि सेहो बात नई छै । मुदा, प्रश्न छै जे जाहि तरहक काज मिथिला\मैथिलीक अस्तित्व निखरारऽलेल÷जोगावऽलेल होएवाक चाही से कि भऽरहल छैक ? जाहि स्तरके काजक आवश्यकता मिथिला÷मैथिलीक छै, से कि कएलजारहल छै ? या जे काज कोनो व्यक्ति अथवा संस्था जे कऽरहल अछि, ताहिसँ मिथिला÷मैथिलीके अभिष्ट पुरा भऽरहलैय ?

हमरा जनतवे मिथिला÷मैथिलीकेलेल बहुत रास व्यक्ति आ संस्था काज कऽरहल देखवैत अछि । अन्तरर्राष्ट्रि«य मैथिली सम्मेलन, मैथिली लिटरेचर फेस्टिभल, मैथिली साहित्य सम्मेलन, कवि गोष्ठी, कथा गोष्ठी, विचार गोष्ठी, सम्मान कार्यक्रम, पुरस्कार वितरण समारोह, फग्ुआ फुर्रर् दंग, महामूर्ख सम्मेलन, विद्यापति स्मृति कार्यक्रम, चनमा,सांगितिक कार्यक्रम, नाटक महोत्सव लगायतक बहुत सभा÷सेमिनार महोत्सवक आयोजना प्रायः कतौ ने कतौ होइते रहैत अछि । लोक सहभागियो होइत छथि, खर्चो जुटवैत छथि, खर्चो करैत छथि । मुदा की मिथिला\मैथिलीके ओहिसँ उपलब्धी छै त ? जँ छै त, केहन ?

जहने काज होइत छै या कएल जाइत छै त किछु ने किछु उपलब्धि भेनाई स्वाभाविक छै, होएवो करैत छै । मुदा, जाहिरुपसँ मिथिला\मैथिलीक अस्तित्वपर चौतर्फी प्रहार कएल जाऽरहल छै, मान मर्दन कएल जाऽरहल छै, ओतऽ जाहिरुपक काज होएवाक चाही से कि भऽरहल छै त ? 

चाहे मिथिला राज्य नामाकरणक प्रश्न होई या मिथिला क्षेत्रमे मातृभाषामे पढाइयक । सरकारी कार्यालयसबमे मातृभाषाक प्रयोग बढावऽके अभियान होई या मिथिला क्षेत्रमे साइनवोर्ड, पर्चा÷पम्पलेट, वालपेन्टिगं अपन भाषामे लिखएवाक अभियान, कतेक संस्था जमिनीस्तरपर एहि काजमे अपन उर्जा लगौने अछि ? विगतमे कएलगेल काजके कतेकदिनधरि गन्ती कराविकऽ दोकानक बिक्री होइत रहत या बेचैत रहब ? 

भाषा कोनो जातिक नईं होइत छै, भूगोलक होइतछै से साश्वत सत्यके जनितो मिथिलाक क्षेत्रमे भाषागत जे वितण्डा मचाओल जाऽरहल छैक, ताहिपर मात्र सभा÷सेमिनारमे विचार विमर्श कहियाधरि सिमीत रहतै ? मिथिला क्षेत्रक लोककेँ जाहिं तरहें झूठफूस बाजिकऽ मैथिलीक विरोधी मानसिकता तैयार कएल जाऽरहल छै, तकरा के फरिछेतै ?

जँ कोनो राजनीतिक दल या कोनो नेताके भरोसे बैसल रहब त सबहक अस्तित्व बँचत कि डूबत से प्रायःलोक बुझिरहल छियै । विवेकहीन विभिन्न पार्टीक कार्यकर्ता आ नेताक कारणे सेहो मिथिला÷मैथिलीकेँ अस्तित्वपर प्रहार कएल जाऽरहल छै से सबके नीकजकाँ बुझल अछि । भोंटक लोभे आ दोपटा ओढवाकलेल कोनो नेता या मन्त्री केहनो एवम् ककरो मंचपर जाऽकऽ आयोजक अनुसारके भाषण करऽमे कनिक्को नईं हिंचकिचाएल करैछ अछि । नेता अपना माइयक बोलीके कखनो कोनो भाषा त कखनो कोनो भाषा कहऽमे कनिक्को विचारधरि नई करैत अछि ।

एहन अवस्थामे मिथिला÷मैथिलीकलेल लागल प्रत्येक व्यक्ति आ संघ\संस्थापर ऐतिहासिकरुपसँ कलंकक टीका थारी सजल दरबज्जापर प्रतिक्षा कऽरहल अछि । जौं सबकियो अपन–अपन काजके जमिनी स्तरपर नई करव, मिथिला क्षेत्रक लोकके मानसिकतामे विष रखनिहारकेँ नंगा करैत, फरिछिएवाक काज अविलम्ब शुरु नई भेल त सबहक अस्तित्व घोर संकटमे लगभग लगभग पडैत जाऽरहल अई ।

अपनाके मिथिला\मैथिलीक सेवक कहनिहार, मिथिला\मैथिलीक अभियानी कहनिहार, मिथिला\मैथिलीक नामपर पेट पालनिहार व्यक्ति आ संघसंस्थासबके अविलम्ब एकटा रणणीति बनाविकऽ मिथिलाक गामगाम आ टोलटोलमे पैसऽके शुरु कऽदेवऽपरत ।

नेपाल आ भारत संविधानमे मातृभाषामे पठन–पाठन कराओल जएवाक बात रहितो बहुत कम व्यक्ति आ संस्था एहिदिस प्रयास कएलक । किछु व्यक्ति या संस्थाक प्रयाससँ मैथिली विद्यालयधरि पहुँचल त, मुदा सहयोगक आभावमे थकमका रहल अछि । जँ सहयोगी हाथ, संघसंस्थासबके आवाज बुलन्द नई कएलगेल त पाठशालाधरि पहुँचल मैथिली दम तोडिदेत । एहिलेल व्यक्तिगतरुपसँ या संस्थागतरुपसँ मिथिला\मैथिलीकलेल कएल जाऽरहल खर्चमेसँ मैथिलीक पठनपाठनके सहयोग कऽ जोगौनाई सन ठोस काजक संस्कार कहियासँ शुरु होएतै ?

सरकार जनगणनाक तैयारीमे अछि, पाईकेलेल अपना मायके बेचिलेने मैथिलीएक किछु बेटा गामगाममे नौटंकी करऽमे लागल अछि । ककरो राजनीतिक अभिष्ट पुरा करवामे अपन भाषाके दोसर ठामक भाषा, जातिक भाषा कहिकऽ विभिन्न गतिविधि कऽरहल अछि । गामगाममे अभियानी या संघसंस्थाके जाऽकऽ अपन अस्तित्व रक्षा सन महत्वपूर्ण काज शुरु करवामे शारिरीक, नैतिक आर्थिक सहयोगक वातावरण निर्माणकलेल गोष्ठी कहिया होएतै ?

एकटा बात निश्चित अई जे मिथिला÷मैथिलीक बात कएनिहार, काज कएनिहार, दोकान खोलनिहार, भँजौनिहार सबहकलेल खतराक घण्टी बाजिगेल अछि । एहन समयमे मिथिला÷मैथिलीकलेल खुजल संघसंस्थाक अस्तित्व कटघेरामे अछि । जँ अस्तित्व जोगएवाक अछि, नैतिकता बँचल अछि त संघसंस्थासब एहि दिस ठोसगर सोंच बनाविकऽ आगा बढऽमे विलम्ब नई करी । ओना त किछु विलम्ब भइएगेल अछि, आब जँ आओर विलम्ब भेल त सबहक अस्तित्व मात्र संकटमे नई अछि, सबहक नामके इतिहास कलंकीत करवाक प्रतीक्षामे सेहो अछि । जानकी समय अछैते सबमे चेतना देथुन्ह । 

 

 



 

Saturday, October 10, 2020

देशमे व्याप्त संस्थागत भ्रष्टाचार ः बाजत के ? (भाग–२)

   देशमे व्याप्त संस्थागत भ्रष्टाचार ः बाजत के ?

(भाग–२)

–मनोज झा मुक्ति

अपना देशमे भ्रष्टाचार कतेक अछि ? कोना होइत अछि ? ई प्रश्न जौं किनकोसँ कएलजाए त उत्तर की भेटत से कहवाक बात नहि । हँ भ्रष्टाचार कोना होइत अछि से सर्वसाधारण मेसँ बहुत कमेके बुझल हैतन्हि । आश्चर्यक बात त ई अछि जे भ्रष्टाचारक खेती कएनिहार भ्रष्टचार निर्मूल करवाक बात करैत अछि । भ्रष्टाचारे भ्रष्टाचारसँ भरल एहि देशमे उदाहरणक कमी नहि अछि । देशक अधिकांश लोक कोनो ने कोनो तरहें भ्रष्टाचारमे लिप्त अछि । फर्क एतवा अछि जे कियो कम त कियो बेसी ।

गामक एकटा पान दोकानपर पान खएवाकलेल पहु्ँचलहुँ । पान लगएवालेल दोकानदारके कहि ठाढ छलहुँ त हमरासँ पहिनेसँ दोकानपर ठाढ  दूगोटे अनचिन्हार लोक ओतऽ बातचीतमे लीन छलाह । पानक प्रतिक्षामे बैसल हमर ध्यान ओहि दूनुगोटेक बातपर गेल । दूनुगोटे भ्रष्टाचारक सम्बन्धमे बात करैत छलाह । बात होइत छल विद्युत कार्यालयक सन्दर्भमे । सम्भवतः ओहिमेसँ एकटा विद्युत कार्यालयमे नोकरी कएनिहार रहथि आ दोसर हुनक कोनो सरकुटुम्ब जकाँ बुझाइत छलाह । हुनका सबहक बातचितक आधारपर भ्रष्टाचारक एकगोट संस्थागत नमूना हम प्रस्तुत कऽ रहल छी ।

देशक जनताके सुविधाकलेल विद्युत कार्यालयके स्थापना भेल अछि । देशक प्रत्येक गामघरमे विजुली पहुँचै आ विजुली वापतके राजश्व सरकारके असुली होइ से विद्युत कार्यालयके मुख्य काज अछि । कोनो गाममे विद्युतके पोल पहु्ँचएवाक होइ या कोनो घरमे मिटर लगबावऽके एहिमे खुलेआम भ्रष्टाचार कएल जाइत अछि आ बाजऽबला केओ नई अछि । अपना घरमे मिटर लगएवाकलेल कतेकोबेर कार्यालयके चक्कर लगबऽ परैत छैक । कार्यालयक चक्कर लगौलाकबाद सम्वन्धित कर्मचारीके बिना किछु लेने देने काज होएव बहुत मुस्किल अछि । कोनो गाममे या व्यक्तिगतरुपसँ विद्युत पोल लेवाकलेल त आरो मोस्किल अछि आ ठाहाठाही भ्रष्टाचार । एक त बहुत सोर्सफोर्स आ अनुनय विनयसँ पोल भेटैत छैक । कार्यालयसँ सम्बन्धित स्थानपर लऽजएवाकलेल सरकारेदिससँ पोल ढोआनीक पाइ देवाक या सम्वन्धित स्थानपर कार्यालयद्वारा पहुँचयवाक नियम छै । मुदा, अधिकांश जनताके अपने पाई खर्चकऽ पोल लऽजाय परैत छैक । केओ पोल ढोआनीक पाईके चर्चाधरि नई करैत अछि आ कार्यालयक कर्मचारीके कहवाक कोनो प्रश्ने नहि । कोनो नेता टाइप जनता जौं एकर चर्चा कएलक त ओकरा पोले लेनाइ कठीन भऽ जाइत छैक । अर्थात अधिकांश जिल्लामे विद्य्ुत पोलक ढुवानीक रकम शतप्रतिशत कार्यालयक हाकिम आ कर्मचारीमे बँटाजाइत अछि । दोसर पोल जहन सम्वन्धित स्थानपर पहुँचि जाइत अछि त पोल गारवाक जिम्मेवारी विद्य्त कार्यालयके होइत छैक । मु्दा पोल गारवाक काजमे खटनिहार प्राविधिक सम्वन्धित स्थानक जनतासँ भोजनक जिम्मेवारी त निर्वाह करवितेटा छैक, उपरसँ दक्षिणाक अभिलासा सेहो रहैत छन्हि । दुनुगोटाक गप्प जारिए छल, मुदा हमरा हडवडी भेलाक कारणे हम पान खाइत ओतऽसँ चलैत बनलहुँ ।

जनताके काज सुलभ तरिकासँ भऽजाई, जनतासँगे कोनो प्रकारक धोखा नई होइ ताहिलेल कार्यालय सबके निगरानी करवाकलेल जिल्ला–जिल्लामे सि.डि.ओ. कार्यालयक स्थापना कएलगेल अछि, जकरा पुर्ण अधिकार सम्पन्न बनाओलगेल छै । मुदा जहन स्वयं जिम्मेवार व्यक्तिए जौं ओहिमेसँ कमिशन लैत हो त जनता कतऽ जाएत ? विद्युत कार्यालय त एकटा छोटछिन नमूना मात्र अछि, अपना देशक कोनो निकाय नहिं अछि जे भ्रष्टाचारसँ अछुत हुए । ओना जाहि कार्यालयके खोजबिन करऽलागु, वएह कार्यालय या कहु वएह पेशा भ्रष्टाचारक अग्रणी स्थानमे देखाइ देत ।

गमघरमे एकटा कहवी छैक जे,‘पञ्चैतीमे झूठ नईं बजवाक चाही आ अदालतमे साँच नई बजवाक चाही ।’ जहने कहवी छैक त आइएसँ नई होएतै । ई कहवी कतेक सत्य छै या कि झूठ से प्रायसबलोक नीकजका बुझैत छी । जहन जे न्याय देवाक अधिकारी छै या कहु जतऽ न्यायक वास्ते जनता जाइत अछि ओतहि पाइयक बलपर मुद्दा फैसला होइ, ओहि देशमे आन आन कार्यालय आ आन आन पेशाक लोकसँ कि अपेक्षा कएल जासकैय ? कि ई बात निचासँ उपर तकके लोकके जानकारी नईं छै, जौं छई तहन मौनता किया ? के बजतै ?

सब पेशा आ कार्यालयमे भ्रष्टाचारक बात निचासँ उपरधरिक लोकके नीक जकाँ बुझल छैक, मुदा सबकेसब मौन रहि भ्रष्टाचार संस्कृतिके बढावा द रहल अछि । कानून त भ्रष्टाचार विरोधी बनले अछि, किछु भ्रष्टाचारीपर कारवाहीक बात सेहो सुनाइ दैत अछि, कि एहिसँ भ्रष्टाचार रुकतैक ?

जाधरि प्रत्येक मनुष्य भ्रष्टाचारके स्वयम् अपने मनसँ नई नकारत ताधरि ई सम्भव नहि बुझि पडैत अछि । ताँए अपन निश्चित मृत्युके प्रत्येक दिन जौं याद कएल जाए त लोकके मनसँ भ्रष्टाचार समाप्त होएत की ?

 

देशमे व्याप्त संस्थागत भ्रष्टाचार ः बाजत के ?

  देशमे व्याप्त संस्थागत भ्रष्टाचार ः बाजत के ?

–मनोज झा मुक्ति

अपना देशमे भ्रष्टाचार कतेक अछि ? कोना होइत अछि ? ई प्रश्न जौं किनकोसँ कएलजाए त उत्तर की भेटत से कहवाक बात नहि । हँ भ्रष्टाचार कोना होइत अछि से सर्वसाधारण मेसँ बहुत कमेके बुझल हैतन्हि । आश्चर्यक बात त ई अछि जे भ्रष्टाचारक खेती कएनिहार भ्रष्टचार निर्मूल करवाक बात करैत अछि । भ्रष्टाचारे भ्रष्टाचारसँ भरल एहि देशमे उदाहरणक कमी नहि अछि । देशक अधिकांश लोक कोनो ने कोनो तरहें भ्रष्टाचारमे लिप्त अछि । फर्क एतवा अछि जे कियो कम त कियो बेसी ।

चाह दोकानपर चाहक चुस्की लैत छलहुँ कि दूगोटे अनचिन्हार लोक ओहि दोकानपर पहँुचलाह आ चाह देवाकलेल दोकानदारके कहलखिन्ह । चाह पिवैत हमर ध्यान ओहि दूनुगोटेक बातपर गेल । दूनुगोटे भ्रष्टाचारक सम्बन्धमे बात करैत छलाह । बात होइत छल प्रहरीक सन्दर्भमे । सम्भवतः ओहिमेसँ एकटा प्रहरीमे नोकरी कएनिहार रहथि । हुनका सबहक बातचितक आधारपर भ्रष्टाचारक एकगोट संस्थागत नमूना हम प्रस्तुत कऽ रहल छी ।

समाजमे सुरक्षाक जिम्मेवारी, शान्ति सुरक्षाक जिम्मेवारी प्रहरीके दायित्व होइत छैक आधिकारिक रुपसँ । ककरोप्रति अन्याय नईं होइ अर्थात सबके न्याय भेटैक ताहिलेल सरकारद्वारा न्यायालयके व्यवस्था कएलगेल अछि । प्रहरीके ठगी,चोरी,जालसाजी, गुण्डागर्दी लगायतक काज रोकवाक जिम्मा होइत छैक । जहन प्रहरी अपने एहिकाजसबमे संलग्न होइ, तहन जनताक एहि तरहक समस्याके समाधान के करत ? प्रायः प्रहरी चौकीक काज कहुनाकऽ पाई उठाबिकऽ एस.पी.के देवाक काज लगभग लगभग संस्थागत भऽ गेल छैक । जौं कोनो चौकीसँ समयपर सकारलगेल रकम प्राप्त नई होइत छैक त ओहि चौकीक प्रमुखके जगेडा अर्थात जिल्लामे तानि लेल जाइत छैक आ ओकरा स्थानपर नयाँ चौकी प्रमुखके पठाओल जाइत छैक जे निश्चित समयपर रकम उगाही कऽ कऽ एस.पी.कार्यालयमे बुझबै चाहे जतऽसँ बुझवौक । ई बात पूर्णरुपें संस्थागत भऽगेल छैक । एकटा प्रहरी जवानसँ लऽकऽ प्रहरी मुख्यालयधरि ई काज होइत अछि, जे स्वयम् एहिकाजमे लागल होई ओ केना एकरा हटएवाक बात करत ? प्रहरी कार्यालय त मात्र एकटा उदाहरण अछि । अपना देशक कोनो निकाय नहिं अछि जे भ्रष्टाचारसँ अछुत हुए । ओना जाहि कार्यालयके खोजबिन करऽलागु, वएह कार्यालय या कहु वएह पेशा भ्रष्टाचारक अग्रणी स्थानमे देखाइ देत ।

गमघरमे एकटा कहवी छैक जे,‘पञ्चैतीमे झूठ नईं बजवाक चाही आ अदालतमे साँच नई बजवाक चाही ।’ जहने कहवी छैक त आइएसँ नई होएतै । ई कहवी कतेक सत्य छै या कि झूठ से प्रायसबलोक नीकजका बुझैत छी । जहन जे न्याय देवाक अधिकारी छै या कहु जतऽ न्यायक वास्ते जनता जाइत अछि ओतहि पाइयक बलपर मुद्दा फैसला होइ, ओहि देशमे आन आन कार्यालय आ आन आन पेशाक लोकसँ कि अपेक्षा कएल जासकैय ? कि ई बात निचासँ उपर तकके लोकके जानकारी नईं छै, जौं छई तहन मौनता किया ? के बजतै ?

जिल्ला स्तरमे सिडियो कार्यालयमे आम जनताक काज सबसँ बेसी पडैत छैक । सि.डि.यो. जिल्लाक सबसँ पैघ, शक्तिशाली आ जिम्मेवार अधिकारीक रुपमे मानल जाइत छैक । कोनो काज जौं जल्दिए करेवाक अछि त अपनासँ प्रायः सम्भव नहि अछि । अधिकांश सिडियो कार्यालयक बाहर लेखनदास एजेन्टकरुपमे काज करैत अछि । पासपोर्टक सन्दर्भमे चाहक चुस्की लैत ओसब गप्प करैत छलाह जे सेवाग्राहीसँ लेखनदास एक हजार टका कर्मचारीके देवाक बात करैत अछि, लेखनदास सेवाग्राहीक सोझेमे रकम उठौनिहार कर्मचारीके दैत अछि आ सेवाग्राहीक काज तुरत्त भऽजाइत छैक । जहन कार्यालय समय समाप्त भऽजाइत छैक त कर्मचारीद्वारा एजेन्ट लेखनदासके दूसय टका कमिसन वापत फीर्ता देल जाइत छैक । जहन जिल्लाक सम्पूर्ण जिम्मेवारी लऽ कऽ आएल सिडियो स्वयम् एहि तरहे सशुल्क सेवामे संस्थागतरुपसँ लागल अछि त जनता अपन फरियाद लऽ कऽ कतऽ पहुँचत ? कि ई बात कोना गृह मन्त्रालयक हाकिमसबके नईं बुझल छैक ? जौं सबके ई बात बुझल छैक त एकरालेल बजतै के ?

हमर चाह त खतम भऽगेल छल, मुदा भ्रष्टाचार खिस्सा सुनवाकलेल पुनः एकटा चाहके अर्डर दऽ हम ओहि दूनुगोटेक गप्पदिस कान थपने रहलहुँ । देशक कर्णधार रहल नेताजी सबहक भ्रष्टाचारक बहुत खिस्सा त सुनने छलहुँ, मुदा ई खिस्सा हमरा लेल नितान्त नव छल ।

प्रायः जिल्लामे किछु नेताजीसब प्रहरीसँ ढिठ्ठे अपन हिस्सेदारी माँगल करैत छथि । जेना कोनो जनताके काज लऽ कऽ जहन कोनो नेताजी एस.पी. कार्यालय या सिडियो कार्यालयमे जाइत छथि त हूनकर कमिशन पाकि जाइत छैक । ओहि लफडामे प्रहरी जे लेनदेन करैत अछि ओहिमेसँ नेताजीके हिस्सा देबहि पडैत छन्हि । नेताजीसब अपन कमिशन वापतके रकम पएवाकलेल तगादा करवासँ सेहो पाछा नई रहैत छथि । एहि तरहे भ्रष्टाचार व्याप्त अछि सगरो । सब पेशा आ कार्यालयमे भ्रष्टाचारक बात निचासँ उपरधरिक लोकके नीक जकाँ बुझल छैक, मुदा सबकेसब मौन रहि भ्रष्टाचार संस्कृतिके बढावा द रहल अछि । कानून त भ्रष्टाचार विरोधी बनले अछि, किछु भ्रष्टाचारीपर कारवाहीक बात सेहो सुनाइ दैत अछि, कि एहिसँ भ्रष्टाचार रुकतैक ?

जाधरि प्रत्येक मनुष्य भ्रष्टाचारके स्वयम् अपने मनसँ नई नकारत ताधरि ई सम्भव नहि बुझि पडैत अछि । ताँए अपन निश्चित मृत्युके प्रत्येक दिन जौं याद कएल जाए त लोकके मनसँ भ्रष्टाचार समाप्त होएत की ?


अपन टेटर कहिया देखब ?


 अपन टेटर कहिया देखब ?

                     — मनोज झा मुक्ति

    अखुनक परिवेशमे ककरोसँ पुछियौक देशक अवस्था केहन अछि ? त, कहता कि कहू सभ ठाम भ्रष्टाचारे भ्रष्टाचार व्याप्त अछि । देशक नेता भ्रष्ट, कर्मचारी तन्त्र भ्रष्ट, पत्रकारिता जगत भ्रष्ट, व्यापारी भ्रष्ट...आर किदन किदन...सभचीज भ्रष्टे भ्रष्ट, तहन देशक स्थितिके कि कहबैक...।

    देशक स्थिति निश्चितरुपेण नीक त नहिंए अछि, मुदा एकर दोषी के ? सभ जौं भ्रष्टाचारिए अछि त नीक व्यक्ति केओ नहिं ? आ देशक जनता कि दूधक धोएल अछि ? सबकेँ एकवेर अपना छातीपर हाथ राखिकऽ सोंचहिटा पड़त । आखिर किया देशक हालति एहि तरहें दिनानुदिन खसकैत जाऽरहल अछि ?

     देशमें सब तरहक लोक हाएव कोनो आश्चर्यक गप्प नहिं । सबहक कहब ई छन्हि जे सभक्षेत्रमे भ्रष्टाचारीए लोकक चलाचल्ती छैक । अईसँ असहमत बहुत कम्मेगोटे हएता । मुदा यहो सत्ये छैक जे सत्यक बाटपर धिरे—धिरे आगा ससरैत लोक सेहो अई देशमे अछि । हँ, सत्यवादी धारमे लागल खाँटी राष्ट्रवादी सभक सँख्या बहुत कम अछि आ दिनानुदिन ओहि सँख्यामे ह्रास होइत जाऽरहल अछि । तकर कारण कि ?

     जौं स्पष्टरुपसँ कहल जाए त देशक एहि परिस्थितिक जिम्मेवार आन केओ नहिं, हमहि आँहाँ छी । हमही आँहाँ देशक नेताके, व्यापारी आ कर्मचारीकेँ भ्रष्टाचारी बनावि रहल छियैक ।

      हम आँहाँ एकटा नेताके भ्रष्टाचार करबालेल विवश कऽ दैत छियैक । जौं गाममे एकटा कोनो नेता साइकलपर चढिकऽ अवैत अछि या पैदल अवैत अछि त ओकरा देखबाकले कोना जनता नहिं जाइत छियैक । एतवे नहिं ओई नेताके अपना दरबज्जापर बैसऽदेवमें सेहो हमसब अपनाआपके हीन महशुस करैत छी । आ हमरे आँहाँक गाममे जौं एकटा नेता महँग गाड़ीमे चढिकऽ अवैत अछि त ओकरा पाछा या कहु स्वागत करबाकलेल माइए पुते दौड़ैत छियैक, ओकरा अपना दरबज्जापर बैसबऽमे हमसब अपनाके गर्वान्वित भेल अनुभूति करैत छी । चुनावक समयमे कतबो सकारात्मक साेंंचवला नेता किएक नहिं हुअए ओकरा भोंट देवाक बदलामें हमसब मतपत्रमे अपन जातिक उम्मेदवारके चिन्हमे मोहर लगवैत छी । ओतवे नहिं अपन मतक महत्वके बुझितो हमसब अपना मतके पाई लऽ कऽ बेचि दैत छियैक जकर कारणसँ जकरालग अपन जातिक जनसँख्या वेसी अछि आ वेसी पाई अछि वएह नेता चुनाव जितैत अछि । कि हमर आँहाँक एहि तरहक व्यवहार एकटा नेताकेँ भ्रष्ट बनवाकलेल विवश नहिं करैत छैक । जौं जातिक नामपर केओ जितैत अछि त ओ अपना जातिक वाहेक आन जनताके वारेमे किया सोंचत ? आ अपना जातिकलेल सेहो किछु नहिं कऽसकैया, कियाक त ओ ई नीक जकाँ बुझने रर्हैत अछि जे अपना जातिकलेल हम काज नहिंयो करब तखनो हमर जाति हमरा भोंट देबेटा करत । आ ओ जे पजेरोबला नेता आ पाईबला नेताक तुलनामें अपनाके निरीह बुझैत अछि, ओहो हमरा आँहाँक सामिप्यता पएवाकलेल आ चुनाव जीतवाकलेल पाईएके अपना जीवनक सभसँ पैघ लक्ष्य बुझि ‘एनि हाउ, पाई कमाऊ’ के नीति अवलम्वन कऽलैत अछि । आ जखन ओ पाइएक बलपर हमरआँहाँक भोट लेत त किया  हमरा आँहाँक विकासकलेल ओ सोंचत ? 

      तहिना देशक कर्मचारिके हमही आँहाँसब अपन काज जल्दीसँ जल्दी करेबाकलेल या कानूनन नहिंयो होबऽवला काज गैरकानूनन रुपसँ करेबाकलेल घुस देल करैत छियैक आ एहिं तरहें एकटा कर्मचारीकेँ जवरदस्ती हमसब भ्रष्टाचारी बना दैत छियैक । ओनो कर्मचारीयो खासकऽ एकटा पुलिसमे जेबाकलेल हाकिम एकलाख टका लेल करैत छैक, हाकिमके डाइरेक्टर बनेवाकलेल मन्त्रीद्वारा लाखो रुपैया घूस लेल जाइत छैक । जहन ओ कर्ज पैंच  लऽ कऽ बहाल भेल रहैत छैक त कोनो बहन्ने कमेबेटा करतैक ।

     एकटा व्यापारीकेँ काला बाजÞारी करबामे सेहो हमसब अपने बहुत बेसी दोषी छी । हमसब बुझितो रहैत छि तइयो ओकर विरोधमे बजबाक हिम्मत नई करैत छियैक ? हमरा आँहाँलेल के बाजि देत ? ककरो लग ओतेक फुरसति नहिं छैक ।

     हमसब सबके भ्रष्टाचारी त कहैत छियैक, मुदा अपन टेटर नहिं देखैत छी । सरकार अपन गाम अपने बनाबु कहिकऽ प्रत्येक गाममे १५ सँ ३० लाखधरि रुपैया प्रतिवर्ष देल करैत अछि । गामक विकास कतेक भेल छैक, विशेषकऽ मधेशमे से ककरोसँ छुपल नहिं अछि । सभ पार्टीक प्रतिनिधिसब अपन बपौटी(पैतृक) सम्पति बुझि खुलेआम लुटैत अछि आ हम आँहाँ मौन भऽ सबकिछु देखैत रहैछी । जौं कियो व्यक्ति ओइ काजक विरोध करैत छैक त हमहि आँहा केओ पार्टीक नामपर, केओ जातिक नामपर ओहन भ्रष्टाचारीके दूधक धोएल बनाऽदैत छियैक । ओहन भ्रष्टाचारीकलेल पार्टीयोसब अपन प्रतिष्ठाधरि दाओपर लगा दैत अछि ओकरा बँचवऽमें । एकरा अरिक्त जे किछु कोनो गामठाममे जौं छोटछीन विकासक काज होइत अछि त ओकरा विनाश करबामें हमसब बहादुरी बुझैत छी । अपना घरक अगााक सडकपर राखलगेल ग्राभेलक पाथर अपना घरमे घुसियाबऽमे त हमरा सबके जोरा सम्भवतः कतौ नहिं भेटत । 

     एतेक धरि कि सरकार विद्यालयसबके व्यवस्थित करबाकलेल अपनेगामक स्थानिय व्यक्तिक अनुसारे चलेवाकलेल विद्यालय व्यवस्थापन समीतिके निर्माण योजना लाबि प्रायः सभ विद्यालयके समुदायमे हस्तान्तरण केलक, मुदा विद्यालय व्यवस्थापन समिति अखन मात्र   पाई कमेबाक एकटा स्थलक रुपमें परिणत भऽगेल अछि । चाहे विद्यालयमे शिक्षकक रखबामे होय या शिक्षककेँ सरुवामें हुए, विशेष कऽ मधेशक प्रत्येक विद्यालय व्यवस्थापन समीतिसभ एहि तरहक व्यापारमें लागिगेल अछि । विद्यालयक पढाई केहन छैक, शिक्षक विद्यालयमें अवैत अछि कि नहिं, विधार्थी अवैत अछि कि नहिं ताहिसँ व्यवस्थापन समीतिके कोनो मतलव नई रहल देखल जाऽरहल अछि ।

     एहि तरहें देशक विकास कोना होएत ? जाधरि हमसब अपने नहिं सुधरब त आन के सुधारत ? जौं हमसभ एकटा सत्य बाटपर चलनिहार, देशभक्त आ जनताक समस्याके अपन बुझऽबला नेताक बदलामे तामझामबला पँजेरो पर एनिहार नेताके निरुत्साही नहिं करब त दिनानुदिन भ्रष्टाचारक दलदलमें हमसब धँसैत जाएब । सत्यक पक्षधरके मनोबल बढेनाई जरुरी आ सभक कर्तव्य भऽगेल अछि । आन कियो किया हमरा आँहाँक सम्बन्धमे सोंचि देत ? ताएँ आनके दोष देबासँ पहिने एकवेर हमसभ अपने टेटर देखब कि ?

  


Sunday, September 27, 2020

जातिवादमे जकडाइत प्रदेश नं.२ : अनिष्टक संकेत


 

–मनोज झा मुक्ति

ओना नेपाल आ ताहुमे मधेशमे जातिपातिक राजनीति आइए आविकऽ शुरु नै भेलैय । अपनासबहकलेल ई कोनो नवका गप्प नई रहिगेल छै । एकसँएक अपनाके बुद्धिजीवी कहनिहार लोक जातिपातिक राजनीतिसँ अछुत नई रहिगेल अछि । किछु वर्ष पहिनेसँ नेपालेमे आ विषेश कऽ मधेशमे जातिपाति एकटा संस्कृतिकेँरुपमे बढैत जाऽरहल अछि ।

टोल सुधार समितिक चुनावसँ लऽकऽ माननीय आ माननीय सबमेसँ मन्त्रीधरिक चुनावमे जातीयता प्रतिष्ठाकरुपमे स्थान वनवैतगेल अछि । आर त आर चोरी,छिनरपन,अपहरण,गुण्डागर्दी लगायत निकृष्टसँ निकृष्ट काजमे जातीयताके ओतवे प्रवल समर्थनक मानिसिकता जाहि तरहें समाजक हरेक वर्ग,समुदायमे देखल जाऽरहल अछि, बहुत चिन्तनीय बात अछि ।

ओना मनुष्यक पहिचानमे जातीयता एकटा बहुत पैघ अवयव छै । सबगोटेके अपना अपना जातिपर गर्व करवाक चाही, मुदा कि अन्धभक्त भेनाई कतेक सही या वेजाय ? एहिपर चर्चा–परिचर्चा के शुरु करत आ कहियासँ ?

प्रदेश नं.२ मे किछुएदिन पहिने एकटा मन्त्रीद्वारा एकटा मन्त्रालयके सचिवके मारिपीटके घटना समाजिक संजालमे खुब चर्चा कमेलक । ओ काज निकृष्ट या उत्कृष्ट रहय तकर सामाजिक न्यायसँ बेसी एकसँएक विद्वानक पंक्तिमे अपनाके ठाढ कएनिहारसब सेहो अपनाके ब्राम्हण आ यादवके कित्तामे बँटवारा कएल देखलगेल । मन्त्री आ सचिवके मारिपीट त मात्र एकटा छोट उदाहरण अछि, एकटा छोटकोनो गल्ती या कमजोरी ककरो भेटवाक मात्र चाही  जातीवादके नंगा समर्थन या विरोध विशेषकऽ सामाजिक संजालमे शुरु भऽजाइत अछि ।

विचित्र त तखन बुझाइत अछि कि नीक काज कएनिहार कोनो जातिकलोकके जते सराहना नई होइत अछि, ताहिसँ बेसी खराब काज कएनिहार कोनो जातिक समर्थन या विरोधमे जातिक लडाकासब देखाइदेवऽलगैत अछि । अनेरे कुकर्मोके जाहि तरहें जातीवादके नामपर प्रश्रय जे भेटिरहल अछि ओ समाज,प्रदेश आ देशकलेल कोनो विषसँ कम नई अछि ।

समाज आ देशके सुधरवाक, परिवर्तन करवाक दिनराति चौक–चौराहासँ लऽकऽ सडक,सदन आ मिडियामे बजनिहार कथित बुद्धिजीवी, सामाजिक कार्यकर्ता आ राजनीतिकर्मीसब जातियताक रंगदेवऽमे सबसँ आगु देखल जाऽरहल अछि । कि एहने परिवर्तनक पक्षधर हमसब छी ?

जतऽ जातिपातिक विष नई पनपल रहैछ, ओतऽ राजनैतिक दलसब जातिपातिक विषक वृक्ष दिनानुदिन रोपिते जाऽरहल अछि । मात्र आ मात्र जातिक भोंट लऽ,सत्ता प्राप्तीकवाद हमसब केहन रस्तापर देशके आगु बढवऽ चाहि रहल छी ? एकर जवाव ककरासँ पुछल जाए ?

जातिपातिक नामपर जाहि तरहें चोरके साधुक मुखिया बनाओल जएवाक काज भऽरहल अछि, केहन विधि आ व्यवस्थाके निर्माण कएल जाऽरहल अछि ? कि इएह आ एहने परिवर्तन हमसब समाजमे चाहि रहल छी जे सबजाति अपन अपन जाति जाहिगाम,टोल या मुहल्लामे अछि ओत्तहि जाऽकऽ वास करओ ? समाजक परिचय जे विविधिता रहल अछि, ओ समाप्त कएल जाए ? जँ, नहिं त मात्र भाषणमे विरोधक स्थान लैत आएल जातीवाद कहियासँ व्यवहारिकरुपमे समाजमे अपन स्थान बनाओत ? जतेक समय बितिरहल अछि, एकर प्रकोप ओतवे समाजमे देखाइ दऽरहल अछि । किया त एकर नाकारात्मक पक्षके पृष्टपोषकक संख्या दिनानुदिन बढिए रहल अछि । बौद्धिक आ सचेत वर्ग जातियताक नामपर पद आ प्रतिष्ठा आर्जन करवाक प्रतिस्पर्धामे लागल अछि आ राजनैतिक दल भोंटक लोभमे जातीवादके मलजल देवऽमे प्रतिस्पर्धी बनल अछि ।

आखिर कहियाधरि ई आगि समाजके मूल्य आ मान्यताके झरकवैत रहत आ समाजिकताके रक्ताम्य बनवैत रहत । आ विशेषकऽ प्रदेश नं.२मे जे जातियताके खेती जाहि तरहें वढैत जाऽरहल अछि, समाज, प्रदेश आ देशके महाभारी द्वन्द्वमे फँसवैत जाऽरहल अछि । जँ आइए आ एखनेसँ समाजक सऽभ वर्ग सचेत नईं होइजाएव त अपना घरक दुहारिपर कालके प्रतिक्षा करैत रहु, कखनो अपना चपेटमे लऽसकैत अछि ।

नीक आ बेजाय कएनिहार हरेक जातिमे होइत छैक । चोर,छिनार,डाकू आ हत्यारा एवम् भ्रष्टाचारीके कोनो जाति नहिं होइत छैक, ओ कोनो जातिक हुए ओकरा समाजसँ दुत्कारे भेटवाक जे हमरासबहक सामाजिक परम्परा रहल, तकरा पुनःसमाजिक प्रचलनमे लाएव आवश्यक अछि । जानकी सबके सदबुद्धि देथुन । समयमे सबके चेत खुलय ।


Tuesday, August 17, 2010

कुर्सीक खेलमे ढुलमुलाइत देशक संविधान !


मनोज झा मुक्ति
    देशमे चारिम वेर वएह दूटा पहलमान प्रधान मन्त्रीक लडाईएकलेल अखाड़ामे आई ठाढ़ हएत । प्रधानमन्त्री पदकलेल एक्कहिटा व्यक्ति तीनबेर हारिकऽ चारिम वेर प्रतिपस्र्धा कएनिहारमे संसारमे संभवतः पहिल व्यक्ति होएताह पुष्पकमल दलाह‘प्रचण्ड’जी आ रामचन्द्र पौडेलजी । आ ओहुना एहन अदभूत साहस एवं हिम्मत नेपालेक नेतामे देखाइ देत ।
    ए.माओवादी आ नेपाली काँग्रेस फाँड़ बान्हिकऽ भिडल अछि अपना÷अपना नेताके प्रधानमन्त्री बनएवाकलेल । चुनावी प्रतिस्पर्धासँ बहार भऽ सबके चीत्त कऽ अपने प्रधानमन्त्री बनवाक दाओमे बैसल एमाले, कहियो एम्हर आ कहियो ओम्हर ढुलमुलाइत आन÷आन पार्टीसब सबकेसब अपने दाओमें अछि । तहिना संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा सेहो अपने दाओमें गबदी मारने बैसल अछि ।
    एहिसँ पहिने तीनुबेर भेल चुनावमे मधेशी मोर्चा तथस्टरुपमे सदनमे प्रस्तुत भेल । तहिना एमाले आ किछु आर पार्टीसब सेहो अपन तथस्टता देखौलक । मुदा सबसँ बेसी चर्चामे अछि मधेशी मोर्चा । अखनधरि प्रधानमन्त्री नईं बनऽमे सबसँ वेसी केओ दोषी मानल जाऽरहल अछि त ओ अछि–मधेशी मोर्चा । मोर्चापर नाना प्रकारक आक्षेप लागि रहल अछि । केओ कहैत अछि जे देशके मोर्चा अनिर्णयके बन्दी बना देने अछि , त केओ कहैत अछि जे मोर्चा ककरो इशारापर ई खेल खेलि रहल अछि । तहिना....आन बहुत तरहक आरोपसँ सूचनाक बजार गर्म अछि ।
    मधेश आन्दोलनक वादसँ नेपालक इतिहास जौं देखी त नेपालक सरकार बहुतोवेर मधेशकसँग मौखिक आ लिखित सहमति जनौने अछि, मुदा कार्यान्वयन कतेक भेल से सबहक सोझामें अछि । ओना एहिमे मधेशक दलसब सेहो दोषी छथि जे कुर्सीक लोभमे मधेश मुद्दाके कात कऽ दैत रहैत छथि । नेपालक सरकार मोर्चेसँगे नहि–आदिवासी जनजाती, दलित, महिला, कर्णाली, अपाँग ...आर बहुतोक सँग मौखिक या लिखीत सम्झौता कऽ चुकल अछि आ विसरिगेल अछि ।
    जौं अखन नेपाली काँग्रेसक बात सुनव त, काँग्रेसक कहब अछि जे २२ दलक मोर्चा एकताबद्ध रहवाक चाही, जेना काँग्रेस एमालेके प्रधानमन्त्री बनवऽमे सहयोग केने छल तहिना एमालेके सेहो सहयोग करबाक चाही । देशमे लोकतान्त्रिक सरकारक निर्माणक बात कसिकऽ काँग्रेसद्वारा उठाओल जाऽरहल अछि ।
    एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल अपने दाओमे व्यस्त छथि । कोनो तरहे प्रधानमन्त्रीक कुर्सीपर बैसिकऽ अपन जीवन सफल बनएवाक प्रयासमें ओ देशमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकारक गप्प करैतछथि । ‘मान न मान, मैं तेरा मेहमान’ बला कहवीके जीवन्तता दैत सब दलकेँ ओ राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनयवाक सलाह दैत छथि ।
    एम्हर गल्तिसँ प्रधानमन्त्रीसँ राजिनामा देआगेल ए.माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड अपने नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिक सरकार निर्माणकलेल आ नईं त बहुमतीयोरुपमे प्रधानमन्त्री बनवाकलेल दिन–राति एक कऽदेने छथि । अपना अतिरिक्त हूनका अपना पार्टीक कोनो नेतापर भरोसा नहि छनि । प्रधानमन्त्री बनवाकलेल ओ किछु करबाकलेल तैयार नजरि अवैत छथि ।
    तहिना, चारिटा मधेशवादी दल मिलिकऽ बनल संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा सेहो एहि खेलमे अपनासँगे कएलगेल सम्झौतापर फेरसँ प्रतिवद्धता करएवाक जागाड़में लागल अछि । ओना राष्ट्रिय सहमतिक सरकारपर अपन दावा सेहो मोनेमोन मोर्चा कएने बातक हवा सेहो बुद्धिजीविक बजारमें चलैत अछि ।
    जहन सब पार्टी अपना–अपना दाओमे लागल अछि, तहन कोनो एक्कहिटा पार्टी या व्यक्तिके सम्पूर्ण दोष देव कतेक उचीत अछि ?
    कहल जाइत छैक,‘राजनीतिक, प्रेम आ द्वन्द्व अर्थात लडाईमे सबकिछु जाएछ छै’ । अपन समर्थन करबाकलेल– पहिने ककरो प्रेमसँ, तकरावाद लोभसँ, तकरावाद धम्कीसँ आ तत्पश्चात लाञ्छना लगाविकऽ अपना दिस लाएव बला सब चलि अखनधरि मधेशी मोर्चालग विफल भऽरल देखि नेपालक पैघ पार्टीसबके तिलमिलाएब स्वभाविक छैक ।
    अपना आपके मधेशक हितैषी कहऽवला एवं सबदिन मधेश मतपर सरकारक गाडीके ड्रइवर बनल नेपाली काँग्रेस जहन मधेश प्रदेश आ नेपाली सेनामे मधेशीके सामूहिक प्रवेशके मुद्दा सामने एलै त किए पाछा हटलैक ? अहिना, अपना कार्यकर्ताके सुनियोजितरुपसँ प्रयोग ककऽ मधेश आन्दोलनक विरोध करौनिहार एवं अपनाके मधेशीके असली हितैषी कहऽबला एमाले किया मधेशी मोर्चाक माँगपर मौन वैसि अपने दाओमे बैसल अछि ? तहिना, मधेश मुद्दामें अखनधरि अपना आपके सबसँ आगा रहल नारा दैत ए. नेकपा माओवादी किए सेनामे सामुहिक प्रवेश आ स्वायत्त मधेश प्रदेशक माँगपर पुनर्विचारके बात करऽ लागल ?
    जहन काँग्रेस, एमाले, ए.माओवादी अपनाके मधशी जनताके सबसँ पैघ हितैषी कहवामे गर्व करैत अछि, सब पार्टीमें मधेशी मूलक नेताकेराखि अपन मधेश भक्ति दर्शयवाक जहन ढोंग नहि त, मधेशक जायज माँगपर किए पुनर्विचारक गप्प ? कि जौं नेपाली सेनामें मधशीक सामूहिक प्रवेश होएतैक तहन मात्र तमलोपा, फोरम, फोरम लोकतान्त्रिक आ सद्भावने पार्टीक कार्यकर्ता नेपाली सेनामे जयतै ? आकि सब मधेशीक बच्चाकलेल रस्ता खुजतै ? जौं मधेशी मोर्चाक माँग गलत छई, तहन अपना–अपना पार्टीमें मधेशीक पद आरक्षित करवाक नाटक किएक ?
    एम्हर मधेशी मोर्चा सेहो कखनो एक रहैत अछि त कहियो घटक दलक कोनो नेताक व्यक्तिगत या पार्टीगत स्वार्थमें परिकऽ निष्कृय भऽ जाइत अछि । कहियो मोर्चाक कोनो घटक एसगरे ककरो सरकारमे जाकऽ मन्त्रीमण्डलके कुर्सीपर विराजमान भऽ जाइत अछि त कहियो कोनो दोसर घटक । आशाकरी जे एहिबेरुका पुनर्जिवीत मधेशी मोर्चा कोनो एकटा घटक दलक स्वार्थक शिकार नहि बनय ।
    देश, अखन नव संविधान लिखवाक क्रममे अछि आ सब दल अपने–अपने बाजा बजावऽमे मस्त । जौं वास्तविक अर्थमे दलक नेतासब नेपाली जनताकलेल÷नेपाल देशकलेल राजनीति करैत छथि त नेपालक हरेक कोनामे रहल जनताक भावनाके बुझहिटा पडतैनि । हरेक नेपालीक समस्याके अपन समस्या मानहिंटा पड़तैनि । तहने देश विकास एवं समृद्धि सड़कपर यात्रा कऽ सकैय । सबसँ पहिने जरुरी अछि देशमे आम जनताक भावनाके समेटिकऽ बनल नव संविधानक निर्माण आ तकरालेल जरुरी अछि देशमे राष्ट्रिय सहमतिक सरकार, मुदा प्रधानमन्त्रीक कुर्सीक खेलमे निर्माणधिन संविधानक बात अखन गौण अछि । देश आ जनताकलेल राजनीति कहियासँ शुरु होएत....भगवाने जानथि ।

Monday, August 9, 2010

महोत्तरीक यूवाके देशव्यापी अभियान


                        मनोज झा मुक्ति
    ‘अपना गामठामक विकास करबाकलेल सरकारी पाई, एन.जि.ओ. या आ.एन.जि.ओ.क आवश्यकता नहिं अछि, आवश्यकता अछि त सकारात्मक दृष्टिकोणकेँ आ अपना माटिप्रतिक आस्था एवं आत्मबलकेँ’ यैह नारा लऽ कऽ महोत्तरी जिलाक यूवा शंखनाद कएने अछि– देशके सुन्दर बनएवाक अभियानकेँ ।
    जौँ पाइयक बलपर विकास भऽ सकैत त नेपालक सभ गाम स्वर्ग भऽ गेल रहैत । नेपालक कोनहुँ स्थान विकाससँ बञ्चित  नईं रहैत । सरकार नेपालक प्रत्येक गामें प्रतिवर्ष २० सँ ३० लाख अनुदान दैत अछि, जिला विकास समितिक मादे अरबोक बजेट रहैत अछि विकासकलेल से अलग सँ । एकरा अतिरिक्त सभासद सबके क्षेत्र विकासलेल बजेट भेटैत अछि तकर बाते छोडु । तहिना समाज आ देशक विकास हेतु एन.जि.ओ. आ आ.एन.जि.ओ. मार्फत नेपालमे प्रति वर्ष खरबो रुपैया अवैत अछि ताइसँ कतऽके विकास होइत अछि, भगवाने जानथु ।
    चाहे गामक कोनो पार्टीक नेता हुए जे गामक विकासकलेल गा.वि.स.के प्रतिनिधि बनल करैत छथि या जिला विकास समितिमे पार्टीक प्रतिनिधि बनैत छथि, जँ ओसब अपना कर्तव्यप्रति कनिक्को सचेत रहितथि त नेपालक गामसब पूर्ण नहि त बहुत विकसीत भऽगेल रहैत । अपना गामकलेल या जिलाक लेल आएल बजेटमेंसँ कमीशन खाकऽ कागजपर विकासक काज गा.वि.स. सचिव आ जि.वि.स.क एल.डि.यो.सँ करौनिहार नेतेसबके एहि तरहक रवैया अछि तहन कोना भऽ सकत नेपालक विकास ? आश्चर्य त तखन लगैत अछि जखन देश विकासक लेल आएल बजेटके खएनिहार नेतासब अपनाके देश आ जनताक हितैषी आ अगुवा कहैत नईं थकैत अछि । ईमान्दारी आ सत्यपर सँ आम जनताके विश्वास उठाबऽमे नायकक भूमिकामे रहल अधिकांश कमिशनखोर नेताक कारण किछु ईमान्दार एवं नैतिकवान राजनीतिकर्मीसब अनेरे बदनाम भेल करैत अछि । ताँए जरुरी अछि आम जनतामे आत्म विश्वास जगएवाक आ सत्यपर भरोषा बढएवाक । आ एकर शुरुवात कऽ रहल अछि, महोत्तरी जिलाक किछु यूवासब ।
महोत्तरीमें अभियानमे लागल यूवाक कहब छन्हि– ‘अपना गामठामक विकास करबाकलेल सरकारी पाई, एन.जि.ओ. या आ.एन.जि.ओ.क आवश्यकता नहिं अछि, आवश्यकता अछि त सकारात्मक दृष्टिकोणकेँ आ अपना माटिप्रतिक आस्था एवं आत्मबलकेँ’ । ओसब अभियानक शुरुवात कऽ रहल छथि–वृक्षारोपणक काजसँ । जखन हुनकासबसँ जिज्ञासा राखल गेल, कि वृक्षेरोपण किया ? त हुनक कहब छन्हि–‘ गामघर या जिलामे जत्र–तत्र व्याप्त भ्रष्टाचारके एक्कहिवेर कम नहि कएल जा सकैय । कोनो गाममे जौँ कोनो विकास निर्माणक काज होइत अछि त स्थानिय नेता, कार्यकर्ता या यूवा ओहि काजमे निक जकाँ अभिरुचि लैत अछि । मुदा दुर्भाग्यक बात हूनका सबमेंसँ ९८ प्रतिशत लोकक अभिरुचिक अभिप्राय रहैत छन्हि–कमिशन लेवाक, काज चाहे कागजेपर किए नई भऽ जाय । ताँए, पहिने काज कएल जाए तकरा बाद कर्मचारी, जनता आ नेताके सचेत करबाक काज शुरु हुए ।’
अपना अभियानक शुरुवात ओसब नेपालक गाम–ठाममें वृक्षारोपण क कऽ करऽ चाहैत छथि । हुनकसबहक कहब छन्हि–‘काज ककरो देखयवाकलेल नहिं होएवाक चाही, अपना आपसँ इमान्दारिता करैत काज करैत जाउ, लोक चाहे जे कहय । जँ नीक काज करबई त दुश्मनो के ई कहैएटा पडतैक जे–‘....ओना त छौंडा बदमाश अछि, मुदा काज नीक कऽ रहल अछि ।’ एहि उद्देश्य ल कऽ हमसब जतबे सकब, सबहक सहयोगसँ नेपालक कोना–कोनामें वृक्षारोपण करब आ कराएब । ओसब अपना वृक्षारोपणक अभियानमें आम देशवासी सँ एहि तरहक अनुरोध कएल करैत छथि–‘ हमरा सबहक वृक्षारोपणक अभियानमें  जँ आँहाँ सहयोग करऽ चाहैत छी त, एकटा बाँस दऽ दिय नहिं त एकटा कोनो फूलक या फलक गाछ दऽ दिय । जँ से नहि त एकदिन आबिकए पानि पटा दिय, नहिं त सप्ताहमे आधा घण्टा आबिकऽ वृक्षारोपण स्थलमें बैसि जाऊ । जँ आँहाँलग समयक आभाव अछि, आँहाँ कर्मचारी छी त अपना गाम गेल वेरमे अपना खेतमे या दरबज्जापर एहि अभियानक नामपर एकटा अपना नीक लागऽबला वृक्ष लगालिय, आ नहिं त जँ आहाँके ई अभियान नीक लगैय त कम स कम हमरा अभियानी मीत्रके हौसला बढादिय । हमर स्वार्थ याह अछि जे केओ कतौ गाछ–वृक्ष लगाओत या लगौने हायत त ओकर आक्सिजन हमहुँ लेब आ सबकियो लेत, बटोहीके रौदमे छाहरि भेटतैक एवं बहुतो गरीबकेँ घरक आँचकलेल ओकर पात काज औतैक । ताएँ सब गाम–शहरकेँ फूल आ वृक्षसँ सजाबी, जतऽ किछुदेर कियो वैसिकऽ स्वच्छ हावा लऽ सकय ।’
तहिना ओ सब कहैत छथि जे जतेक नेताके देखू सब देशे विकासके बात करत । आर्मी, पुलिस, कर्मचारी देशक या कहु माटिक सपथ खाइत रहत । पत्रकार या बुद्धिजीवि दिन–राति देशक उन्नतिक गप्प करैत नईं थाकत । जे अपनाके जनता कहैत छथि ओ सब दिन–राति नेतासबके गारि पढैत नहिं थकैत छथि जे नेतासब देशके बेच देलक । एकर मतलब जे गारि पढनिहारक भीतर सेहो देश या कहु माटिप्रतिक सिनेह छन्हि ताईमें दू मत नहि । एहि बातक विश्लेषण करैत अभियानी यूवा सब  सम्पूर्ण नेपाली सँ एहि तरहें अभियानमे जुटवाक आग्रह करवाक सोंच बनैने छथि–‘सबकियो अपन काज करैत अपना माटिकलेल किछु कऽ सकैत छी । जौँ आहाँ किसान छी, सबदिन अपना खेतमे काज करु आ ४÷५ दिनमें एक घण्टाकलेल कोनो दोसर चौरी÷बाधमे टहलि जाऊ आ ककरो खेतक लगाओल बालीमे कोनो प्रकारक रोग या गड़बड़ी देखाइत अछि त सम्बन्धित किसानकेँ सलाह दऽ दियौक । जौँ आँहाँ शिक्षित छी आ अपना कोनो काजमे लागल छी या कर्मचारी छी त अपना ड्यूटीक अतिरिक्त प्रतिदिन÷दूदिनक एक घण्टा नियमित रुपसँ ओतुक्का बच्चाके पढ़ा देल करियौ । एहिं तरहें अपन काजके हर्जा नहिं करैत, अपन नियमित जेब खर्चमे कटौति ककऽ अपना धर्तीकलेल बहुत किछु कऽ सकैत छी । जँ हमसब एहि तरहक काज करबैक त विकासक नामपर पाइ हजम करऽबला सबके आँखिमे अवश्य लाज लगतैक आ एकदिन हमरो धर्ती हँसबेटा करतैक ।’
 महोत्तरीक यूवाक अभियानक आहाँके नीक लगैय, जौं अहुँ एहि अभियानक सहयात्री बनऽ चाहैतछी त जुटि जाऊ आइए सँ आ अहुँ शंकनाद कऽ दिय अपना गामे वृक्षारोपणक अभियानकेँ । 

मधेशवादी मोर्चा आ देशक राजनीति



–मनोज झा मुक्ति
देश अखन सरकार बिहीन अवस्थामें अड़कल अछि । प्रधानमन्त्रीकलेल अपन–अपन दावेदारी प्रस्तुत कएने नेपाली काँग्रेसक संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आ एकिकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ दू वेर हारि चुकल छथि । नैतिकता बिहीन राजनीति होवऽबला एहि देशमे दूनु हरलहवा नेता फेरसँ तेसरोबेर चुनावी अखाडामे उतरवाकलेल तैयार अछि ।
अखनधरि २२ दलक सहयोगसँ सरकार चलवैत आएल नेकपा एमाले अपना पार्टीएमे मानसिक मल्लयुद्धमे व्यस्त अछि आ ककरो समर्थन देवऽसँ वेसी अपने सरकारक नेतृत्व करबाक फिराकमे रहल अछि । त आन–आन छोट दलसब फेरसँ वेचाराक भूमिकामे नजर आबि रहल अछि । दोसरदिस २४० वर्षसँ शोषणक शिकार होइत आएल, देशक आधा जनसंख्या रहल मधेशी जनताद्वारा चुनाकऽ आएल मधेशवादी दल अखुनका सरकार बनयवाक खेलसँ पहिने अपने–अपने गीत आ अपने–अपने राग गवैत छल, मुदा अखन आविकऽ बुझाइय मधेशवादी दलसभके सदबुद्धि आबिगेल अछि आ सबहकलेल मधेशमुद्दा वास्तविकरुपमे पहिल प्राथमिकतामे पड़ल देखारहल अछि ।
मधेशवादी दल सबहक मधेशमुद्दापर एक होएव आम मधेशी समुदायमे फेरसँ आशाक किरणक संचार अछि । संविधानसभा चुनावक वादसँ बनल सरकारसबमे जएवाक मधेशवादी दलसबहक रवैयासँ आम मधेशी जनताक भावना एहि दलसबसँ लगभग–लगभग मृत्य जकाँ भऽगेल छल । मधेशवादी दल सबहक एकता एकप्रकारक आशाक लहर मधेशी समुदायमे लाएल अछि त दोसरदिस आम मधेशी जनता एहि एकताके मधेशमुद्दा वास्ते मजबूत बनैत देखऽ चाहिरहल अछि आ मधेशवादी दलसबहक विगतसँ सशंकित सेहो अछि ।
मधेशवादी दलसब अखन एकिकृत माओवादी आ नेपाली काँग्रेसक आगा समर्थन करवाक आधार–पत्र प्रस्तुत कएने अछि । मधेशवादी दलसबहक आधारपत्र विशुद्ध रुपसँ आम मधेशीक अन्तरात्माक भावना अछि । मधेशवादी मोर्चाक आधार–पत्रके विश्लेषण करबामें नेपाली संचार माध्यमसब फेरसँ अपन नैतिकता देखाबि रहल अछि जे ‘नेपालक संचार माध्यम आ संचारकर्मीक मनसाय अखनधरि कुत्सिते अछि, अर्थात नेपाली संचार आ संचारकर्मी अखनो पत्रकारिताक मूलमर्म नहिं सिखने अछि ।’ नेपाली संचारकर्मीसब मधेशवादी मोर्चाक आधारपत्रके शर्त, ब्ल्याकमेलिंग त आरो कि कि संज्ञासँ सुशोभित कऽ रहल अछि । पत्रकारिताक मर्यादा नईं बुझल जकाँ जथाभावीरुपसँ समाचार प्रकाशन÷प्रशारण ककऽ विकासशील नेपाली पत्रकारिताक खुलेआम धज्जी उडाओल जाऽरहल अछि । समाचार लिखवासँ पहिने पूर्ण जानकार होयब आवश्यक मानल जाइछ पत्रकारितामें, मुदा समाचारमें विरोधाभासपूर्ण शब्दक प्रयोग मधेशी मोर्चाप्रति करब कतेक उचीत अछि ?
सरकार बनयबाकलेल मधेशी मोर्चाद्वारा राखल गेल आधार–पत्रमें कोनो नयाँ विषयक समावेश नहिं कएलगेल अछि । सब पुरने विषय÷मुद्दा अछि जे संविधान सभाक चुनावसँ पहिने फागुन १६ गते वालुवाटारमे तात्कालीन प्रधानमन्त्री स्व.गिरीजा प्रसाद कोइराला, तात्कालिन एमाले प्रमुख एवं अखुनका कामचलाउ प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल आ तात्कालिन माओवादी रहल अखुनका एकिकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा बीचक भेल हस्ताक्षरीत सहमतिक विषयसब मात्र अछि जे एतेक दिनधरि पुरा नई कएलगेल । हँ, एकटा माँग मात्र नयाँ अछि साझेदारी वनबला, जे देशमे सामुदायिक वनके नामपर भऽरहल जंगल विनाश रोकवाकलेल अछि । कि नेपालक संचारमाध्यमसबके ओ फागुन १६क सम्झौता विसरागेल छैक ? जँ नहिं विसराएल छैक त हस्ताक्षरीत सहमतिके कार्यान्वयन करबालेल लिखऽमे नेपालक पत्रकारसबके मसी किया सुखा गेलैक ? मधेशी मोर्चाक आधारपत्रके अनर्गलरुपसँ प्रचार करबमे पत्रकारक सोंचमे बीझ किया लागि गेल छैक ? मुदा नेपालमें एहन बात सामान्य अछि । एतऽ पत्रकारिता कम आ विरोधाभाष विश्लेषण बेसी भेल करैत अछि । ओना पत्रकारिताक ज्ञान नहिं होएब सेहो एकर कारण अछि ।
आरो जे जेना हुए, मधेशी मोर्चा सेहो एतऽ गल्ती करऽ जारहल अछि । एक्कहिटा विषयपर कएवेर लिखित प्रतिवद्धता ? ककरा–ककरासँग प्रतिवद्धता ? जखनकि सबके बुझल अछि जे नेपालक नेता प्रधानमन्त्री या मन्त्री बनवाकलेल कोनो प्रतिवद्धता कऽ सकैया । प्रतिवद्धता या हस्ताक्षर ककऽ विसरि जाएब नेपाली राजनीतिकेँ पुरान आ चलन–चल्तीके दर्शन बनिगेल अछि । मधेशी मोर्चाके कोनो दलसँ या नेतासँ लिखित प्रतिवद्धतासँ वेसी ओकर कार्यान्वयनक प्रतिवद्धता लेवाक जरुरी अछि । मधेश सबदिनसँ अधिकारसँ बन्चित होइत आएल अछि । कहियो संविधानसभा चुनावक संभव करऽलेल सम्झौता करबालेल मधेशके बाध्य करलगेल त अखन नव सरकारक निर्माणकलेल ककरो समर्थन करबाक दवाव मधेशपर अछि । मुदा, सबदिन देश आ आन नेता एवं पार्टीकलेल सबकिछु करैत आएल मधेशके अपनालेल आब सबकिछु बिसरिकऽ सोंचहिटा पड़तैक ।
२४० वर्षसँ मधेशी, आदिवासी, दलित आ जनजातीसब ठकाइत आएल इतिहास अछि । देशमेभेल कोनो प्रजातन्त्रक आन्दोलनमें मधेशक जनता सबसँ पहिने बिगुल फुकने इतिहास अछि । मधेशमुक्तिकलेल मधेशी जनता कहियो राणाक विरोधमें त्रिभूवनके क्रियाशील करऽमे अपन जानक वाजी लगौलक त कहियो वि.पी. कोइरालाक आव्हानमे भेल प्रजातन्त्रक आन्दोलनमे अपन शहादत देलक । चाहे २०४६सालक आन्दोलन हुए या २०६२÷६३क जन आन्दोलन, सब लडाईमे मधेश खुला हृदयसँ अपन सर्वस्व लुटवैतगेल । मुदा बदलामे मधेशके भेटल अपमान आ अपहेलना । नेपाली राजनीतिके इतिहासमे मधेशीक हक,अधिकारके सबदिनसँ दबाओल गेल भेटैत अछि । एतेक दिनसँ मनमे दवाओल पीड़ा आखिर कण्ठसँ उपरभेल आ फलस्वरुप मधेश आन्दोलनमे बहुतो मधेशी सपुत अपन शहादत देलक । मधेश आन्दोलन–२क वाद लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चासँगे तात्कालिन प्रधानमन्त्री आ देशक पैघ दलक नेता सब लिखित सम्झौता कैलक आ देशमे संविधानसभाक चुनाव संभव भेल ।  संविधानसभाक चुनावमे मधेशी जनता विभिन्न मधेशवादी दल एवं गैर मधेशवादीदलमे अपन प्रतिनिधिके चुनिकऽ पठौलक । गैर मधेशवादीदल  मधेशक नामोधरि उच्चारण नहिं केलक त मधेशवादीदलसब सेहो अपना मुद्दासँ भटकैतगेल आ कुर्सीक खेलमें लागल रहल जकाँ प्रतीत होइतगेल, ओना बीच–बीचमें मोर्चाकसँग कएल सहमतिक वात उठबऽ नईं बिसरैत छल । अखन आबिकऽ सब मधेशवादीदलकेँ अपन मधेशी जनताकसँग कएल वादा बुझाइय याद आएल आ नयाँ सरकारक निर्माणमे अपन निर्णायक भूमिकाकेँ आम जनताक पक्षमे प्रयोग करबाक काजमे लागल अछि । कनो पार्टीके सरकार बनबऽमे सहयोग करबासँ बेसी राष्ट्रीय सहमतिक सरकारक निर्माणके बात जे मोर्चा उठौने अछि तकरा दृढता पूर्वक निर्वाह करब सँनकाज मोर्चाकलेल सँजिवनी भऽ सकत । तहिना जँ बहुमतिय सरकार देशमे बनैत अछि त मोर्चामें सहभागी मधेशीदल सबके सरकारमें मन्त्री बनवासँ परहेज करहिटा पडतैन । किया त मन्त्री बनलाकवाद अपन मुद्दा कतेक याद रहि जाइत छैक से मोर्चामे रहल सब दलके नीकजकाँ अनुभव छन्हि, सबकियो सरकारी घोडापर फेराफेरी सवारी कसि चुकल छथि ।
देखवाक ई अछि जे वास्तवमे मधेशवादीदलसब मोर्चा बनाविकऽ मधेशक माँगके पुरा कराओत, नयाँ संविधानक निर्माण कराओत या मात्र एकरा कुर्सीक भागवण्डामें सीमीत ककऽ राखिदेत ! आशाकरी मधेशी मोर्चाद्वारा मधेशी जनताक मोनमे जगाओल आशके मोर्चा विश्वासमें परिणत ककऽ छोडय ।

कि मात्र खसे'नेपाली' भाषाक लेल अछि प्रज्ञा प्रतिष्ठान ?

 
                                       
    २२ जुन १९५७ ई.मे तात्कालिन शाह वंशिय राजा महेन्द्रद्वारा भाषा,साहित्य, कला, संगीत, नाटक एवं संस्कृतिक संरक्षणकलेल नेपाल साहित्य कला एकेडमीक नामसँ स्थापना भऽ ३ मार्च १९५८ ई. मे पुनः नेपाल राजकीय प्रज्ञा प्रतिष्ठान अर्थात नेपाल एकेडमी नामाकरण कएलगेल एहि एकेडमीसँ देशमे रहल ९२टा भाषा मध्ये मात्र नेपाली भाषाक ,साहित्य, कला, संगीत, नाटक एवं संस्कृतिक विकासलेल काज होइत आएल अछि ।
राजनीतिसँ जकडागेल एहि प्रतिष्ठानक सम्बन्धमे  विद्वान लोकनि दुःखित छथि । अवधि भाषानुरागी  एवं लेखक दिजग्वजय मिश्र, प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे अवधि भाषी विद्वानके जगह नई भेटवामे राजनीति आ अवधि भषाप्रति भेदभावक संज्ञा दैत छथि ।  दिजग्वजय मिश्र मात्र नहिं, नेपालक बहुत भाषाभाषीके संग पहिनहिंस प्रतिष्ठानक रवैया भेदभावक रहैत आएल अछि ।
     प्रज्ञा प्रतिष्ठान अपना स्थापनाक ४२ वर्षक आयुमे लगभग पच्चिस सालसँ निरन्तर पुस्तक छपवैत आएल अछि । आ ओहो मात्र राज्यद्वारा संरक्षित नेपाली भाषाके । एहि पच्चिस वर्षमे प्रतिष्ठान प्रतिवर्ष २०सँ२५टा पुस्तक निकालैत अछि । जौं एहि संख्याके मानी त अखनधरि लगभग एतसँ पाँचसय पुस्तक बहराएल अछि । नेपालमें मैथिली भाषा भाषीक संख्या नेपाली भाषीकवाद दोसर रहितो, सरकारी उपेक्षाक कारण एतेकवर्षमे नेपाल एकेडमीसँ मैथिलीके मात्र ११ टा पुस्तकक प्रकाशन भऽ सकल अछि । जकरा वर्तमानक मैथिली भाषी प्राज्ञ रामभरोस कापडि स्विाकारैत छथि । हुनका अनुसार एहिसँ पहिनुका मधेशमूलक प्राज्ञसब साहित्य विधासँ प्रत्यक्ष जुड़ल नई रहवाक कारणे मैथिलीपर विषेश काज नई होबऽ सकल । ओ कहैत छथि,‘पहिनुका समयमे ओहन वातावरण नईं छल ताहु कारणे मैथिलीके अपहेलनाक शिकार होमऽ पड़ल, मुदा हम प्रयासमें छी ।’
 परम्परागत शैलीमे अपना कार्यक्रमके प्रस्तुत करैत आएल एकेडमी, आन आन भाषाक नव साहित्यकारकलेल अभिषापे जकाँ बनल अछि । पहिनहीसँ एकेडमीक कार्यक्रममे सहभागि होइत आएल साहित्यकार,कविके कोनो कार्यक्रममे बजेबाक परम्परा अखनो चलि रहल अछि ।  कहबीए वनिगेल छैक, ‘एकेडमीक नजरिमे साहित्यकार बनवाकलेल या त अपन केश पकाव परत नई त जीहजुरिया करऽ परत ।’
  ओना भोजपुरी भाषाक कवि आ प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ ,दिनेश गुप्ता कहैत छथि,‘पहिने  मात्र केशपाकलवला, एक बित्ता आँखि भितर धँसल लोकके मात्र प्राज्ञ प्रतिष्ठान कवि या साहित्यकारक रुपमे सम्मानित करैत छल । मुदा आब एहि सोंचमे व्यापक परिवर्तन होेएत, बुढ़क अनुभव आ युवाक क्षमताके सम्मान भेटवाक परम्पराके शुरुवात होयत ।’ प्रतिष्ठानक अखनधरिक रवैयासँ परेशान आन आन भाषीके आव बेसी अफसियाँत नहि होयबाक बात ओ सेहो कहैत  छथि ।
     नेपालमे राजतन्त्रक समाप्तिक आ गणतन्त्र प्राप्तीकवादो प्रज्ञा प्रतिष्ठान अर्थात नेपाल एकेडमी अपन पुरने रंगमे रंगल अछि । आशाकरी नीतिमे परिवर्तन भेलाक बाद एकेडमीक उपकुलपति,प्राज्ञसभ, परिषदक सदस्यसभ एवं कर्मचारीक नीयतिमे परिवर्तन हुए आ नेपाल एकेडमी मात्र नेपालीए भाषाक एकेडमी नईं भऽ देशमे रहल ९२मे ओटा भाषाक सझिया एकेडमी बनय ।

अमर शहिद दुर्गानन्द जिनक सपना छल गणतन्त्र

                                    –मनोज झा मुक्ति
 
महान शहादतः शहीद दुर्गानन्द झाक तस्विरलेने शहीद पत्नी काशी देवी झा
 देश अखन दोसर गणतन्त्र दिवस मनावि रहल अछि । गणतन्त्रक परिभाषाधरि नीक जका नई बुझने सरकारमे रहल एवं विपक्षीक भूमिका निर्वाह करैत आएल पार्टीसबक रवैया दुर्गानन्द झा सनक शहादतपर पानि फेरैत बुझारहल अछि । गणतन्त्रक मतलव मात्र मनमौजी बुझने नेतासब एहू गणतन्त्रक दिवसपर सुधरत कि ? दुर्गानन्द झा सबहक आत्मा सबहक हिसाब राखि रहल अछि । कि दुर्गानन्दक शहादत एहिलेल छल ?
गणतन्त्र स्थापनाक धुनमे बीसोवर्ष पूरा नहि कएने दुर्गानन्द झा, राजा महेन्द्रके उपर २०१८ माघ ९ गते जनकपुरधामक जानकी चौकपर बम प्रहार कएने रहथि । हँसैत–हँसैत, बिनुकोनो लोभ लालचमे फँसने २०२० माघ १५ गते शहादत प्राप्त कएने दुर्गानन्द झाक बलिदान आई देशमे गणतन्त्र एलाकबादो गणतन्त्रके ताकि रहल अछि, जकरालेल ओ बलिदान देने रहथि ।
विद्यालयमे अध्ययन करितेकाल २०१५ सालक प्रथम आम निर्वाचनमे प्रजातन्त्रक पक्षमे अपनाके होमिदेने  दुर्गानन्द,  राजा महेन्द्रद्वारा २०१७ पुस १ गते संसद आ संसदीय सरकार विघटन कऽ प्रजातन्त्रवादी नेतासबके जेलमे राखिदेवाक सामाचार सुनिते मर्माहत आ क्षुब्ध भऽगेलथि । भारतीय स्वतन्त्रता संग्रामक वीर सेनानी भगतसिंह आ चन्द्रशेखर आजादक जीवनीसँ प्रभावित दुर्गानन्द, प्रजातन्त्रक हत्याराके नहि छोडवाक विचार कएलथि ।  आपन मायबाबुक एक मात्र सन्तान आ नवविवाहिता युवक भेलाकवादो दुर्गानन्द अपन लक्ष्यमे अडिग रहथि । 
 २०१८ माघ ८ गते बम लऽ कऽ रातारात जनकपुरधाम पहुँचल दुर्गानन्द झा प्रातभिने अर्थात माघ ९ गते जानकी चौकपर साँझ पाँच बिजे दिस तानाशाह राजा महेन्द्रक गाडी रोकिते आपन प्रतिज्ञा पूरा कएलथि । राजा चढल लैण्डरोभर गाडीउपर फेकल बम भूर करैत नीचा जानकी मन्दिरक पूर्र्वी द्वारक दक्षिणवारी देवालपर पर्खालमा फुटेल छल । बम प्रहार कएलाकवादो क्रान्तिकारी दुर्गानन्दके पुलिस नहि पकड़ऽ सकल । हजारो सुरक्षाकर्मी तैनाथ रहलाक बावजुदो नईं पकराएल क्रान्तिकारी युवक  ओहि राति  जनकपुरधामक एकटा कुटी मे रहिरहल अपनलोक हेमचन्द्र चौधरी आ भोगेन्द्र चौधरी लग रहलथि एवं प्रातभिने उमगाव पहुँचि गेलथि । एम्हर, नेपालमे बम काण्डक अनुसन्धानक नाममे ५६ गोटेके पकरिड़कऽ नीतदिन मारिपिट कऽ बम प्रहार कएने कहिकऽ सकारबाक दुष्प्रयास भऽरहल छल । निर्र्दाषसबके यातना देल जाऽरहल सुनिकऽ एक दिन अनायास जयनगरसँ जनकपुर रेल्वेद्वारा नेपाल आविकऽ ओ अपन गिरफ्तारी देने रहथि । 

सरकारद्वारा ताहि बीचमे एकटा विशेष अदालत गठन भेल छल जे दुर्गानन्द झाके बिनु सफाइक मौका देनहिं २०१९ साल भादो १९ गते मृत्युदण्डक निर्णय सुनादेलक । ताहि समय नेपालमे ब्राहृमणके मृत्यु दण्ड नई देल जाइत छल, ताहीलेल मुलुकी ऐन २०२० भादो १ गतेके संशोधन काएलगेल । विशेष अदालतक फैसला सर्वोच्च अदालतसँ अनुमोदन करओलाकबाद २०२० माघ १५ गते महानक्रान्तिकारी दुर्गानन्दझाके सुन्धारा जेलमे मध्यरातिमे मृत्युदण्ड देवाक वास्ते जहन दरबज्जा खोललगेल त,   मृत्युक लेल तैयार भऽ वैसल क्रान्तिकारीके देखिकऽ हत्यारासब चकित भऽगेल छल ।

प्राणदण्डक लेल लऽजाइत समयमे अपन अन्तिम इच्छा महान क्रान्तिकारीले एहि तरहें व्यक्त कएने रहथि –‘हमरा दीर्घ यात्रामे गेलाकबादो लोकतन्त्रके केओ नई रोकऽ सकत ।’
१९९७ साल माघ १० सँ १५ धरि शुक्रराज, धर्मभक्त, गङ्गालाल आ दशरथ चन्दके फाँसी (मृत्युदण्ड) देलगेल सवाएक वर्षकवाद १९९९ साल वैशाख १४ गते (वैशाख शुक्ल एकादशी तिथि)में अमर सहिद दुर्गानन्द झाक जन्म धनुषाक जटही गाममे देवनारायण झा आ सुकुमारीदेवी झाक एक मात्र सन्तानक रूपमे भेल छल । पं. भोलानाथ झाक तीन भाइमें एक मात्र उत्तराधिकारी दुर्गानन्द झाक पीताक मृत्यु दुर्गानन्दक बाल्यकालमे भऽगेल छल । माइयक देखभालमे गामसँ ५ किलोमिटर दूर रहल क्षेत्रक उमगावस्थित दिनदयाल हाई स्कुलमे झाक शिक्षादीक्षा भेल छल । घरक एसगर सन्तान होएवाक कारणे मेट्रिकमे पढैतकाल २०१७ साल विवाह पञ्चमीक दिन काशीदेवीक सँग हूनक विवाह भेल छल । २०६० साल भादोमे वृद्ध मायक निधनकेबाद आब एसगर हूनक अर्घाड्ढनी काशीदेवी झा बाँचल छथि आ संविधानसभामा तमलोपापार्टीक सभासद् छथि ।
देशमे गणतन्त्र अएला दू साल भेलाकवादो, गणतान्त्रिक कहावऽबला सरकार आ देश दुर्गानन्द झाके लेल किछु नहि कऽसकल अछि । जाहि गणतन्त्रकलेल ओ हँसैत–हँसैत अपन जान दऽदेलथि ओ गणतन्त्रात्मक सरकार अखनधरि हूनका राष्ट्रीय शहिदधरि घोषणा नई करऽ सकल अछि ।
देशमे गणतन्त्र अएलाक दू वर्ष बितिगेलाकवादो दूर्गानन्द झा सन–सन जे देशक बेटा अपन जानके कनिको पर्वाह नई कएलथि, हूनका सभक शहादतपर सरकार आ पार्टीक नेतासब गणतन्त्रक गुलछर्रा उडावि रहल अछि । कि दुर्गानन्द झाक आत्माके दुःखीत कऽ हमसब शान्तिसँ जीवि सकव ?

Thursday, April 29, 2010

मिथिला महोत्सव आ एकर उपलब्धि


–मनोज झा मुक्ति
जगत जननी माता जानकी अर्थात माँ मैथिलीक जन्मस्थल, प्राचीन विदेह राज्यक राजधानी अखुनक परिवेशमे प्रस्तावित मिथिला राज्यक प्रमुख नगरी जनकपुरमें अखनमिथिला महोत्सव तैयारी धुमधामसँ भऽ रहल अछि जनकपुरके यथासंभव चिक्कनचुनमुन देखयवाकलेल युद्ध स्तरपर काज कयल जाऽरहल अछि ओना एहि तरहें जनकपुरकेँ सजएवाक काज पहिलके खेप नहिं भऽरहल अछि, एहिसँ पहिनहुँ बहुतोवेर जनकपुरके सजाओल गेल छल कहियो मिथिला महोत्सवक नामपर कहियो कोनो राजनीतिक पार्टीक महाधिवेशन, सम्मेलन कहियो विवाहपञ्चमी कहियो आनआन प्रयोजनक नामपर
मिथिलाक संस्कृति केहन अछि, एतुक्का वातावरण केहन अछि, बाहरसँ आओल पाहुन सबके सैह देखएवाक लेल नाना प्रकारक तामझाम कएल जाइत अछि जनकपुर संसारक सबठामक हिन्दूक लेल आस्थाक केन्द्रके रुपमे रहल अछि जे कियो रामायण पढने या सुनने छथि, हुनका जीवनमें जनकपुर जाएव सम्भवतः एकटा प्रवल मनोभावना बढि जाइत छन्हि ताँए बहुत दुरदुरसँ लोक जनकपुर देखवाकलेल अवैत छथि ईच्छा होइतो जे देशी÷विदेशी कहियो जनकपुर नहि आएल रहैत छथि, हुनका सबके एहि तरहक सम्मेलन÷महोत्सव अएवाकलेल नीक अवसर जुरवैत अछि
सम्मेलन÷महोत्सवक दिनक अलावा आनदिन सेहो जनकपुरमे प्रायः भिडभाड रहिते अछि, तथापि विषेश अवसरमें अनदिनासँ तेब्बरचौबर लोकक भिडभाड़ लागि जाइत अछि एहि तरहक विषेश प्रयोजनकलेल जखन जनकपुरके सजाओल जाइए, तहन सोंचवाकलेल विवश होमय पड़ैए जे विषेश प्रयोजन बाहेक जनकपुरक कोनहुँ महत्व नहिं ? जौं आनदिन सेहो जनकपुरक महत्व हमसब बुझितहुँ जनकपुरके दुर्दशा किया रहैत ? सामान्य दिनमे दूर्गन्धित अव्यवस्थित शहरक नमूना लगैत जनकपुरमें विषेश दिन या महोत्सवमें मात्र डेन्टपेन्ट कऽ कऽ हमसब कि देखबऽ चाहैत छी ?
कोनहुँ पार्टीक महाधिवेशन या सम्मेलन जनकपुरमें होइत अछि ओहि पार्टीक नेता कार्यकर्ता जनकपुरके जीजानसँ लागिकऽ सजवैत अछि विवाहपञ्चमी या परिक्रमा सन धार्मिक प्रयोजनकलेल गुठी संस्थानक माध्यमसँ निजी स्तरसँ मठमन्दिरसब खर्च कऽ जनकपुरके सजाओल करैत अछि तहिना मिथिला महोत्सव सन सन काजकलेल वृहत्तर जनकपुर क्षेत्र विकास परिषद अपन साधनश्रोतसब परिचालन कऽकऽ जनकपुरके सजएवामे कोनो कसर बाँकि नहि रखैत अछि अवस्था अर्थात जनकपुरके सजएवाक काज प्रत्येक मास÷एक वर्षपर होइते रहैत अछि, जाहिमें लगभग सऽभ मिलाकऽ करोड़ो रुपैया खर्च भऽ जाइत अछि फेरफेर हमसब एहि खर्चके निरन्तरता देवामे अपनाके गर्वान्वित महशुश करैत छी मात्र मात्र क्षणिक प्रशंसाकलेल जनकपुरके सजएबाक काज हमसब कहिया धरि करैत रहब ? सम्मेलन÷महोत्सवक बाद जनकपुरके किया सम्मेलन÷महोत्सवक आयोजक सबके जनकपुर बिसरा जाइत छन्हि ?
जनकपुरक विकासकलेल दीर्घ योजना नहि बनऽमें कोन कारण अछि ? बेरबेर जनकपुरेक सजाबऽमे जे खर्च कएल जाइत अछि से ठोसरुपसँ एकैबेर किया नहि करबाक सोंच किनकोमे अवैत अछि ? कोनो विषेश प्रयोजमे नीक सामान्य दिनमें अशान्त, अव्यवस्थित दूर्गन्धित रहऽवला जनकपुरके, सऽभ दिनलेल किया नहिं नीक आकर्षक÷मनमोहक बनाओल जाऽ सकैया ?
सम्मेलन÷महोत्सवक वाहेक जनकपुरक विकासके ध्यान नहिं देवाक कारण बहुतो भऽ सकैय राजनीतिक पार्टीक नेता सबहक गैर जिम्मेवारीपन, स्थानियवासीक जनकपुरक विकासमे अभिरुचि नहिं लेब, राज्यद्वारा जनकपुरके उपेक्षाक सिकार बनाएब, सार्वजनिक सम्पतिके व्यक्तिगत प्रयोजनमे नेता, मठाधिश सबद्वारा प्रयोग करबाक प्रवृति एहिके अतिरिक्त जनकपुरक विकास नहिं होएबामे एकटा प्रमुख कारण अछिएक्कहिटा काजक नामपर फेरफेर खएबाक मनोवृति किछुलोक एहनो छथि जिनकर सोंच रहैत छन्हि जे काज जौं एक्कहि वेरमे नीक भऽगेल फेरसँ ओही नामपर पाई नहि निकालल जा सकैय, ताँए काज एहन कमजोर हुए जे फेरफेर करबाक मौका अवैत रहय किछु काज जनकपुरमे एहनो देखलगेल जे दोसर प्रमुख जौं कऽदेने अछि ओकरा फेरसँ तोरबाओलगेल पुनःनिर्माणक नामपर बजेटके उड़यबाक काज सेहो भेल सबसँ प्रमुख बात अछि जे हमसब जनकपुरक विकासके नामपर कमाए चाहैत छी, कि वास्तविकरुपमे जनकपुरके विकास करऽ चाहैत छी ? ताइमे प्रष्ट होमय पड़त
मिथिला महोत्सव मनाएब बहुत नीक बात अछि, मुदा निर्भर करैत अछि एकरा आयोजन करबाक मनसाय पर जौं वास्तविक रुपमे मिथिलाक संस्कृति, मैथिली भाषाक विकासक लेल एहि तरहक आयोजन होइत अछि स्वागत योग्य प्रशंसनिय काज अछि जौं अपना पार्टीक नेताके चाकड़ी करबाकलेल, एकर नामपर बजेट खएवाकलेल मात्र सुरखुरु बनवाक मनसायसँ महोत्सवक आयोजन कएल जाइत अछि मिथिला एवं जनकपुरकलेल ओहिसँ पैघ दुर्भाग्य किछु नहि होएत चार दिनकी चान्दनी फिर अँधेरी रातजे हिन्दीक कहवी अछि सैह जनकपुरके नियति बनल अछि जनकपुरके एहिसँ उठएवाक दायित्व कि एहि तरहक सम्मेलन÷महोत्सवक आयोजककेँ नहिं ? जनकपुर, मिथिला मधेशक राजनीतिकके प्रमुख केन्द्रक रुपमे रहल अछि जनकपुर मिथिला, मधेश, नेपाल सम्पूर्ण हिन्दू सबहक परिचायक अछि जौं जनकपुरके सबदिनलेल स्वच्छ व्यवस्थित हमसब राखऽसकहुँ जनकपुरके परिचय करेबाकलेल सम्मेलन महोत्सव अएनाइ या मनेनाई जरुरी नहि रहि जायत मात्र सम्मेलन महोत्सवमे जनकपुरके सजाएव अखन कौआके बकुला बनाएब जकाँ हाँस्यास्पद काज मात्र प्रतीत होइत अछि किया अनदिना अर्थात सम्मेलन महोत्सवक बाहेकदिनक जनकपुरक हमरा सबके वास्तविक परिचय दैत अछि
कहियाधरि जनकपुर नीक बनवाकलेल सम्मेलन महोत्सवेके बाट जोहैत रहत ? हमसब सोंचव की ?